Tuesday, November 15, 2011

ढुंगेल मुद्दामे सरकार सर्वोच्चके नि्रणयके लेल रुकत


२९ कात्तिक, काठमाडौँ । माओवादी सभासद् बालकृष्ण ढुंगेलके आममाफी देबय राष्ट्रपति समक्ष सिफारिस केने सरकार सर्वोच्चके आदेशके लेल रुकल अछि ।

हालेमे सर्वोच्च अदालत अगहन ५ गतेधरि आममाफीके प्रकृयाके जहाँके तँही रहय देबय सरकारक नाममे अन्तरिम आदेश जारी केने छल ।

अहिसँ आगु काल्हि राष्ट्रपतिसँग भेल भेटमे सेहो प्रधानमन्त्री भट्टराई तत्कालके लेल सर्वोच्चके आदेशके बाट ताकब कहैतन ओइ बिषयमे किछ बजनाइ आबश्यक नहि रहल बतौने छलथि । ढुंगेलके आममाफी जायज रहल दोहरबैत भट्टराई असावधानी वस ढुंगेलके मात्र मुद्दामे सर्वोच्चसँ अन्तिम फैसला भेलासँ आममाफी बाहेक दोसर बिकल्प नहि रहल बतौलनि । माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड आ अपना बिरुद्ध सेहो अखनो मुद्दा रहल कहैत प्रधानमन्त्री ओहन मुद्दाके अन्त्य सत्य निरुपण आयोग मार्फत लगितो ढुंगेलके मुद्दा आकर्षित नहि होबयबला भेलासँ औगताय परल बतौलनि ।

अहिबिच प्रधानमन्त्री भट्टराई सत्य निरुपण तथा मेलमिलाप आयोगसम्बन्धी बिधेयकके एक दु दिनमे निश्कर्ष लागल बतौलनि अछि । संसदमे दर्ता भऽ विधायन समितिमे बिमर्श भऽ रहल विधेयक उपर काल्हि अन्तिम बिमर्श भेलाबाद निश्कर्षमे पहुँचत प्रधानमन्त्री बतौलनि । सत्य निरुपण आयोग बनलाबाद ढुंगेल प्रकरणके अन्त्य  आममाफीके प्रकृयासँ हाएत प्रधानमन्त्री संकेत कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन