Tuesday, November 15, 2011

अग्नि-2 ‘प्राइम’ मिसाइलके सफ़ल प्रक्षेपण


२९ कातिक भारत । ज़मीन सँ ज़मीन धरि प्रहार करयबला भारतके सबसँ उत्कृष्ठ मिसाइल अग्नि-2प्राइमके आइ भिन्सर उड़ीसामें सफ़ल प्रक्षेपण कएल गेल अछि ।

अग्नि-2प्राइममिसाइल तीन हज़ार किलोमीटरके दूरी धरि प्रहार करयके आ परमाणु हथियार ढोबयमें सक्षम अछि ।

आधिकारिक श्रोतक अनुसार अग्नि-2प्राइमके निशाना आ प्रहार करयके क्षमता पहिनेके मिसाइल सबसँ बहुत निक अछि मुदा अहुँ सँ निक अग्नि-3 मिसाइल साढ़े तीन हज़ार किलोमीटर धरि प्रहार कऽ सकैत अछि ।

अग्नि-2प्राइममिसाइलके भारतमें बनाओल गेल अछि आ बितल साल दिसम्बरमें सेहो अग्नि-2 प्राइममिसाइल के परिक्षण कएल गेल छल मुदा प्रबिधि गड़बड़ीके कारण असफ़ल भेल छल।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन