Tuesday, November 15, 2011

समाजकल्याण परिषद्क पदाधिकारीके हटाओल गेल


२९ कात्तिक, काठमाडौँ । सरकार भ्रष्टाचारक अभियोग लागल समाजल्याण परिषद्क तीन गोट पदाधिकारीके निलम्बन केलक अछि ।

निलम्बनमे परयबलासबमे परिषदक उपाध्यक्ष दाताराम खनाल, सदस्यसचिव डा. छेवाङ नाङवेल लामा शेर्पा आ कोषाध्यक्ष रत्नबहादुर गाहामगर रहल अछि । निलम्बित खनाल एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनालक सहोदर भाई छथि । सिंहदरबारस्थित प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद कार्यालयमे आइ भिन्सर बैसल मन्त्रिपरिषद्क बैसारसँ हुनकासबके निलम्बन कएल गेल अछि । सरकारक प्रवक्ता एवं उपप्रधान तथा परराष्ट्रमन्त्री नारायणकाजी श्रेष्ठ नेपाल विद्युत् प्राधिकरणके कार्यकारी निर्देशक दीपेन्द्रनाथ शर्माके राजीनामा स्वीकृत कऽ खुल्ला प्रतिस्पर्धाके माध्यमसँ नयाँ कार्यकारी निर्देशक नियुक्त करयके निर्णय केने जानकारी देलनि । पहिलबेर खुल्ला प्रतिस्पर्धाके माध्यमसँ नियुक्त भेल शर्मा कर्मचारी महासंघक निर्वाचन नहि करय उर्जामन्त्री पोष्टबहादुर बोगटी आ माओवादी निकट कर्मचारीके दबाबमे किछ दिन आगु राजीनामा देने छलथि ।

अहिना मन्त्रिपरिषद् शिक्षक सेवा आयोगके अध्यक्षमे पूर्वसचिव उदयराज सोतीके नियुक्त केलक अछि । बैसारसँ नेपाली सेनाके दु सहायक रथीके उपरथीमे बढुवा केलक अछि । बढुवा होबयबलामे रामकृष्ण अधिकारी, राजेन्द्र क्षेत्री अछि । तहिना प्राविधिक तर्फके सहायक रथीसब ध्रुव बहादुर साह आ डा. श्यामसुन्दर शर्माके कार्यकाल तीन वर्ष थपयके निर्णय भेल सेहो श्रेष्ठ बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन