Tuesday, November 15, 2011

माओवादीक बैसार पर्सुधरिके लेल स्थगित


२९ कात्तिक, काठमाडौँ । एकीकृत नेकपा माओवादीक केन्द्रीय समितिक बैसार बिना बैसले पर्सुधरिके लेल स्थगित भेल अछि । संविधान संशोधनबारे पार्टीभितर आ दलसबसँग बिमर्श करयके कहैत पदाधिकारीसबहक बैसारसँ केन्द्रीय समितिक बैसार २ दिन स्थगित करय जका स्थगित केलक अछि ।

राज्य पुनःसंरचनाके लेल आयोगके बदला विज्ञसबहक समिति गठन करयके सहमतिमे बैद्य पक्ष आपत्ति जनौने अछि । विज्ञसबहक समूह गठन केलासँ संविधानसभाक औचित्य उपर प्रश्न उठयके आ राज्य पुनःसंरचना सम्वन्धि समितिके प्रतिवेदनके औचित्य नहि रहत कहैत बैद्य पक्ष सुझाव समिति मात्र गठन करयके अडान लेने अछि । बैद्य पक्ष विज्ञसबहक समूह गठनके लेल सरकार दर्ता करौने अन्तरिम संविधानक ११ हम् संशोधन विधेयक समेत पारित होबय नहि देबयके चेतावनी देने अछि । 

अहिना प्रस्तावित विज्ञसबहक समितिक कार्याक्षेत्र, पदाधिकारी सहितक विषयमे दलसबबीच सहमति होबय बाँकी अछि । व्यवस्थापिका संसदक काल्हि बैसयबला बैसारसँ संविधान संशोधन विधेयक पारित करयके कार्यसूची अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन