Tuesday, November 15, 2011

समायोजन प्रक्रियामे सामेल नहि होबय लडाकुसँ बैद्य पक्षक अपिल


२९ कात्तिक, काठमाडौँ । एकीकृत नेकपा माओवादीक मोहन बैद्य पक्ष सातबुँदे सहमतिअनुसार होबयबला सेना समायोजन आ पुनस्र्थापना सम्बन्धी कोनो प्रक्रियामे सामेल नहि होबय लडाकु समक्ष अपिल केलक अछि ।

उपाध्यक्ष बैद्य आ महासचिव रामबहादुर थापा आइ एक संयुक्त विज्ञप्ति जारी कऽ ओ प्रक्रियामे सामेल नहि होबय आग्रह केलक अछि । अहिसँ आगु काल्हि बैसल सेना समायोजन विशेष समितिक बैसारसँ सातबुँदे समति अनुसार लडाकु पुनवर्गीकरणके लेल ३० गतेधरिमे सातो मुख्य शिविरमे प्राविधिक टोली पठाबयके निर्णय केने छल । बैद्य पक्ष पार्टी निर्णय विपरीत नेतृत्व सातबुँदे सहमति कऽ आत्मसमर्पण केने आरोप लगौने छल । लडाकुके निशस्त्रीकरण कऽ व्यक्तिगत रुपमे सुरक्षा निकायमे प्रवेश कराबय चाहने ओ पक्षक आरोप अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन