Tuesday, November 15, 2011

३ चरमपँथीके मृत्यु


२९ कातिक , एजेन्सी । अफ़ग़ान सीमा सँ सटल उत्तरी वज़ीरिस्तान क्षेत्रमे स्वचालित अमरीकी विमानसँ कएल गेल हमलामे करिब ३ चरमपँथीके मृत्यु भेल पाकिस्तानी सेना जनौलक अछि ।

सेना प्रमुखके अनुसार मिरान शाह के नजदिक भेल अइ हवाई हमलामें तीन इस्लामी चरमपंथिके मृत्यु भेल अछि ।

अमरीकामें राष्ट्रपति बराक ओबामाके सरकार बनलाक बाद सँ पाकिस्तानमें ड्रोन हमला ब्यापक रुपमे कएल जाऽ रहल अछि ।

हालाकि अमरीकी सरकार ऐहन हमलाके सार्वजनिक रुपसँ पुष्टि नहि करैत अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन