Saturday, November 12, 2011

कोरियासँ १ हजारसँ बेसी नेपालीके घुरय परत


२६ कात्तिक, काठमाडौँ । कामदार अनुमति प्रणाली (इपीएस) अन्र्तगत दक्षिण कोरिया गेल करिब एक हजार नेपाली कामदारके आगामी किछ महिनाभित्रमे नेपाल घुरय परत ।

सन् २००८ के अगष्टसँ डिसेम्बरधरि कोरिया पहुँच कऽ नोकरी लागल नेपाली कामदारसब अपन निर्धारित ३ बर्षे समय पूरा कऽ नेपाल घुरय परत । कोरिया सरकार निर्धारित समय पूरा केने कामदार घुरत तऽ नयाँ लेबय नहि सकयके आ अहिसँ नेपाल कोरियाबीचक श्रम सम्बन्धमे असर परत चेतावनी देने अछि ।

इपीएस नेपाल कार्यालय प्रमुख महेश आचार्य निर्धारित समय पूरा केने कामदार नेपाल नहि घुरत तऽ आगामी वर्ष कोरिया जाए लागल १५ हजार नयाँ कामदारके असर परत बतौलनि । सन् २००८ के ब्याचमे कोरिया पहुँचल नेपाली श्रमिकसब नेपाल घुरलाबादे सन् २०१२ के लेल चुनाएल नेपालीसबके लऽ जाएके प्रक्रिया सुरु हाएत दक्षिण कोरियाक ग्लोबल वर्कफोर्स युनिटके उपाध्यक्ष नाम इल किम बताचुकल छथि । एक महिना  आगु मात्रे किम नेपाल भ्रमणमे आएल छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन