Saturday, November 12, 2011

डिसेम्बरमे चिनियाँ आ मार्चमे भारतीय प्रधानमन्त्री नेपाल आओत


२६ कात्तिक, काठमाडौँ । करिब एक दशकसँ पडोसी देश भारत आ चीनसँ होबय नहि सकल उच्चस्तरीय भ्रमणके द्धार खुलयके लगभग पक्का भेल अछि ।

प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराईके पहलमे चिनियाँ प्रधानमन्त्री आगामी डिसेम्बर महिनामे आ भारतीय प्रधानमन्त्री मनमोहन सिंह मार्च महिनामे नेपालके भ्रमण करयके  लगभग पक्का भेल प्रधानमन्त्री निकट स्रोतक दाबी अछि । उच्च तहमे भ्रमणके सहमति भऽ चुकल आ कुटनीतिक च्यानल मार्फत तयारी सुरु भेल स्रोतक दाबी अछि । चिनियाँ प्रधानमन्त्रीक नेपालके भ्रमणके लेल गृहकार्य करय परराष्ट्रमन्त्री नारायणकाजी श्रेष्ठ याह नोभेम्बर २५ तारिखमे बेइजिङ जाएके तयारीमे छथि । सार्क शिखर सम्मेलनके लेल माल्दिभ्समे रहल मन्त्री श्रेष्ठ एक दु दिनमे चिनियाँ प्रधानमन्त्रीके नेपाल भ्रमणके औपचारिक मितिके निर्णय हाएत बतौलनि । मिति निर्णय भेलाबाद श्रेष्ठ तयारीके लेल चीन जेताह बताओलगेल अछि ।

अहिना भारतीय प्रधानमन्त्री मनमोहन सिंह सेहो नेपाल भ्रमणमे आबय लागल छथि । काल्हि माल्दिभ्समे भेल दु पक्षीय भेटके क्रममे नेपालक प्रधानमन्त्री नेपाल भ्रमणके पुरनका नौताके याद दियौने छलथि । जवाफमे भारतीय प्रधानमन्त्री सिंह मार्चभितर अपने नेपाल आबयके जानकारी करौने बताओलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन