Saturday, November 12, 2011

संविधान संशोधन विधेयक आगु बढल


२५ कात्तिक, काठमाडौं । व्यवस्थापिका संसद अन्तरिम संविधानक एघारौँ संशोधन विधेयक उपर विचार करयके प्रस्तावके स्वीकृत केलक अछि । संसदके आइ बैसल बैसारसँ सर्वसम्मतिसँ प्रस्तावके स्वीकृत केलक अछि ।

कानुन तथा न्यायमन्त्री वृजेशकुमार गुप्ता कौल्हुका बैसारमे रखने प्रस्ताव संसदके गणपूरक सङ्ख्या पहुँचय नहि सकलाक कारण स्वीकृत होबय नहि सकल छल ।

संसदके ३० गतेके बैसारमे संविधान संशोधन विधेयक निर्णयार्थ पेश कएल जाएत संसद सचिवालय जनौलक अछि । दलसब काल्हिए छोट प्रक्रियासँ संविधान संशोधन करयके तयारी केलाबाद माओवादीके मोहन बैद्य पक्ष ७२ घण्टे प्रावधान निलम्बन करय अस्वीकार केलाबाद सम्भव होबय नहि सकल छल ।

प्रस्तावित राज्य पुनःसंरचना आयोगके बदला संविधानसभासँ विज्ञसबहक समिति गठन करयके व्यवस्थाके लेल सरकार संविधानके ११ औं संशोधन विधेयक संसदमे दर्ता करौने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन