Saturday, November 12, 2011

अमेरिकाके व्हाइट हाउसके बाहर फायरिंग कऽ क भागल हमलावर


कातिक २६ वॉशिंगटन । दुनियाके सबसँ ताकतवर मानल जाएबला  अमेरिकी राष्ट्रपतिके निवास व्हाइट हाउसके बाहर हमलावर फायरिंग कऽ कऽ भागल अछि ।

समाचारक अनुसार गाड़ीमे सवार आक्रमणकारी फायरिङ करैत ओतय हमलाके बाद कार छोड़ि कऽ भागल छल । हमला करयबला एक गोटे अपन होंडा गाड़ी ओतहि छोड़ि कऽ भागल छल । कारस एके-47 रायफल बरामद कएल गेल अछि जाहिमे टेलीस्‍कोप सेहो लागल अमेरिकी सँचारमाध्यम जनौलक अछि ।

गोली चलौलाबाद पुलिस  आक्रमणकारीके  दुर तक खिहारने छल । अमेरिकाके सेक्रेट सर्विसके एजेंट १६ हम् स्ट्रीट पर खड़ा छल आ ओ फायरिंग सुनने बतौलक अछि । अमेरिकाक राष्ट्रपति बराक ओबामा अहि समय कैलिफोर्निया में अछि। हुनका सँगे अमेरिकाक उपराष्ट्रपति जो बिडेन सेहो छथि।   

आक्रमणके बाद सँ अखन ओतय ब्यापक रुपमे कडा सुरक्षा ब्यबस्था कएल गेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन