Saturday, January 07, 2012

९७ हजार अमेरिकी डलर सहित सात चिनियाँ गिरफ्तार


२३ पुस, भक्तपुर । भक्तपुरके जगातीसँ ९७ हजार अमेरिकी डलर सहित ७ जना चिनियाँ नागरिकके आइ भिन्सर पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।

तीन टा गाडीमे काठमाडौँसँ खासादिस जाऽ रहल अबस्थामे ओकरसबहक सँगसँ चेकजाँचके क्रममे ओ परिमाणके डलर भेटलाबाद भिन्सर साढे ४ बजेके समयमे नियन्त्रणमे लेलगेल जगाती पुलिस जनौलक अछि । गिरफ्तार भेल सबके महानगरीय प्रहरी प्रभाग जगातीके प्रहरी निरीक्षक चक्र बस्नेत शंका लगलाबाद चेकजाँच केने बतौलनि । ओ कहलनि जे ओ सब शरीरके विभिन्न भागमे डलर नुका कऽ लऽ जाऽ रहल छल ।

अहिना ओसब चढि कऽ जाऽ रहल बा ८ च ६४२६, बा ७ च ५४३४ आ बा ७ च ९१७८ नम्बरक गाडीके सेहो पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि । प्रहरी निरीक्षक बस्नेत ओ प्रकारणके सम्बन्धमे छानविन जारी रहल बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन