Saturday, January 07, 2012

संवैधानिक समितिक बैसार निष्कर्ष विहिन


२३ पुष काठमाण्डौ । उपसमिति सहमति केने विषयसबके अनुमोदन करय बैसल संवैधानिक समितिक बैसार निष्कर्षविहिन भेल अछि ।

आइ सिंहदरबारस्थित समितिक कार्यालयमे बैसल बैसार दलके शीर्ष नेतासबहक अनुपस्थितिके कारण बैसारमे उपसमितिके सहमति अनुमोदनके विषयमे बिमर्श होवय नहि सकल बताओलगेल अछि ।  उपसमिति सहमति जुटौने विषयके अनुमोदन करय सहमति करय बाँकी विषयसबमे सेहो सहमति खोजयके काममे दलक नेतासब ओतेक गम्भीर नहि देखलगेल समितिक सभापति निलाम्बर आर्चाय बतौलनि ।

बैसारक बाद सभासद विश्वेन्द्र पाशवान संविधान निर्माणक कामप्रति पैघ दलक नेतासब जिम्मेवार नहि देखलगेल आरोप लगौलनि । सभासद पाशवान पैघ नेतासब बैसारमे आवयके छोडने कहैत संविधान निर्माणक काम आगु बढय नहि सकल बतौलनि । बैसारसँ संविधानसभाके कार्यतालिकामे रहल प्राविधिक त्रुटीके सेहो सच्चावयके लेल सचिवालयके निर्देशन देलगेल अछि । विवादित विषयमे सहमति जुटावय माघ १५ गतेधरिके लेल समय बढिबतो उपसमितिके बिमर्श करय देबय या नहि देवयके विषयमे कोनो बातके उल्लेख नहि भेलासँ ओइके सच्चावय कहलगेल सभापति आचार्य जानकारी देलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन