Saturday, January 07, 2012

माओवादी अध्यक्ष पार्टी भितर अल्पमतमे रखने सचिवक दावी


नुवाकोट, पुस २३ । माओवादीक सचिव सिपी गजुरेल जारी केन्द्रीय समितिक बैसारमे अध्यक्ष प्रचण्ड अल्पमतमे रखने दाबी कएलनि अछि । पार्टी लाइन विपरीत आत्मसमर्पणवादी ढङ्गसँ आगु बढलासँ केन्द्रीय समितिमे मतदान हाएत तऽ संस्थापन पक्षके सदस्यसब अध्यक्षके विरोधमे मतदान करत सेहो गजुरेल दावी कएलनि ।

नुवाकोटके बट्टारमे आइ क्रान्तिकारी पत्रकार सङ्घ आयोजना केने पत्रकार भेटघाटमे सचिव गजुरेल वर्तमान सरकार रहिते रहल तऽ पार्टीके अस्तित्व समाप्त होइत जाएत ताहि लेल अपन समूह नयाँ सरकारक पक्षमे रहल स्पष्ट कएलनि ।

सञ्चारकर्मीसबहक एक जिज्ञासामे सचिव गजुरेल अपन समूहके शान्ति विरोधी बनावयके षड्यन्त्र भऽ रहल बतबैत अपन समूह जनविद्रोह करब कहितो हतियार ल ऽ क जङ्गल नहि जाएब स्पष्ट केलनि ।

 दलसब बीचक सहमति बिना संविधान नहि बनयबला होइतो पार्टी नेतृत्व सहमतिके नाममे आत्मसमर्पण करैत चललाक  कारण नेतृत्वके विरोध करय परल कहैत नेता गजुरेल सातबुँदे आ ४ बुँदे सहमति कऽ क अध्यक्ष आ प्रधानमन्त्री क्रान्ति प्रति बेइमानी केने आरोप सेहो लगौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन