Saturday, January 07, 2012

प्रधानमन्त्रीके कारण शान्ति प्रक्रियामे अवरोध


काठमाडौ, पुस २३ । कांग्रेस आ एमाले प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके कारण शान्ति प्रक्रियामे अवरोध उत्पन्न भेल निष्कर्ष निकाललक अछि । शान्ति प्रक्रियामे भऽ रहल अबेर बारे बिमर्श करय दु दलके बैसार आइ एमाले संसदीय दलक कार्यालय सिंहदरवारमे बैसल छल ।

प्रतिपक्षी दुनु दल प्रधानमन्त्री भट्टराई तथा माओवादी पार्टी विभिन्न बहाना बना कऽ शान्ति प्रक्रियाके लम्ब्याब चाहने आरोप लगौलक अछि । लडाकुके वर्गीकरण होइतो ओकरासबके बिदाई तथा समायोजन प्रक्रिया सुरु नहि कऽ क प्रधानमन्त्री शान्ति प्रक्रिया तत्काल पुरा करय नहि चाहने निष्कर्ष दु दलक रहल अछि ।

लडाकुसंगै नयाँ निर्वाचनमे जाएके माओवादीके रणनीति रहल बैसारक बाद कांग्रेस नेता रामशरण महत बतौलनि । ओ समायोजन आ पुनःस्थापनाके काम नहि बढावयधरि विश्वासके वातवरण नहि बनत उल्लेख कएलनि । अहिना एमाले नेता भीम रावल माओवादी ७ बुँदे सहमितसँ पाछु हटल आशंका उत्पन्न भेल बतौलनि । ओ विशेष समितिमे तत्काल काम सुरु करयके निर्णय होइतो व्यवहारमे कार्यान्वयन नहि भेलमे अविश्वास बढल जनौलनि । शान्ति आ संविधानक काम संगसंगै बढावयके क्रममे माओवादी शान्ति प्रक्रियाके ध्यान नहि देने दु दल ठहर केलक अछि ।

दु दलक बैसार फेउर ४ बजे बैसय लागल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन