Saturday, January 07, 2012

पर्यटनके विकासमे स्थानियके सहभागिता होवय चाहीः पर्यटनमन्त्री


२३ पुष मकवानपुर । पर्यटन तथा नागरिक उड्ययनमन्त्री लोकन्द्र बिष्ट मगर मकवानपुरके दामन क्षेत्रमे पर्यटन विकासक लेल स्थानियसबहक सहभागिता होवय चाही बतौलनि अछि ।

मकवानपुरके पर्यटकीय क्षेत्र दामन सीमभन्ज्याङमे नयाँ बनय लागल भ्यु टावर आ पर्वतीय कृत्रिम तालके आइ सिलान्यास करैत पर्यटनमन्त्री बिष्ट दामन पालुङके पर्यटकीय गन्तब्यके रुपमे देश भरि चिनावह गुरुयोजना निमार्ण कऽ क पर्यटन विकासके कामसब स्थानिय तबरसँ संचालन करय परत  बतौलनि । बिष्ट पर्यटनके विकासक लेल बर्तमान सरकार लागि परल बतबैत नेपालमे रहल पर्यटकीय क्षेत्र आ सम्भावनासबके मध्यनजर करैत भिजन टवान्टी ट्वान्टी अनुरुप आबके एक दशकके पर्यटकीय दशकके रुपमे घोषणा करयके तयारी भऽ रहल जानकारी देलनि । नेपालमे पर्यटन विकास करय पर्यटकीय क्षेत्रसबमे पर्यटकीय पूर्वाधार विकास केनाइ जरुरी रहल विष्ट बतौलनि ।

पर्यटनमन्त्री विष्ट शिलान्यास कएने भ्यु टावर ४० लाख आ पर्बतीय कित्रिम ताल २५ लाखके लागतमे निमार्ण होवय लागल अछि । स्थानिय करुणा भूमि सामुदायिक वन समुहके सक्रियतामे निमार्ण होवयबला टावरके उचाई ३० मिटर आ तालको लम्बाई ७ सय मिटर रहत बताओलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन