Saturday, January 07, 2012

दुनियाके सबसँ पैघ सोलर टेलीस्कोप बनय जाऽ रहल


२३ पुष जम्मू । जम्मू आ कश्मीरके लद्दाख क्षेत्रमें सौर्य ऊर्जासँ चलयबला दुनियाके सबसँ पैघ सोलर टेलीस्कोप बनय जाऽ रहल अछि ।

जम्मू आ कश्मीरके मुख्य सचिव माधव लाल कहलनि जे भारत सरकारके विज्ञान तथा  प्रबिधि विभाग लद्दाख क्षेत्रमें नेशनल लार्ज सोलर टेलीस्कोप स्थापित करय जाऽ रहल अछि ।

ओ अहि टेलीस्कोप पर २ मीटरके 'रिफ्लैक्टर' लगाओल जाएत जानकारी दैत कहलनि जे जाहिसँ वैज्ञानिकके सूर्य पर भऽ रहल  प्रक्रियाके समझयमे आ  ओइ पर अनुसन्धान करयमे आओर मदत भेटत ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन