Saturday, January 07, 2012

शान्ति आ संविधान एखुनक आवश्यकताः सभापति कोइराला


कास्की (लेखनाथ), पुस २३ । नेपाली काँग्रेसक सभापति सुशील कोइराला शान्ति प्रक्रिया आ लोकतान्त्रिक संविधानके पूर्णता देनाइ एखुनक आवश्यकता रहल बतौलनि अछि ।

प्रजातान्त्रिक विचार समाज पोखरा प्रकाशन केने विचार प्रवाहमुखपत्रके आइ विमोचन करैत ओ अन्तर्राष्ट्रिय क्षेत्र सेहो नेपालमे शान्ति चाहलासँ वार्ता, सहमति आ सहकार्य  एकर विकल्प रहल उल्लेख कएलनि ।

माओवादीके शान्ति प्रक्रियाके मूलधारमे लावय काँग्रेस मुख्य भूमिका निर्वाह केने उल्लेख करैत ओ प्रमुख दल भेल नातासँ माओवादीके एकरा पूर्णता देनाइ ओकर दायित्व रहल बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन