Saturday, January 07, 2012

काङ्ग्रेस–एमाले शान्ति प्रक्रियाके ओझराहटमे राखय चाहने अर्थमन्त्रीक आरोप


२३ पुष कञ्चनपुर । अर्थमन्त्री बर्षमान पुन अन्नत विवाद समाधान भऽ चुकल विषयमे बखेडा कऽ क नेपाली काङ्ग्रेस आ नेकपा एमाले शान्ति प्रक्रियाके ओझराहटमे राखय चाहने आरोप लगौलनि अछि ।

आइ कञ्चनपुर सदरमुकाम महेन्द्रनगरमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे अर्थमन्त्री पुन उपसमितिके बैसारमे सहमति भऽ चुकल विषयके संवैधानिक समितिमे आबि कऽ काङ्ग्रेसएमाले लटकाबय चाहलाबाद शान्ति प्रक्रियाके काममे अबेर भऽ रहल बतौलनि । सेना समायोजनके काम आगु बढितो अखन समायोजनके तह निर्धारणके विषयमे किछ सहमति होवय नहि सकलासँ गतिरोध देखलगेल चर्च करैत ओ तत्काल ओइके सेहो समाधान कएल जाएत स्पष्ट कएलनि ।

एकीकृत नेकपा माओवादीक स्थायी समिति सदस्य समेत रहल मन्त्री पुन शान्ति प्रक्रियाके निश्कर्षमे पहुँचावय अपन पार्टी पूर्ण प्रतिबद्व रहल बतौलनि । ओ पार्टी भितर शान्ति प्रक्रियाके पुरा करयके सन्दर्भमे कोनो मत भिन्नता नहि रहल स्पष्ट कएलनि । ओ पार्टी भितर पछिला समयमे देखलगेल मतभिन्नताके समाधान कऽ क आगु बढल जाएत बतौलनि । केन्द्रीय समितिक बैसार चलिरहल कहैत मन्त्री पुन सब विवादके महाधिवेशनमे लऽ जाऽ क पुरा करयके विषयमे बिमर्श भऽ रहल आ जल्दिए निर्णयमे पहुँचल जाएत दावी सेहो कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन