Saturday, January 07, 2012

दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु


सुनसरी, पुस २३ । पूर्वपश्चिम राजमार्गके हरिपुर खण्डमे आइ भिन्सर नम्बर खुजय नहि सकल गाडीके ठक्करसँ एक गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ दु टा चौपायाके सेहो मारल गेल अछि ।

आइ भिन्सर ४ वजे देने गाडीके ठक्करसँ सप्तरी घर रहल पुलकित यादवके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल सशस्त्र प्रहरी सीमा सुरक्षा बलके एसपी नगेन्द्र थापा जानकारी देलनि । ठक्करसँ पश्चिम कुसाहा-५ के विनोद यादवके २ टा महिस मरयके सँगहि एक गोटे घाइल सेहो भेल अछि । राजमार्गमे खटल पुलिसक रेकर्डसँ ओ गाडीके खोजी भऽ रहल एसपी थापा बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन