Friday, February 18, 2011

नेपालके राष्ट्रिय झण्डा चारिकोणमा

६ फागुन, काठमाडौं । कुवेतमे जारी एसीसी महिला टि ट्वान्टी क्रिकेट प्रतियोगिताके आधिकारीक वेबसाइटमे नेपालके राष्ट्रिय झण्डा चारिकोणमा राखलगेल अछि । क्रिकेट कुवेत डट ओआरजीमे नेपालके राष्ट्रिय झण्डा चारिकोणमा राखलगेल अछि ।
प्रतियोगितामे सहभागी राष्ट्रसबहक नामावलीके सूचीमे मलेसिया आ भुटानके बीचमे रहल ‘नेपाल’मे क्लीक कक देखलापर झण्डा देखल जा सकैय । नेपालके राष्ट्रिय झण्डा तीनकोणमा आकारके होबयके चाही मुदा ओ वेबसाइटमे चारिकोणमा आकारमे लाल पृष्ठभूमिमे चन्द्र आ सूर्य अंकित झण्डा राखलगेल अछि ।
अहिस आगु बंगलादेशके ढाकामे आयोजित ११ हम् साफ गेममे नेपालके राष्ट्रिय झण्डा उल्टा राखलगेल छल त ‘श्रीमान् गम्भीर नेपाली…’ बजने पुरान राष्ट्रियगान बजल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन