Friday, February 18, 2011

भट्टराईके अवस्था बुझय राष्ट्रपति डा. यादव अस्पताल पहुँचलथि

काठमाडौ, फाल्गुन ६ - राष्ट्रपति रामवरण यादव फेउर स पूर्वप्रधानमन्त्री कृष्णप्रसाद भटटराईके स्वास्थ्य अवस्थाबारे जानकारी लेलनि अछि । चिकित्सक समेत रहल राष्ट्रपति यादव भट्टराईके स्वास्थ्य अवस्थाबारे बुझय आइ भिन्सर थापाथली स्थित नर्भिक अस्पताल पहुँचल छलथि । ओ बितल बुधदिन सेहो सन्त नेता भट्टराईके स्वस्थ्य स्थितिबारे बुझय गेल रहथि ।
६ दिनस इलाज करारहल भट्टराईके अवस्थामे किछ सुधार होइतो खतरामुक्त नै रहल इलाजमे संलग्न चिकित्सकसब बतोलक अछि । पछिला समय श्वास प्रश्वासमे समस्या एलाबाद भट्टराईके सीसीयुमे राखि कऽ इलाज भरहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन