Friday, February 18, 2011

गृह मन्त्रालयके लेल सरकारके समर्थन नै केने छी: दाहाल

बारा, फाल्गुन ६ - माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल सरकार बनाबय सब विकल्प खुल्ला रहल बतोलनि अछि । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल संगके बिमर्शके बाद बारा पहुँचल दाहाल गृह मन्त्रालयके लेल सरकारके समर्थन नै केने बतोलनि ।
आइ पार्टी प्रशिक्षणके क्रममे बारा पहुँचल दाहाल सिमरामे पत्रकारसबसंग संक्षिप्त बातचित करैत गृह मन्त्रालयके लेल एकतर्फी अडान नै राखयके संकेत देलनि ।
ओ अपनासब गृह मन्त्रालयके लेल प्रधानमन्त्री पद छोडने नै कि देशके राजनीतिक गतिरोध अन्त्य करय सरकारक समर्थन केने स्पष्ट केलनि ।
एमाले पार्टीभितरके समस्या समाधान भेलाबाद अपनासब सरकारमे सामेल होबयके बात ससेहो ओ बतोलनि ।
प्रधानमन्त्री खनाल एमालेके केन्द्रीय समिति बैसारस समस्या समाधान करयके आ बैसारक बाद सरकार बनाबयके माहौल बनत आश्वासन देने दाहाल बतोलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन