Friday, February 18, 2011

एमालेके निर्णय चिप्ले किराके सिङ जेहन नहि अछि - ओली

कास्की, फागुन ६ - एमालेक नेता केपी ओली विद्रोहके नीति सफल करयके लेल गृह आ रक्षा मन्त्रालय माओवादी माँग केने दावी केलनि अछि । सब सुरक्षा निकायके विद्रोहके पक्षमे ठार करय माओवादी गृह मन्त्रालय खोजिरहल ओली आरोप लगौलनि ।
प्रथम क्षेत्रीय प्रतिनिधि परिषद् बैसारके आइ पोखरामे उद्घघाटन करैत ओली कहलनि जे, ‘सबदिस विद्रोह मच्चाबय लेल माओबादी गृह चाहीरहल अछि ।’ओ वाइसिएल कमाण्डरके गृहमन्त्री बनाकऽ 'वाइसिएल आगु बढ पुलिस पाछु हट' कहयके सिवाय आरो किछ नहि हाएत बतोलनि ।
माओवादीके सुरक्षासंग सम्बन्धित कोनो मन्त्रालय नै देबयके एमालेके निर्णय भेल कहैत ओली इ निर्णय ककरो आग्रहमे नै भेल प्रष्ट केलनि ।
ओ गृहमन्त्रीमे पार्टी सचिव विष्णु पौडेल हाएत ठोकुवा करैत इ निर्णयमे कोनो हालतमे हेरफेर नै हाएत बतोलनि ।
एमालेके निर्णय चिप्ले किराके सिंङ जेहन नै रहल कहैत ओली गृह मन्त्रालयमे ओझरेनाई आवश्यक नै रहल बतोलनि । ओ एमाले केने ई निर्णय शान्ति आ संविधान निर्माणके लेल केने स्पष्ट केलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन