Friday, February 18, 2011

शिक्षा मन्त्रालय आगु अस्थायी शिक्षकसबहक धर्ना

६ फागुन, काठमाडौं । आन्दोलनरत अस्थायी शिक्षकसब स्थायीके माँग करैत शिक्षा मन्त्रालयमे धर्ना देलक अछि । देशभरिके प्रतिनिधि सम्मिलित अस्थायी शिक्षकसबहक टोली केशर महल स्थित शिक्षा मन्त्रालयके गेट आगु धर्ना देलक अछि ।
११ बजेस सुरु धर्ना कार्यक्रम बेरियाके एक बजेधरि जारी रहल अस्थायी शिक्षक आन्दोलन केन्द्रीय समितिक महासचिव दिनेश थापा जानकारी देलनि । ज्ञापनपत्र बुझाबयके आजुक कार्यक्रम स्थगित कएलगेल थापा जानकारी देलनि अछि । शिक्षा मन्त्रीके निर्णय भेलाबाद ज्ञापनपत्र बुझाओल जाएत थापा जानकारी देलनि ।
अस्थायी शिक्षक आन्दोलन समिति अहिस आगु विभिन्न राजनीतिक दलक केन्द्रीय कार्यालयमे ज्ञापन पत्र बुझौने छल ।
ओसब २०६३ अगहनमे तत्कालीन आठ दलक रोहबरमे शिक्षा मन्त्रालयमे भेल सहमति कार्यान्वयनके माँग केलक अछि । सेवा सवधि गणना क सम्पूर्ण अस्थायी शिक्षकसबके स्थायी करय परत ओकरसबहक माँग अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन