Friday, February 18, 2011

अपहरण आ हत्याके 'मोस्ट वाण्टेड' गिरफ्तार

लहान, फागुन ६ - तराईमे सशस्त्र भूमिगत संगठनमे संलग्न रहिकऽ दर्जनौ अपहरण आ हत्यामे संलग्न रहल आरोपमे पुलिस 'मोस्ट वाण्टेड' सूचीमे रखने दु गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिरहाक प्रहरी उपरीक्षक विकास श्रेष्ठक अनुसार मधेश राष्ट्र जनतान्त्रिक पार्टी (रणवीर सिंह) समुहक केन्द्रीय सदस्य अर्जुन कहायबला अशेन्द्र यादव तथा जयकृष्ण गोइत नेतृत्वक अखिल तराई मुक्ति मोर्चाक जिल्ला सदस्य कमलेस कहायबला उमेश यादव गिरफ्तार भेल अछि ।
पुलिस ओकरासबके पत्रकार सम्मेलन कक सार्वजनिक केलक अछि । पुलिस असेन्द्रके कचनारी लगेके सीमा नाकामे तथा कमलेसके सीतापुर-७ मे गिरफ्तार केलक अछि । ओकरा सबमेस कमलेस २०६४ साउन २९ गते सिरहा कारागारस फरार अभियुक्त अछि ।
गिरफ्तार भेल अशेन्द्र उपर २०६५ मंसिर ४ गते इलाका प्रहरी कार्यालय महेशपुर पतारीमे कार्यरत प्रहरी जवान बिरजु यादव उपर हत्या तथा तीन टा अपहरणके अभियोग अछि । कमलेस उपर बितल पुस २० गते तेनुवापट्टी-५ मे विजय सहनी उपर हत्या, कतेकौ डकैती तथा अपहरणके अभियोग अछि ।
पुलिस उपरिक्षक श्रेष्ठ पत्रकार सम्मलेनमे ओकरासबहक बिषयमे थप अनुसन्धान भरहल जानकारी देलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन