Friday, February 18, 2011

प्रधानमन्त्री प्रचण्डके कहलनि, ‘गृह देबय नै सकब’

६ फागुन, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल तत्कालके लेल गृह मन्त्रालय प्रधानमन्त्री मातहत राखि कऽ मन्त्रिपरिषद विस्तारमे सहयोग करय एकीकृत नेकपा माओवादीस प्रस्ताव कएलनि अछि । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकममल दाहाल ‘प्रचण्ड’सँग आइ भिन्सर बालुवाटारमे भेल भेटमे प्रधानमन्त्री खनाल एहन प्रस्ताव रखलनि अछि ।
एमाले अध्यक्ष समेत रहल प्रधानमन्त्री खनाल पार्टी भितरके दवाव सहय नै सकलाबाद एहन प्रस्ताव केने स्रोतको दावी अछि । सात बुँदे सहमति कार्यान्वयन नै करय आ सुरक्षा सहितक प्रभावशाली मन्त्रालय माओवादीके नै देबय खनालके एमालेक ओली-नेपाल पक्ष तीव्र दवाव दैँत आएल अछि ।
करिब पैंतालिस मिनेट लम्बा भेटमे हुनकासबबीच सहमतिमे सरकारके जल्दीस पूर्णता देबयके बिषयमे बातचित भेल प्रधानमन्त्रीक प्रेस सहयोगी सूर्य थापा जानकारी देलनि ।
भेटमे दुनु दलक अध्यक्ष कौल्हुका स्थायी समिति बैसारके निर्णयबारे एक दोसरके जानकारी करौने थापा जानकारी देलनि ।
भेटके बाद माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड पत्रकारसबके बिना कोनो प्रतिक्रिया देने बहराएल छलथि । मन्त्रालय बाँटफाँटमे सहमति जुटाबय एमाले काल्हि खनाल सहितक वार्ता टोली गठन केलाबाद माओवादी रुष्ट भेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन