Friday, February 18, 2011

माओवादीक शीर्ष नेतासब सिमरा प्रस्थान

६ फागुन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ कार्यकर्तासबके प्रशिक्षण देबय आइ बाराके सिमरा प्रस्थान कएलनि अछि । देशव्यापी कार्यकर्ता प्रशिक्षणके सिलसिलामे अवध राज्य समितिक कार्यकर्ताहरुलाई प्रशिक्षण देबय ओ सिमरा पहुँचल छथि ।
अध्यक्ष प्रचण्डसँगै बरिष्ठ उपाध्यक्ष मोहन वैद्य किरण आ डा. बाबुराम भट्टराई सेहो सिमरा गेल छथि । ओहिठाम माओवादी कार्यकर्तासबके ओसब समसामयीक राजनीतिक परिस्थिति आ पार्टीके आगामी कार्ययोजना सहित प्रशिक्षण देताह ।
मधेसमे अपन पकड कमजोर रहल निष्कर्ष निकाल्ने माओवादी मधेसमे संगठन सुदृढिकरण अभियानमे जुटल अछि ।
अहिस आगु माओवादी काठमाडौंमे नेवाः आ ताम्सालिङ तथा पोखरामे तमुवान आ मगराँतके संयुक्त प्रशिक्षण कार्यक्रम सम्पन्न क चुकल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन