Friday, February 18, 2011

बस आ ट्रक ठोकराएलास ७ गोटे घाईल

६ फागुन, परासी । नबलपरासीके गैंडाकोटमे आइ भिन्सर बस आ ट्रक एक दोसरमे ठोकराएलास ७ गोटे घाईल भेल अछि । काठमाडौंस भैरहवाके लेल जारहल लु १ ख ५९६० नम्बरक यात्रुबाहक रात्री बस बाटमे रोकिकऽ राखल ज १ घ ११६ नम्बरक ट्रकसँग ठोकराएलास बसके चालकसहित सात गोटे घाईल भेल अछि ।
घाईलसबहक चितवनके भरतपुर मेडिकल कलेजमे इलाज भरहल ईलाका प्रहरी कार्यालय गैंडाकोट जनोलक अछि ।
बाटमे धुनि लगलास चालक आगु रोकिकऽ रखने ट्रक देखयमे नै एलाके बाद दुर्घटना भेल पुलिसक अनुमान अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन