Friday, February 18, 2011

७ बुँदे सहमतिमे शंका करय नै परत : अधिकारी

६ फागुन, दाङ । उपप्रधानमन्त्री भरतमोहन अधिकारी सात बुँदे सहमतिके विषयमे शंका नै करय सबस आग्रह कएलनि अछि । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष आ नेकपा एमालेक अध्यक्ष सहमतिके पुनरव्र्याख्या क चुकलास ओइमे विवाद करैत रहनाई उचित नै हाएत हुनक कहब छलनि ।
प्रेस चौतारी दाङ आइ घोराहीमे आयोजना केने पत्रकार भेटघाटमे ओ संयुक्त रुपमे निकाल्ने वक्तव्यस आशंकासबके मेटा देलास सहमतिके दृढतापूर्वक कार्यान्वयन होबयमे जोड देलनि ।
अर्थमन्त्री समेत रहल अधिकारी जनअपेक्षा बमोजिम तोकल समयावधि भितर शान्ति प्रक्रिया आ संविधान लेखन कार्यके निष्कर्षमे पहुँचाब राष्ट्रिय सहमति आवश्यक रहल धारणा रखलनि ।
वर्तमान सरकारके राष्ट्रिय सहमतिके स्वरुप प्रदान करय अपनेसब प्रयास जारी रखने बतबैत ओ दलसब एक दोसरमे त्रुटि खोजयस साझा मिलन बिन्दुके खोजी करयमे जोड देलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन