Monday, October 24, 2011

सभापतिके जेनातेना नहि बाजय देउवाक चेतावनी


७ कात्तिक, काठमाडौँ । नेपाली कांग्रेसक वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पार्टी भितरके आन्तरिक विवादबारे जेनातेना नहि बाजय सभापति सुशील कोइरालाके चेतावनी देलनि अछि ।

नेपाल विद्यार्थी संघ गणेशमान सिंह बहुमुखी क्याम्पस इकाइ समिति आई राजधानीमे केने चायपान कार्यक्रममे बजैत देउवा विवाद मिलाबयके अछि त सभापतिके विवादित विषयमे सार्वजनिक अभिव्यक्ति देनाइ छोड्य परत बतौलनि । अहिसँ आगु  आइ तनहुँके दमौलीमे आयोजित एक कार्यक्रममे सभापति कोइराला देउवा पार्टी पद्धती नाघि कऽ अराजक गतिविधि कऽ रहल आरोप लगबैत गुटबन्दीके राजनीति करयबलाके बहिस्कार करय कार्यकर्ताके निर्देशन देने छलथि । सभापतिए पार्टी पद्धतीके उल्लङघन केलासँ ओइके सच्याबय सेहो हुनकेसँ सुरु करयके माँग कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन