Monday, October 24, 2011

बिपा सम्झौताके विरोध केनाइ झुठेके राष्ट्रवादः भण्डारी


७ कार्तिक, काठमाडौं । मधेसी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिकके वरिष्ठ नेता शरदसिंह भण्डारी नेपाल  आ भारतबीच भेल लगानी प्रवर्द्धन तथा संरक्षण सम्झौता बिपा राष्ट्रिय हितमे भेल बतौलनि अछि ।

आइ विज्ञप्ती जारी करैत सिंह सम्झौता दुनु देशक आर्थिक उन्नतिके आधारशिला रहल कहैत अहिसँ  देशके आर्थिक उन्नतिदिस अग्रसर कराओत बतौलनि अछि । किछ तत्व देशके उन्नति प्रगति नहि चाहने कहैत ओ बिपा सम्झौताके विरोध कऽ क झुठेके राष्ट्रवादी रहल प्रमाणित केने बतौलनि ।

सम्झौताके विरोध करयबलासब राष्ट्रघाती रहल आ ओसब देशके आर्थिक प्रगति नहि चाहने कहैत ओ कहलनि एहन मानसिकतासँ नेपालके आर्थिक उन्नति करयके नीतिके सयौ वर्ष पाछु धकेल्ने अछि ।

फोरम लोकतान्त्रिकके नेता भण्डारी बिपा सम्झौतासँ देशमे लगानी बढ्यके, विद्यमान बेरोजगारी समस्या समाधान होबयके आ देश आर्थिक उन्नतिके नयाँ युगमे प्रवेश करत  समेत विज्ञप्तीमे उल्लेख कएने छथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन