Monday, October 24, 2011

रअके निर्देशनमे काम केने पुष्टि कऽ क देखाबय प्रचण्डक चुनौती


७ कात्तिक, वीरगञ्ज । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड अपने भारतीय गुप्तर संस्था रअके प्रतिनिधिसँ भेट केने आ हुनक निर्देशनमे काम केने कहि महासचिव रामबहादुर थापा वादलक आरोपप्रति आपत्ति जनौलनि अछि ।

पार्टी कार्यक्रममे सहभागी होबय आबयके क्रममे आई भिन्सर बाराके सिमरा विमानस्थलमे सञ्चारकर्मीसँग संक्षिप्त बातचित करैत प्रचण्ड ओ आरोप प्रमाणित कऽ क देखाबय चुनौती देलनि । चितवनके भरतपुरमे अध्यक्ष मोहन वैद्य समूहक कार्यकर्ताके गोप्य जमघटमे वादल काल्हि सिलुगुढीमे रअके आदमीसँ भेट कऽ घुरलाबाद प्रचण्ड पाँचहजार लडाकु समायोजनके बात केने आरोप लगौने छलथि । प्रचण्ड अपने रअके निर्देशनमे काम केने नहि केने निष्कर्ष निकालयके अधिकार नेपाली जनतामे मात्र रहल टिप्पणी कएलनि ।

सञ्चारकर्मीके एक जिज्ञासाके जवाफमे ओ भारतसँग भेल बिपा सम्झौताबारे काल्हि पार्टीके स्थायी समितिक बैसार बजा कऽ विस्तृत जानकारी लेब आ ओकरबाद आधिकारिक धारणा बाहर लाएब बतौलनि । पार्टीभितरके असन्तुष्टिके स्वाभाविक रहल कहैत प्रचण्ड हाल जारी विवादसँ पार्टी कोनो हालतमे नहि फुटत जिकिर कएलनि ।

ओ नेपाल सम्बत, दियाबाती, छठि आ बकरइदके अवसरमे माओवादी भोजपुरा राज्य समिति आयोजना केने सार्वजनिक चायपान समारोहमे सहभागी होबय वीरगञ्ज पहुँचल छथि । प्रचण्डसँगै सचिव सिपी गजुरेल आ स्थायी कमिटी सदस्य एवम् मधेस व्यरो इन्चार्ज गिरिराजमणि पोखरेल सेहो वीरगञ्ज पहुँचल छथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन