Monday, October 24, 2011

नेपाल प्रधानमन्त्रीके जुवा खेलय लेल भारत नहि पठौनेः बिजुक्छे


भक्तपुर, कार्तिक ७ । नेपाल मजदुर किसान पार्टीक अध्यक्ष नारायणमान बिजुक्छे बिपा सम्झौता करा कऽ भारत अखनधरि बाबुराम भट्टराईके भरण पोषण कऽ क ब्याज असुल केने आरोप लगौलनि अछि ।

आई बिजुक्छे निवासमे सञ्चारकर्मीसंग बातचित करैत ओ माओवादीक पार्टीमे भारतीय लगानी रहल आरोप लगौलनि । बिपा सम्झौतासँ नेपालमे भारतीय औपनिबेशिक सुरु भेल उल्लेख करैत इ सम्झौतासँ नेपालमे भारतीय तानाशाही बढल उल्लेख कएलनि । 'माओवादी भारतके कहियो प्रधानशत्रु मानैत अछि तऽ कहियो प्रधान मित्र मानैत अछि । अहिसँ ओकर द्वयध चरित्र रहल पता चलैत अछि ओ कहलनि । 

नेपाल प्रधानमन्त्रीके जुवा खेलय लेल भारत नहि पठौने उल्लेख करैत अध्यक्ष बिजुक्छे बिपा सम्झौता केनाइ नेपालक हित विपरीत रहल बतौलनि । प्रधानमन्त्रीके कारी झण्डा देखनाइ वैद्य पक्षक नाटक मात्रे रहल बिजुक्छेके आरोप छलनि ।

बिरोध करयके छैक तऽ वैद्य पक्षके संसदेमे प्रधानमन्त्रीके राजीनामा माँगय चुनौती देलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन