Sunday, October 25, 2009

छठी पावनी आई सम्पन्न


कातिक ८ । मिथिलाँचलक पमुख पावनि छठि काल्हि साँझ अस्ताइत सूर्यके अर्घ देल गेल छल त आइ भिन्सर उगैत सुर्यके अर्घ दऽ सम्पन्न भेल अछि । अहिक संग ४ दिनमा छठि पावनि आइ सम्पन्न भेल अछि ।

छठिक अवसरमे जनकपुरक गंगासागर, धनुषसागर, अंरगजा सर, गोरधोई पोखरि, दूधमती नदी आ जलाद नदी सहितक नदी तथा पवित्र कुण्डसबमे लाखौं श्रद्धालुसब छठि माताके पूजा अराधना केलनि । छठिमे घाटसबके दुलहीन जका सजाओलगेल छल । आइ भिन्सर पुजा समाप्तिके बाद लोकसब घर घरमे ठकुवा , भुसवा, केरासब पसादक रुपमे गहण केलनि अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन