Sunday, September 25, 2011

'शान्ति प्रक्रिया पुरा करय भारतके सेहो सहयोग करय परतः दाहाल


काठमाडौं, आश्विन ८ । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल शान्ति प्रक्रिया पुरा करय भारतके  फेउर एकबेर सकारात्मक भूमिका खेलय परत बतौलनि अछि ।

नेपाल भारत मानव विकास एवं मैत्री संघ मुस्ताङ-काठमाडौं सम्पर्क समिति आइ राजधानीमे  आयोजना केने कार्यक्रममे दाहाल इ बतौलनि अछि । '१२ बुँदे समझदारी करय भारत जेहन भूमिका निभौने छल,'  'शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबय फेउर एकबेर सकारात्मक भूमिका निभाबय परत दाहालक कहब छलनि ।'

शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबय माओवादी नरम होइतो कांग्रेस आ एमाले मुश्किल बढारहल दाहाल बतौलनि । कांग्रेस-एमालेके सहमतिमे लाबय १२ बुँदे समझदारी जका दोसर सहमति होबय परत हुनक कहब छलनि ।

दाहाल शान्ति प्रक्रिया पूरा करय अपने लागि परल बतबैत दलसब नहि मानत तैयो अपने असगरे पूरा करय तयार रहल बतौलनि ।

मधेसी जनअधिकार फोरम नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव शान्ति प्रक्रिया पूरा नहि हाएत तऽ दोष माओवादीके हाएत बतौलनि । 'सरकार माओवादीएके, लडाकु सेहो माओवादीएके, शान्ति सम्झौतामे हस्ताक्षर करयबला दु  मे सँ एक प्रचण्डे भेला सँ अहिमे विलम्ब हाएत तऽ  दोष माओवादीके जाएत यादव बतौलनि ।'

भारतीय राजदूत जयन्तप्रसाद नयाँ नेपाल निर्माणमे भारतीय साथ सहयोग जारी रहत बतौलनि ।

बुद्ध एयरके विमान दुर्घटना, १९ गोटेके मृत्यु


८ आसिन, काडमाण्डौँ । माउन्टेन फ्लाइटसँ घुरि रहल बुद्ध एयरके बीचक्राफ्ट विमान ललितपुरके विशंखुनारायण आ लामाटार गाविसके बीचमे परयबला कोटडाँडामे  आइ भिन्सर पौने ८ बजे दुर्घटनाग्रस्त भेलाबाद १९ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

बुद्ध एयरके नाइन एन-एइके कलसाइनके १९०० डी विमान खराब मौसमके कारण दुर्घटना भेल अछि । दुर्घटनामे परि विमानमे सवार पुरे १९ गोटेके मुत्यु भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय ललितपुरक प्रमुख एसपी भोगबहादुर थापा जानकारी देलनि । मृत्यु होबयबलामे चालक दलके तीन सहित ६ गोटे नेपाली, 2 गोटे अमेरिकी नागरिक, 1 गोटे जापानी नागरिक आ १० गोटे भारतीय नागरिक रहल अछि ।  भारतिय नागरिकसब तामिलनाडु राज्यके रहल बताओल गेल अछि ।

दुर्घटनामे परि मृत्यु होबयबला नेपालीसबमे चालक दलक सदस्यसब क्याप्टेन जेबी ताम्राकार, को-पाइलट पद्मा अधिकारी, एयर होस्टेस अस्मिता श्रेष्ठ, यात्रुसब शारदा कर्माचार्य, जंगजन कर्माचार्य आ निराजन कर्माचार्य रहल बुद्ध एयर जनौलक अछि । सबके घटनास्थलेमे आ निराजनके इलाजक लेल लऽ जाति काल बाटेमे मृत्यु भेल अछि ।


स्थानीय प्रत्यक्षदर्शी कुमार श्रेष्ठक अनुसार पैघ आवाजके सँग विमान जमिनमे खसल आ खसयसँ आगुए विमानमे आकाशेमे आगि लागल छल । घटना होइते स्थानीय आ पुलिसक टोली घटनास्थल पहुँच कऽ उद्धार केने छल । शवसबके नेपाली सेनाक हेलीकोप्टरमार्फत अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल पहुँचाओल गेल छल ।

धुनि लगलाक कारण मौसम खराब भऽ पहाडमे ठोकरा कऽ विमान दुर्घटना भेल आ आगि लागल होबय सकयके अनुमान कएल गेल अछि । नागरिक उड्डयन प्राधिकरण अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल कार्यालयके अनुसार भिन्सर ६ बाजि कऽ ४९ मिनेटमे उडल ओ विमान अन्तिम बेर सात बाजि कऽ ३१ मिनेटमे नियन्त्रण कक्षक सम्पर्कमे आएल छल । सम्पर्कविहीन भेल करिब २० मिनेटक बाद विमान दुर्घटना भेल अनुमान कएल गेल अछि । अहिस आगु चालक दलक सदस्य विमानमे खराबी आएल सूचना कन्ट्रोल रुमके करौलाबाद रन वे-२ मे आपतकालीन अवतरणके लेल अनुमति दऽ देलाक बादो विमान दुर्घटना भेल बताओल गेल अछि । उड्डयन प्राधिकरणके अनुसार अन्तिम बेर सम्पर्क भेल विमानस्थल आ दुर्घटनाग्रस्त विमान बीचक दुरी मात्रे दु मिनेटक रहल छल ।

सुरक्षित विमान सेवाके रुपमे लेल जाएबला बुद्ध एयरक विमान दुर्घटना भेल इ पहिल बेर अछि । घटनाकबाद बुद्ध एयर सूचना जारी कऽ आजुक पूर्वनिर्धारित सब उडान रद्ध केने जनौलक अछि ।

अहिबीच सरकार बुद्ध एयरके विमान दुर्घटनाबारे छानविन करय नागरिक उड्डयन प्राधिकरणके पूर्वमहानिरीक्षक राजेशकुमार दलीके संयोजकत्वमे तीन सदस्यीय टोली गठन केलक अछि । टोलीके एक सप्ताहभितर दुर्घटनाक बिषयमे अध्ययन कऽ विस्तृत विवरण बुझाबय कहलगेल अछि ।

सखुवाके काठ पक्राउ


जलेश्वर, आसिन ८  महोत्तरीके माइस्थानसँ अवैध रुपमे लऽ जा रहल टायरगाडी सहित सखुवाके काठ सशस्त्र पुलिस अपन नियन्त्रणमे लेलक अछि । 
      सागरनाथ बन विकास परियोजनाके जंगलसँ अवैधरुपमे लऽ जारहल तिन टायरगाडीमे लोड कएलगेल सखुवाके काठ सशस्त्र पुलिसक गस्ती टोली अपन नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
      सशस्त्र प्रहरी छिन्नमस्ता गण बर्दिवासक सशस्त्र प्रहरी नायव निरिक्षक कृष्ण वस्नेतके कमाण्डमे गेल गस्ती टोली तिन टायरगाडीमे लऽ जारहल १ सय क्युफिट सखुवाके काठ बरामद केने सशस्त्र प्रहरी सिमा सुरक्षा बल महोत्तरीक प्रहरी उपरिक्षक जनकबहादुर बोहरा जानकारी देलनि ।
      करिब ३ लाख मोल बराबरके ओ काठ सहित ३ टा टायर आ ६ टा बरद आवश्यक कारवाहीके लेल माइस्थान रेन्जपोस्टमे  बुझाओल गेल अछि ।

रेजिना


बम रहल आशंकामे विमानके उडान रद्ध


आसिन, काठमाण्डौँ । बुद्ध एयरक विमान दुर्घटनाम पर किछ घण्टा नहि बितैत अन्र्तराष्ट्रिय विमानस्थलसँ यात्रु ल भारतक नयाँ दिल्लीके लेल प्रस्थान करय लागल दोसर टा विमानम शंकास्पद सामान भेटल अछि

अन्र्तराष्ट्रिय विमानस्थलसँ यात्रु लऽ भारतक नयाँ दिल्लीके लेल प्रस्थान करय लागल दोसर एकटा विमानम शंकास्पद सामान भेटल ि । स्पाइस एयरक जेट विमानम शंकास्पद सामान भेटलाकबाद बम रहल आशंकाम उडान रद्ध कएलगेल अछि । विमानम चढ सब यात्रुके उतारल गेल अछि । घटनास्थलम सेनाक बम डिस्पोजल टोली पहुँचल अछि तऽ सेना बिमानके चारु कातसँ घेर कऽ अपन नियन्त्रणमे लेने अछि । भेटशंकास्पद सामान बम अछि कि नहि बिषयमे जाँच भऽ रहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन