Monday, February 21, 2011

नेतासबके गाउँ-गाँउस खिहारयके चेतावनी

९ फागुन, काठमाडौं । चुरेभावर राष्ट्रिय एकता पार्टी जेठ १४ गते भितरमे नयाँ संविधान नै बनत त नेतासबके गाउँ-गाँउस खिहारयके चेतावनी देलक अछि । थपल समय भितर संविधान निर्माण करयके बदला संविधानसभाके म्याद थपयके षडयन्त्र भरहल कहैत ओ एहन चेतावनी देलक अछि ।
आइ राजधानीमे पत्रकार सम्मेलन कक चुरेभावर जेठ १४ गते संविधान जारी नै हाएत त १५ गतेस राजधानीमे अपन २५ हजार शान्ति सेनाके उतारिकऽ आन्दोलन करब बतोलक अछि । संविधानसभाके म्याद फेउर थप काएल जाएत त देश गृहयूद्धमे जाएत कहैत चुरे भावर जेठ १४ मे संविधान बनय नै सकत त तत्काल ताजा जनादेशमे जाएके माँग सेहो केने अछि ।
पत्रकार सम्मेलनमे पार्टीक अध्यक्ष हिमालयन भक्त प्रधानाङ्ग पार्टी कारवाही केने सभासद केशव मैनालीके सभामुख सुवास नेम्वाङ्ग नै हटोलास असन्तुष्टि जनोलनि । तत्काल कारवाही नै हाएत त सिंहदरवार घेराउ करबाक चेतावनी दैत ओ कहलनि जे-’आब हमसब चुप लागिक नै बैसब । प्रतिकारमे उतरब ।’
पार्टीक वरिष्ठ उपाध्यक्ष एवम् शान्ति सेनाक कमाण्डर बाबु थापा संविधान नै बनाबयबला नेतासबके जेठ १५ गतेबाद गाउँ-गाँउस खिहारयके चेतावनी देलनि ।

पौडेल कहलनि - ‘सातबुँदे खारेज या खनालके राजिनामा देबय परत’

९ फागुन, काठमाडौं । नेपाली कांग्रेस संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल दलसबबीच सहमतिके लेल माओवादी आ एमालेबीच भेल सातबुँदे सहमति खारेज या प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालक राजिनामाके विकल्प आगु रखलनि अछि ।
सिंहदरवारस्थित कांग्रेस संसदीय दलक कार्यालयमे आइ सञ्चारकर्मीसबसँग बातचित करैत पौडेल एखुनक अवस्थामे दलसबबीच सहमति होबय नै सकत बतोलनि ।
एमाले-माओवादीबीच भेल सहमतिस देशमे फेर अधिनायकवादी घुराबय सकत कहैत ओ ओइके स्वीकारल नै जा सकैय बतोलनि ।
नेता पौडेल एखुनक अवस्थामे कांग्रेस कोनो हालतमे सरकारमे सहभागी नै हाएत प्रष्ट केलथि । शान्ति आ संविधान निर्माण प्रक्रियामे कांग्रेस सहयोगी भुमिका खेलत कहैत ओ कांग्रेस लोकतान्त्रिक संविधानक पक्षमे रहल बताओलनि ।
कांग्रेस लोकतान्त्रिक धुवि्रकरणके पक्षमे रहल कहैत कांग्रेस संसदीय दलक नेता पौडेल प्रजातन्त्रके पक्षमे कांग्रेस आन्दोलन करत जानकारी देलनि ।

मोटरसाईकल दुर्घटना एकको मृत्यु

९ फागुन, पोखरा । पोखरामे आइ भेल मोटरसाईकल दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि । पोखरा- १ हरी चोकमे लु १० प ७१९ नम्बरक मोटरसाईकल बिजुलीके पोलमे ठोकराएलास चुवा- ५ पर्बत के २३ बर्षक प्रकाश क्षेत्रीके मृत्यु भेल अछि ।
दुर्घटनामे घाईल भेल क्षेत्रीके पश्चिमाञ्चल क्षेत्रिय अस्पतालमे इलाजक क्रममे मृत्यु भेल पुलिस जनोलक अछि । दुर्घटनामे घाइल भेल सुजन केसी इलाजक बाद घर घुरल अछि ।

नेपाल समुह ‘बी’के विजेता

९ फागुन, काठमाडौं । नेपाल, कुवेतमे जारी एसीसी महिला टि-ट्वान्टी क्रिकेटके समुह ‘बी’के विजेता बनय सफल भेल अछि । अहिस आगुए सेमिफाइलनमे प्रवेश केने नेपाल आइ भेल समुह चरणके अपन चारिम खेलमे मलेसियाके ९ विकेटस पराजित केलक अछि ।
जितसँगै ४ खेलस आठ अंक जोडने नेपाल समुह विजेता बनल अछि । खेलमे मलेसिया प्रस्तुत केने ६९ रनक लक्ष्य नेपाल १४ ओभरमे १ विकेटक क्षतिमे पुरा केने छल । अहिस आगु हावरा क्रिकेट मैदानमे टस जित कऽ व्याटिङ केने मलेसिया निर्धारित २० ओभरमे ७ विकेटक क्षतिमे ६८ रन बनौने छल ।
मलेसियाके सस्तैमे समटयके क्रममे प्लेयर अफ दि म्याच रुविना क्षेत्री ३ तथा करुणा भण्डारी २ विकेट लेने छलिह । नेपाल पहिल खेलमे थाइल्याण्डके २१ रनस पराजित केने छल त दोसर खेलमे युएई उपर ८ विकेटस जितल छल । अहिना, तेसर खेलमे कुवेतके ४७ रनस पराजित केने छल ।

पार्टीबीचक झगडास देश संकटमे: रायमाझी

अर्घाखाँची, फागुन ९ - माओवादी स्थायी समिति सदस्य टोप बहादुर रायमाझी पार्टीबीचके आपसी झगडास देश गम्भिर संकटमे फँसय सकयके खतरा रहल बतोलनि अछि । अर्घाखाँचीके १७ हम् जिल्ला परिषदक उद्‌घाटन करैत ओ संविधान निर्माणस बेसी अपने पार्टीबीच समुहक राजनीतिमे बेसी सक्रिय रहल बतौलनि ।
ओ राष्ट्रियके समस्या समाधान, शान्ती आ संविधान निर्माणस बेसी के फाईदा लेत बिषयमे केन्द्रित भेलास झन्झट बढल बतौलनि ।
ओ सात बुँढे सम्झौता अनुसार एमाले कार्यन्यन नै केलास सरकार गठनमे अबेर भेल उल्लेख करैत झन्झट करत त माओवादी सरकारमे सामेल नै हाएत ओ बतौलन्हि ।
काँग्रेस केन्द्रीय सदस्य तथा सभाषद् पुष्पा भुसाल माओवादी आ एमालेके अदृश्य सम्झौता देशके लेल घातक भेल आरोप लगबैत सब दल एके ठाममे बसिकऽ सहकार्य नै करयधरि संविधान निर्माण होबय नै सकत बतौलिह ।
ओ सात बुँढे सम्झौता दु पार्टीके मुद्दा भेलास सम्झौता कोनो हालतमे सेहो काग्रेस मानय तयार नै भेल बतबैत अहिस देश खोज्ने सहमतीके माओवादी आ एमाले भंग कक शान्ति आ संविधानोस दु दलके सत्ता कब्जा करयके रणनीति भेलास काग्रेस प्रतिपक्षमे बसिकऽ जनताके आवाज उठाओत बतौलिह ।

माओवादी आ एमालेबीचक सहमति खतरनाक

९ फागुन, जनकपुर । नेपाल सदभावना पार्टीक कार्यबाहक अध्यक्ष विकास तिवारी कहलन्हि अछि जे, माओवादी आ एमालेबीचक सात सुत्रीय सहमति लोकतनत्र आ मधेश दुनुकेलेल खतरनाक अछि।
जनकपुरमे आई पत्रकारसभसँ बातचित करैत माओवादी आ एमालेबीचक सहमति देशके सर्वसत्तावाद तर्फ लऽ जएबाक षडयन्त्र रहल तिवारी उल्लेख कएलन्हि।सात सुत्रीय सहमतिमे संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्रक स्थान पर मात्र संघीय गणतन्त्र उल्लेख करब दुनु दलक पैग षडयन्त्र रहल तिवारी दावा कएलन्हि अछि। एकटा दोसर प्रसङमे मधेशवादी दल सत्तावादी नीतिके कारण कमजोर भऽ रहल अछि हुनकर कहब छलन्हि।
मधेशके अधिकार सम्पन्न नइ होबए धरि मधेशवादी दलके सत्तामे नइ जएबाक वचन लेबक आवश्यक्ता छैक तिवारी बतओलन्हि।मधेशक मुक्तिलेल मधेशवादी दलबीच वैचारिक एकता पर ओ जोड देलन्हि अछि।

मातृभाषाक समृद्धिलेल एकटा आओर आन्दोलनक आवश्यकता पर जोड

९ फागुन, जनकपुर । मातृभाषाक समृद्धिलेल एकटा आओर आन्दोलनक आवश्यकता पर जनकपुरक विद्धत वर्ग जोड देलन्हि अछि।
अन्तराष्ट्रीय मातृ भाषा दिवसके अवसर पर जनकपुरमे आई आयोजित मैथिली मातृ भाषा आ भावि संविधान विषयक विचार गोष्ठीमे बजैत वक्तासभ ई बात बतओलन्हि अछि।
भुमिजा मानव अधिकार संघक अगुवाईमे आयोजित कार्यक्रममे भाषाके सुरक्षित करब राज्यक दायित्व छैक हुनकासभक कहब छलन्हि।
मैथिली भाषाके विकासलेल एकरा रोजगारीक भाषाके रुपमे विकास करबा पर वक्तासभ जोड देलन्हि अछि।
भाषा कोनो जाति विशेषके नइ होइत अछि उल्लेख करैत एक दोसरसँ मिल कऽ मैथिली भाषाके संरक्षण करबालेल ओ सभ आग्रह कएलन्हि अछि।
अपन पहिचान आ अस्तित्वकेलेल भाषा महत्वपूर्ण होइत अछि उल्लेख करैत मातृ भाषामे पाठ्य पूस्तकके निर्माण पर ओ सभ जोड देलन्हि अछि।
कार्यक्रममे एकिकृत नेकपा माओवादीक धनुषा जिला ईंचार्ज रोशन जनकपुरी,वरिष्ट पत्रकार राजेश्वर नेपाली,प्राज्ञ रमेश रंजन झा,जनकपुर वृहत्तर क्षेत्र विकास परिषदके अध्यक्ष दिगम्बर राय,पत्रकार रामभरत साह,नेकपा माओवादीक नेता फरमुद नदाफ,सभासद रामसरोज यादव,कृष्णा ठाकुर सहितक व्यक्तिसभ अपन अपन धारणा रखने छलथि।
२१ फरवरी कऽ संयुक्त राष्ट्र संघद्धरा घोषित अंतराष्ट्रीय भाषा दिवसके अवसर पर भुमिजा मानव अधिकार संघक आयोजनमे प्रत्येक वर्ष बिभिन्न कार्यक्रमके आयोजन कऽ मैथिली मातृ भाषा दिवस मनाओल जाति अछि।
मैथिली भाषाक समृद्धी, विकास एवम संरक्षणके उद्देश्यसँ मैथिली मातृ भाषा दिवस मनाओल जा रहल आयोजन समतिक संयोजक एवम भुमिजा मानव अधिकार संघक अध्यक्ष प्राध्यापक विजय दत्त जानकारी देलन्हि अछि।

अपने दलक नेतासब सरकार असफल करयके दुष्प्रयासमे - उपाध्यक्ष गौतम

काठमाडौ, फाल्गुन ९ - एमाले उपाध्यक्ष वामदेव गौतम दलक किछ नेतासब अध्यक्ष झलनाथ खनाल नेतृत्वके सरकार असफल करय लागि परल आरोप लगोलनि अछि । शान्ति आ संविधानक लेल माओवादी अध्यक्ष दाहालसँग भेल सात बुँदे गोप्य सहमतिके उल्टा व्याख्या क अपने दलक किछ नेतासब सरकार असफल बनाबयके दुष्प्रयास करहल दावा केलनि अछि ।
आइ सँचारकर्मीसबसँग बातचित करैत उपाध्यक्ष गौतम अन्तिम समयमे अध्यक्षसबबीच सहमति भेलास पार्टीमे बिमर्श करय नहि पौअने स्पष्ट केलनि । अध्यक्ष समेत रहल प्रधानमन्त्री खनाल दु बेरधरि सहमतिबारे स्पष्ट करितो नेतासब मानय तयार नै होनाइ दुखद भेल उल्लेख केलनि । काल्हि बैसय लागल केन्द्रीय कमिटि बैसारस सात बुँदे सहमति , गृह मन्त्रालय, मन्त्रीपरिषद विस्तार सहितक विषयमे पार्टी भितर भेल विवाद अन्त्य करयके दावी करैत ओ सहमति उपरके विवाद औचित्यहिन भेल टिप्पणी केलथि ।
प्रधानमन्त्रीके कार्य सम्पादनके लेल अर्थ, गृह, रक्षा मन्त्रालय सहितक महत्वपूर्ण मन्त्रालय अपन दलके भेटबाक चाही माँग जायज होइतो माओवादीके गृह देबाक नै चाही अडानमे एमाले नै रहल उपाध्यक्ष गौतम स्पष्ट केलनि ।

अजमल क़साबके मृत्युके सज़ाय कायमे

९ फागुन, मुंबई । महाराष्ट्रके बॉम्बे हाईकोर्ट मुंबईमें 26 नवंबरके हमलाके दोषी अजमल क़साबके मृत्युके सज़ायके पुष्टि केलक अछि । अहिस पहिने निचला अदालत क़साबके इ सज़ाय सुनौने छल ।
अहिके सँग हाई कोर्ट फ़हीम अंसारी आ सबा हुसैन शेख़के रिहा करयके निचला अदालतके फ़ैसलाके सही बतबैत अहिके कायमे रखलक अछि ।
अदालत अपन आदेश में कहने छैक जे क़साब आ अबू इस्माइल जाहि तरहस निर्दोष लोगके जान लेंलक ओ 'रेयरेस्ट ऑफ़ दी रेयर' के श्रेणीमें अबैत अछि आ ओइमे दयाके कोनो गुंजाइश नहिं अछि ।
कोर्ट क़साब आ अबू इस्माइलके पुलिस अधिकारी करकरे, सलास्कर आ कामटेके हत्याके ज़िम्मेदार मानलक अछि ।
अदालत कहलक अछि जे अहि हमलामें मासूम बच्चा आ महिलाके सेहो मृत्यु भेल छल आ हमलावर अत्यधिक क्रूरताके सुबूत देने छल. । अदालतके कहब छल जे 66 हत्याके दोषी क़साबके अपन अहि गल्ती पर नै अफ़सोस भेल आ नैहे पश्चातापके कोनो आभास भेल ।

पुलिस पत्रकारके लात मारलक

९ फागुन, काठमाडौं । ट्याङ्करके ठक्करस विद्यार्थी घाइल भेल समाचार संकलन करय काठमाडौंके चाबहिल पशुपति क्याम्पस पहुँचल सन्चारकर्मीउपर पुलिस दुव्र्यवहार केलक अछि ।
समाचार संकलनके लेल चाबहिल मित्रनगर पहुँचल टेलिभिजन आ छापा सन्चार माध्यमके पत्रकारसबके पुलिससब अन्धाधुन्ध लाठी प्रहार केने छल त कतेकौ पुलिससब लाते लात मारने पत्रकारसब जानकारी देलक अछि ।
पुलिस न्युज ट्वान्टीफोर टेलिभिजनके क्यामराम्यान नवराज श्रेष्ठ आ रिपोर्टर देवकी विष्ट, एभिन्युजके विजय रेग्मी, कान्तिपुरके फोटो पत्रकार निरन्जन श्रेष्ठ, गोर्खापत्रके विकास द्वारे, समाचारपत्रके सन्जोग मानन्धर आ राजधानीके द्वारीका काफ्लेसँग पुलिस दुव्र्यवहार केलक अछि । परिचय पत्र देखबैतो पुलिस दुव्र्यवहार केने हुनकासबहक उपराग अछि ।
ट्याङ्करके ठक्करस पशुपति क्याम्पसके विद्यार्थी घाइल भेलाबाद प्रदर्शनमे उतरल विद्यार्थीसबके पुलिस दमन केने छल । वायह समाचार संकलनके लेल पत्रकारसब मित्रनगर पहुँचल छलथि ।

माओवादी-एमाले शीर्ष बिमर्श निष्कर्षविहीन

९ फागुन, काठमाडौं । सात बुँदे सहमतिके विवाद आ मन्त्रिपरिषद विस्तारके विषयमे एकीकृत नेकपा माओवादी आ नेकपा एमालेक शीर्ष नेतासबबिच आइ भिन्सर भेल बिमर्श विना निष्कर्ष सम्पन्न भेल अछि ।
प्रधानमन्त्रीक कार्यालय सिंहदरबारमे भेल बिमर्शके बाद माओवादी महासचिब रामबहादुर थापा ‘बादल’ राजनीतिक गतिरोध अन्त्य करबाक विषयमे बिमर्श भेल जानकारी देलनि ।
अहिना, एमाले नेता केपी शर्मा ओली बिमर्शमे सात बुँदे सहमति परिमार्जन करयके प्रस्ताव अपने रखने जानकारी देलनि । ओ बिमर्शके निरन्तरता देल जाएत जानकारी देलनि ।
भिमर्शमे माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’, महासचिब वादल तथा एमालेक अध्यक्ष समेत रहल प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल आ नेता ओली सहभागी छलथि ।

खुर्पी प्रहार क तीन गोटेके हत्या

९ फागुन, दमौली । तनहुँके दमौलीमे एक गोटे खुर्पी प्रहार क तीन गोटेके हत्या केलक अछि । ब्यास नगरपालिका १० मालपोत लाइनके २३ वर्षक देवेन राना मगर स्थानीय दिलबहादुर सापकोटा, हुनकर कनिया तुलसी आ टीकाराम श्रेष्ठके हत्या केलक अछि । खुर्पी प्रहारस घाइल पार्वती श्रेष्ठके पश्चिमान्चल क्षेत्रीय अस्पताल पोखरामे इलाज भरहल अछि । हत्याके बाद झोलुङ्गे पुलस सेतीमादी नदीमे कुदिकऽ काहुँ शिवपुर गाविस निकलल रानामगरके झापुटारस पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि । हत्याके कारण खुजय नै सकल आ अनुसन्धान भरहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय तनहुँ जनोलक अछि ।

सात बुँदे खारेज नै होबयधरि वार्ता नै हाएत : काङ्ग्रेस

९ फागुन, बाँके । नेपाली काङ्ग्रेस माओवादी आ एमाले बीच भेल सात बुँदे सहमति खारेज नै होबयधरि वार्ता आ बिमर्श नै करयके अडान लेने अछि ।
सात बुँदे सहमति राजनीति धोका भेल ठहर करैत काङ्ग्रेस कोनो बिमर्शमे सहभागी नै होबयके अडान लेने अछि । काङ्ग्रेस सभापति सुशील कोइराला आइ भिन्सर बाँकेके कोहलपुरमे आयोजित कार्यकर्ता भेटघाटमे कहलनि जे, ‘सात बुँदे सहमति राजनीतिक धोका अछि । ओ खारेज नै होबयधरि हमसब बुहपक्षीय वार्तामे नै बैसब ।’एकीकृत नेकपा माओवादी लग घुँटना टेक कऽ काङ्ग्रेस सरकारमे सहभागी नै हाएत ओ दोहरौलन्हि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन