Friday, August 05, 2011

पारस कहलनि-सरकारक नीति ठिक नहि अछि


२० साउन, काठमाडौं । पूर्व युवराज पारस शाह सरकारक नीति ठिक नहि भेलाक कारण देशके अवस्था गन्डमगोल भेल बतौलनि अछि ।

भक्तपुर जिल्ला छालिग गाविस-९ छायाँ बस्तीमे रहल विश्वके एक मात्र पञ्चलक्ष्मी मन्दिरके दर्शन केलाबाद ओ ई बतौलनि अछि । ओ सरकारक नीति ठिक हाएत तखने देशके अवस्था निक हाएत बतौलनि ।

करिब दु घण्टाधरि मन्दिर परिसरमे वितौने पुर्व युवराज पारस मन्दीरमे पुजा अर्चना करयके सँगहि मन्दिरक अवस्थाके बारेमे जानकारी समेत लेने छलथि ।

शान्ति प्रक्रियाके भविश्यप्रति अमेरिकाके चाँखि


२० साउन, काठमाडौं । अमेरिका नेपालके शान्ति प्रक्रियाके भविश्यप्रति चाँखि व्यक्त केलक अछि ।

दलसबबीच पाँचबुँदे भेल सहमति अनुसार शान्ति प्रक्रिया आगु बढय नहि सकिरहल समय अमेरिकी राजदूत स्कट एच डेलिसी आइ प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसँ भेट क शान्ति प्रक्रियाके भविश्यप्रति चाँखि रखलनि अछि ।

सिंहदरवारमे भेल भेटमे राजदूत डेलिसी शान्ति प्रक्रियाके कि हाएत कहि जिज्ञासा रखने प्रधानमन्त्रीक विदेश मामिला सल्लाहकार मिलन तुलाधर जानकारी देलनि । नेपालक पछिला राजनीतिक परिस्थितिबारे बिमर्श भेल अछिओ कहलनि जे-राजदूत शान्ति प्रक्रियाके कि हाएत कहि चाँखि रखने छलथि  

राजदूत डेलिसी शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणमे अबेर  भ रहल समय राजीनामा देबयके प्रधानमन्त्री खनालके घोषणाबारे सेहो चाँखि रखने छलथि ।

जवाफमे प्रधानमन्त्री खनाल माओवादी आ दलसबबीच जारी बिमर्श सकारात्मक रहल कहैत निराश होबयके अवस्था नहि रहल बतौलनि अछि । ओ शान्ति प्रक्रियामे ठोस प्रगति नहि हाएत त अपने २८ गतेभितर राजीनामा देबयके सेहो दोहरौने विदेश मामिला सल्लाहकार तुलाधर जानकारी देलनि ।

राजदूत डेलिसी नेपालक शान्ति प्रक्रियाबारे विदेशमन्त्री हिलारी क्लिन्टनके बि्रफिङ करय काल्हि न्यूयोर्क जाँ रहल अछि ।

सिफारिसमे परल म्यानपावर उपर कारवाही नहि भेल


१९ साउन, काठमाडौं । वैदेशिक रोजगार ऐन विपरीत काम करयबला म्यानपावर कम्पनीसबहक लाम्बा सूची सरकारके सम्बन्धित निकायमे आएल वर्ष दिन बितलाक बादो कोनो म्यानपावर कम्पनीके कारवाही होबय नहि सकल अछि ।

विदेशस्थित नेपाली नियोगसब कतार, इजरायल, कुवेत, मलेसिया, बहराइनसँ सम्झौताअनुसार काम नहि पौने, ठकि क पठौने कारण समस्यामे परल आ असमन्जसमे  परल मजदुरके उजुरीके आधारमे कारोबार रोक्का क आवश्यक कारबाही करय वैदेशिक रोजगार विभाग पत्राचार केने छल । विभागक अनुसार कतारसँ ४७, कुवेतसँ ३, मलेसियासँ २, इजरायलसँ ६ आ बहराइनसँ किछ म्यानपावर कम्पनीके कारबाही करय पत्राचार भेल अछि । मुदा कारवाही सिफारिस कएलगेल म्यानपावरके कारवाही नहि केलासँ ओकरसबहक ठकयके धन्दा जारी अछि त एकटा म्यानपावरके त सरकार उत्कृष्ट रहल कहैत पुरस्कृत समेत केने अछि ।

अजिब छै यौ


ई हमरे छैक ! ...धरौटी देबय परत कहि लयिएक चलल छी । कि हाएत ? कि हाएत ? कि पता ?

माओवादी नेतृत्वक सरकार मान्यः शेखर


२० साउन, काठमाडौँ । नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य डा. शेखर कोइराला अपन पार्टी माओवादी नेतृत्वमे राष्ट्रिय सहमतिके सरकार गठनक लेल सकारात्मक रहल बतौलनि अछि ।

मुदा, ओईके लेल शान्तिप्रक्रियामे केने सहमति आ प्रतिबद्धतासभके पालनामे माओवादीके प्रतिबद्ध भ लागय परत कोइरालाके कहब छलनि । नोना कोइराला स्मृति प्रतिष्ठानके तेसर साधारणसभामे आई बजैत कोइराला माओवादीक व्यवहारसँ शान्तिप्रक्रिया आ संधिवान निर्माणमे कारी ग्रहण लागल आरोप लगौलनि । माओवादीके आन्तरिक झँझटमे फँसलाक कारण सेहो शान्तिप्रक्रिया अपेक्षित गति लेबय नहि सकल कोइरालाके कहब छलनि । पार्टी विवाद समाधान क राष्ट्रिय सहमतिके वातावरण बनाबय अगुवाई करय ओ माओवादीके सुझाव देलनि ।

कोइराला दलसभ गम्भीर नहि हाएत त देश राजनीतिक दुर्घटनाके संघारमे पहुँचल कहैत ओईसँ जोगाबय सबके मिल क आगु बढय परत बतौलनि ।

मुख्य तीन दलक बैसार निष्कर्षहीन


२० साउन, काठमाडौँ । राजनीतिक संकट समाधानक प्रयासमे आइ भिन्सर बैसल मुख्य तीन दलक बैसार बिना कोनो निष्कर्ष सम्पन्न भेल अछि ।

सिंहदरवारस्थित शान्ति मन्त्रालयमे भिन्सर ९ बजेसँ जारी बैसारमे शान्तिप्रक्रिया आ संविधान लेखन तथा पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयन आ राष्ट्रिय सरकार गठनक विषयमे प्याकेजमे सहमति जुटाबयके विषयमे बिमर्श भेल कांग्रेस उपसभापति रामचन्द्र पोडेल बैसारक बाद संवाददातासबके जानकारी देलनि ।

बैसारसँ सेना समायोजनके बारेमे विज्ञसबसँग पराशर्म करयके निर्णय केने पौडेल बतौलनि । आजुक बैसारमे सेहो प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल २८ साउनधरिमे शान्तिप्रक्रियामे कोनो ठोस प्रगति नहि हाएत त राजीनामा देबयके अभिव्यक्ति दोहरऔने बताओलगेल अछि ।  । उपसभापति पौडेले अपनेसब २८ गते प्रधानमन्त्रीके राजीनामा आबयके विश्वस्त रहल बतौलनि अछि। बैसारमे माओवादी, कांग्रेस आ एमालेक शीर्षस्त नेता सहभागी छलथि । बैसारमे काल्हि प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल आगु रखने सहमतिके खाकाके विषयमे बिमर्श होइतो सहमति होबय नहि सकल ।

प्रधानमन्त्री खनाल तीन दल चक्रिय प्रणालीमे ६-६ महिना सरकारक नेतृत्व करयके प्रस्ताव रखलनि अछि । खनालक प्रस्तावमे आगामी अगहन १४ गतेधरि पहिल सरकार नयाँ संविधान जारी करयके, दोसर सरकार राज्य पुनःसंरचना आ लोकतान्त्रिक गणतन्त्रके लेल आवश्यक परयबला कानुन बनाबयके तथा तेसर सरकार ६ सँ ९ महिना भितरमे नयाँ जनादेशके लेल आम चुनाव कराबयके उल्लेख अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन