Sunday, October 09, 2011

माओवादीक कलहसँ शान्ति प्रक्रिया अबरुद्ध


दाङ, आश्विन २२ । एमाले सचिव शंकर पोखरेल माओवादी भितरके विवादसँ शान्ति प्रक्रिया अवरुद्ध भेल  बतौलनि अछि ।

प्रेस चौतारी दाङ आइ दाडके घोराहीमे आयोजना केने पत्रकार सम्मेलनमे बजैत ओ प्रतिपक्षीसब सहयोगी रहितो सत्तारुढ माओवादी भितरे कलह भेलासँ शान्ति आ संबिधानक काम आगु बढय नहि सकल बतौलनि ।

प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराइ जनताके भरोसाके अहंकारमे बदल्ने कारण सफल होबय कठिन भेल आरोप लगौलनि । जनता पैघ भरोसाके साथ बाबुरामके प्रधानमन्त्री बनैबतो ओ वायह अनुसार काम करय नहि सकल बिचार व्यक्त केलनि । कमजोर समिकरणके सरकारमे सहभागी होबय आ माओवादी पार्टीभितरे झगडा बढनाइ भट्टराइ सरकारक असफलताके कारण भेल ओ बतौलनि । आब इ सरकार असफल भेल समिक्षा करैत पार्टीसबके थप भूमिका निर्वाह करयके योजनामे जाएके समय आएल धारणा सेहो पोखरेल रखलनि ।

निहिता बिश्वास

बिग बाँस सिजन ५ के घरसँ बहराएल पहिल प्रतियोगी नेपालक निहिता बिश्वास । इ बिकीनी किलरके रुपमे परिचित चार्ल्स शोभराजक पत्नी सेहो छथि ।

उत्तरी सूडान सँ सशस्त्र संघर्ष नहि करत दक्षिणी सूडान


२२ आसिन एजेन्सी । दक्षिणी सूडानके राष्ट्रपति सल्वा कीर अपन पड़ोसी देश उत्तरी सूडानके सँग अनेक बिषय पर रहल मतभेदके कारण तनावके बावजूदो कोनो किसिमक सशस्त्र संघर्ष करय नहि चाहने बतौलनि अछि ।

दक्षिणी सूडान किछुए दिन पहिने उत्तरी सूडान सँ अलग भऽ कऽ नया देश बनल अछि । दुनु पक्षके बीच पेट्रोलियम पदाथके बाँटफाँटके लऽ  मतभेद रहल अछि जाहि कारण तनाव बढ़िते जा रहल अछि ।
राष्ट्रपतिके रुपमे खारतूम पहुंचल अपन भ्रमणमे कीर कहलनि जे  हमरा पुरा विश्वास अछि जे दुनु पक्षके बीच रहल मनमुटाबसब दुर भऽ जाएत आ असहमतीसबमे सहमती भऽ जाएत ।

दुनु देश एक दोसर पऽ अपन अपन इलाक़ामें विद्रोहीके समर्थन देबयके आरोप लगबैत आएल अछि । ओना तऽ दुनु देशके बीच सीमा पर सहमति भऽ चुकल अछि मुदा अखनो दुनु पक्ष अबयाईके विवादास्पद क्षेत्र पर अपन अपन दावी कऽ रहल अछि ।

राष्ट्रिय प्रशिक्षण वैद्य पक्षद्वारा बहिष्कार


काठमाडौ, आश्विन २२ । माओवादी उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षक विरोधबीच संस्थापन पक्ष आसिन २९ गते राष्ट्रिय प्रशिक्षण कार्यक्रम तय केने अछि । पार्टी निर्णयविपरीत कार्यक्रम तय केने कहैत वैद्य पक्ष सहभागी नहि होबयके घोषणा केने अछि ।

केन्द्रीय समितिक बैसार स्थगित कऽ एकतर्फी रूपमे केन्द्रीय प्रशिक्षण तय केने कहैत वैद्य पक्ष कडा आपत्ति जनौलक अछि । पार्टीभितर वैद्य पक्ष भ्रम सिर्जना केलासँ लडाकु समायोजन, मधेसी मोर्चासँगके ४ बुँदे सहमतिबारे स्पष्ट करय राष्ट्रिय प्रशिक्षण करय लागल संस्थापन पक्ष जनौलक अछि ।

प्रवक्ता दीनानाथ शर्मा पार्टीके स्थानीय तहधरि घोषित नीतिबारे भ्रम सिर्जना भेलासँ प्रशिक्षण कार्यक्रम रखने बतौलनि ।

वैद्य पक्षीय सचिव सीपी गजुरेल  प्रशिक्षण कार्यक्रम तय केनाइ आधिकारिक निर्णय नहि रहल बतौलनि । अहिसँ आगु वैद्य पक्ष आसिन ४ गते राजधानीमे राष्ट्रिय भेला केने छल ।

भेलामे जिल्ला सचिव, सभासद आ केन्द्रीय नेतासब कऽ करिब दु सय ५० गोटेके सहभागिता छल । भेलासँ संस्थापन पक्ष मधेसी मोर्चासँग ४ बुँदे 'राष्ट्रघाती' सहमति केने कहैत देशके 'सिक्किमीकरण'के रास्तामे लऽ गेल आरोप लगौने छल ।

महत्वपूर्ण भूमिका निभाबय एमालेसँ सभामुखक आग्रह


२२ आसिन, काठमाडौं । सभामुख सुवासभन्द्र नेम्वाङ शान्ति आ संविधान निर्माण प्रक्रिया आगु बढाबय महत्वपूर्ण भूमिका निभाबय नेकपा एमालेसँ आग्रह कएलनि अछि ।

सभामुख नेम्वाङ आइ एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनालसँ भेट कऽ सेना समायोनजन विशेष समिति आ संविधानसभामे एमालेके सम्मानजनक उपस्थिति रहल कहैत शान्ति आ संविधान निर्माण प्रक्रिया आगु  बढाबय महत्वपूर्ण भूमिका निभाबय आग्रह कएलनि अछि ।

खनाल निवास डल्लुमे भेल भेटमे सभामुख नेम्वाङ दशैं आगुए सहमति करयके बतौने दलसब दशमी बितलाक बादो सम्वाद सुरु नहि भेलमे खनालक ध्यानाकर्षण करौलनि अछि । जवाफमे खनाल शान्ति आ संविधान निर्माणक लेल आवश्यक पहल करयके आश्वासन देलनि अछि ।

काल्हिएसँ दलसबसँग परामर्श शुरु केने सभामुख नेम्वाङ नेपाली कांग्रेसक सभापति सुशील कोइरालासँग भेटयके तयारी कएलनि अछि । कोइराला गृहजिल्ला नेपालगञ्जमे रहलासँ राजधानी अबिते भेटयके तयारी भऽ रहल सभामुख नेम्वाङ जानकारी देलनि ।

सभामुख नेम्वाङ काल्हि प्रधानमन्त्री डाक्टर बाबुराम भट्टराई, माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड आ एमालेक वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपालसँग बिमर्श कएने छलथि ।

माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड पिताक अन्त्येष्टि भेल


२२ आसिन, चितवन । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्डके पिताके अन्त्येष्टि सम्पन्न भेल अछि

प्रचण्डक पिता मुक्तिरामक ८५ वर्षक उमेरम चितवनक भतरपुर ६ स्थित कृष्णनगरम बितलराति १० बजे निधन भेल छल । दाहालके राजधानीम इलाज कऽ एक सप्ताह आगु मात्रे चितवन लाओल गेल छल  । दाहाल मृगौला, माथमे पानि मयके, प्रोष्टेड ग्ल्याण्ड सहितक रोगसँ पीडित छलथि । दाहालक प्रचण्ड गंगाराम कऽ टा बेटा आ टा बटी अछि । दाहाल निवासम श्रद्धाञ्लजी देबयबला माओवादी नेता कार्यकर्ता शुभचिन्तकसबके भिड लागल छल

अहिबीच दाहालक जेठ बेटा प्रचण्ड हुनक पार्थिव शरीर पऽ कम्युनिष्ट पार्टीक झण्डा ओढा कऽ अन्तिम श्रद्धाञ्जली अर्पण कएलनि अछि । दाहालक चितवनक देवघाटम भिन्सर अन्त्येष्टि कएल गेल अछि । दाहालक पार्थिव शरीरम प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई, माओवादी पोलिटब्युरो सदस्य अग्नि सापकोटा, सभासदसब, माओवादी अन्य दलक नेता तथा कार्यकर्ता सब अन्तिम श्रद्धाञ्जली देने छलथि ।

सरकारी कार्यालय आइ सँ खुजल


२२ आसिन, जनकपुरधाम । दशमीक अवसरमे बन्द रहल सरकारी कार्यालयसब आइसँ खुजल अछि ।

सरकार दशैंके अवसरमे बितल आसिन  १६ गतेसँ आइधरिके लेल सरकारी कार्यालयके कर्मचारीके बिदा देने छल । बिदाके कारण प्रशासनिक सहितक सब सरकारी कामकाज बन्द छल । गृह मन्त्रालय बन्द रहल गाविस, जिविस, जिल्ला प्रशासन, बैंक सहितक कार्यालय आइसँ पुनः सञ्चालनमे आएल जनौलक अछि ।

अहिबीच बन्द रहल मेची, विराटनगर, भिठामोड, वीरगञ्ज, सुनौली, तातोपानी सहितक मुख्य भन्सार नाका सेहो आइएसँ खुजल अछि । भन्सार कार्यालय बन्द भेलासँ1 राज्यके दैनिक २५ सँ ३० लाख रुप्रयाँधरि राजश्व घाटा होइत आएल  विभाग प्रमुख टंकमणि शर्मा जानकारी देलनि ।

ब्राउन सुगर सहित एक गिरफ्तार


२२ आसिन, हेटौँडा । मकवानपुरके रातामाटेसँ अवैध लागुऔषध ब्राउन सुगर सहित एक गोटेके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।

गिरफ्तार होबयबलामे वीरगञ्ज घर रहल मेघनाथ कोरी रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय मकवानपुर जनौलक अछि । बसमे चेकजाँच करयके क्रममे ओकरा रातामाटे प्रहरी पोष्ट सँ गिरफ्तार कएल गेल अछि । आवश्यक छानविन कऽ कारबाही आगु बढाबय कोरीके जिल्ला प्रहरी कार्यालय मकवानपुरक हिरासतमे राखलगेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन