Monday, December 19, 2011

चोरीके १६ टा मोटरसाइकल बरामद


राजविराज , पुस ४ । राजबिराजमे चोरीके मोटरसाइकल नियन्त्रणके लेल पुलिस पहल सुरु केलाबाद दु दिनमे १६ टा चोरीके मोटरसाइकल बरामद भेल अछि ।

मोटरसाइकलके सवारीधनी प्रमाणपत्र आ चालक अनुमतिपत्र जाँच करयके क्रममे जिल्लाको विभिन्न ठामसँ १६ टा चोरीके मोटरसाइकल नियन्त्रणमे लेने जिल्ला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय, सप्तरी जनौलक अछि ।

प्रहरी निरीक्षक मधुकुमार थापाके अनुसार स १ प २५३७, स २ प ३१२२, मे २ प ११७७, को १ प ७५७४, को ५ प ८९९९, बा ४ प ८८९५, बा १४ प ७३४३ नम्बर सहितक मोटरसाइकल नियन्त्रणमे लेलगेल अछि ।

प्रहरी उपरीक्षक गणेशबहादुर थापा आपराधिक क्रियाकलापमे मोटरसाइकलके प्रयोग होइत एलासँ मोटरसाइकल जाँच करयके अभियान चलौने बतौलनि ।जनशक्ति अभावसँ चोरीके बाइक खोजय पुलिस गाउँदिस जाए नहि सकितो पूर्व-पश्चिम राजमार्गसहित जिल्लाके विभिन्न सडकखण्डमे कडा निगरानी सुरु कएलगेल ओ बतौलनि 

नक्सली तीन टा गाडीमे आगि लगौलक


४ पुष बिहार । बिहारके जमुईमें संदिग्ध नक्सलि आइ सड़क निर्माण कार्यमें लागल तीन टा गाडीमे आगि लगौलक अछि ।

जमुई जिलाके बरहट थाना क्षेत्रमें नक्सली एक निजी कम्पनीके तीनटा गाडीमे आगि लगा देलक अछि । अगिलगिसँ तिनु गाडी पुर्णरुपसँ क्षतिग्रस्त भऽ गेल अछि ।

पुलिसके अनुसार जमुई-मुंगेर सडक खण्ड पर विषुनपुरके नजदीक नक्सली हमला करैत सड़क निर्माणके कार्य कऽ रहल जेकेएन निजी कम्पनीके तीनटा  गाडीमे आगि लगबैत फरार भऽ गेल ।

जमुईके पुलिस अधीक्षक रामनारायण सिंहक अनुसार अहि घटनामें एक पोकलेन आ सड़क निर्माणमें रहल एकटा गाडी पुरापूरी क्षतिग्रस्त भऽ गेल आ एकटा रोलरमे  सामान्य क्षति पहुँचल अछि । ओ बतौलनि जे नक्सलीके खोजी कार्य भऽ रहल अछि आ छापामारी सेहो कएल जाऽ रहल अछि ।

ज्ञातब्य जे नक्सली बितल २ दिनमे जमुई जिलाके २ टा अलग अलग थाना क्षेत्रमें २ टा सरकारी विद्यालय भवनके सेहो नष्ट कऽ देने अछि ।

नेपाली काँग्रेसक कार्यकर्ताके मृत्यु भेल बिरोधमे बन्द कतेक उचित ?








ठण्डिके कहर जनजिवन प्रभावित



शिक्षा मन्त्रालय आ आन्दोलनकर्मीबीच सहमति


तिर्थराज भुसाल

४ पुष काठमाडौं नेपाल पब्लिक क्याम्पस संघ, पब्लिक क्याम्पस प्राध्यापक संघ शिक्षा मन्त्रालयबीच पब्लिक क्यम्पसक  समस्या समाधान करयके सहमति भेल अि

शिक्षा मन्त्री दीनानाथ शर्मा, शिक्षा सचिव किशोर थापा नेपाल पब्लिक क्याम्पस संघ पब्लिक क्याम्पस प्राध्यापक संघक पदाधिकारीबीच एहन सहमति भेल अछि । राति अवेरधरि ेल वार्ताम  नेपाल पब्लिक क्याम्पस संघक ३ गोटे प्रतिनीधि ,पब्लिक क्याम्पस प्राध्यापक संघक ३ गोटे आ शिक्षा मन्त्रालयक गोटे प्रतिनीधिक पहलम इसँ पब्लिक क्याम्पसक समस्याक विषयम बिमर्श कऽ समस्या समाधान करयके सहमति भेल नेपाल पब्लिक क्याम्पस संघक अध्यक्ष बैकुण्ठ न्यौपाने जानकारी देलनि 

गठित वार्ता टोली आइएसँ काम सुरु केने  अध्यक्ष  न्योपाने बतौलनि  

महोत्तरीसँ एक गोटेके अपहरण


सन्तोष पोखरेल

४ पुष महोत्तरीमहोत्तरीक बलवासँ एक गोटेके अपहरण कएल गेल अछि ।

बलवा  ६ घर रहल ४८ बर्ष रामनन्दन यादबके बितलराति अपने घरम ैसल समयमे ४ पाचँ गोटेके समूहमे आएल अपहरणकारी अपहरण कऽ क लऽ गेल अछि । यादबक खोजी कार्य भऽ रहल जिल्ला प्रहरी कार्यलय महोत्तरी जनौलक अि

किछ दिन आगु मात्रे महोत्तरीक बर्दिबाससँ अपहरणम रल कृष्णकुमार  महत्तो १० लाख फिरौती बुझा कऽ भारतसँ अपहरण मुक्त्त भेल छथि । महोत्तरीमे  किछ दिनसँ अपहरणक  घटना  बढय लगलाबाद  महोतरी बासीसब चिन्ताम पर ि

ठण्डास कठुवा कऽ सिरहामे आओर एकगोटेके मृत्यु


रामभरोसी महतो

४ पुष  सिरहाठण्डासँ कठुवा कऽ सिरहामे आओर एक गोटेके मृत्यु भेल ि

मृत्यु होवयबलामे लहान नगरपालिका ६ क जामुन सहनी रहल अछि अहिके सँग सिरहाम ठण्डीसँ मरयबलाके संख्या दु पहुँचल अछि किछ सप्ताहसँ ब ठण्डीके कारण धनुषा महोतरी सिरहा सहित तराइक जनजीवन प्रभावित भेल अछि

facebook Page Like

  • मनोरँजन