Monday, February 14, 2011

शिक्षक आक्रमणक बिरोधमे अखील नेपाल शिक्षक संगठन नबलपरासि आई जिल्लाक सम्पुर्ण शैक्षिक संस्था बन्दक आब्हान कएलक अछि।
बन्दक कारणे जिल्लाक सरकारी तथा निजि शिक्षण संस्थामे पठन पाठन प्रभाबित भेल अछि। तम्सरीयाक मुकुन्दपुर स्थित लोकसेबा उच्च माबिक शिक्षक प्रम गौतम उपड भेल संघातिक आक्रमणके बिरोधमे आई एक दिनकलेल नबलपरासिक सम्पुर्ण शैक्षिक संस्था बन्दक आब्हान कएलगेल अछि।
शिक्षक संगठनसभ तत्काल दोषिके कारबाहिक माँग करैत सुरक्षाक प्रत्याभुति देबए प्रशासनसँ माँग कएलक अछि।
।।।।।।।।।।।।।।।
आई प्रेम दिबस बिश्व भरि प्रेम आदान प्रदान कऽ कऽ ई दिबस मनाओल जाऽ रहल अछि।
प्रेमि प्रेमिकासभके प्रतिक लाल गुलाब आदान प्रदान करक आ औपचारीक रुपमे प्रेम प्रस्ताब राखक प्रचलन अछि। एहि अबसरमे खास कऽ कऽ फुल आ अन्य उपहारसभ आदान प्रदान कएल जाईत अछि। पश्वचिमि संस्कृति भेलाकबादो ई दिबस नेपालमे सेहो स्थान पाबि रहल अछि। नेपालि युबा युबतिसभ सेहो ई दिबसके बिशेष महत्वके रुपमे मनबैत अछि।
जनकपुरमे सेहो एहि दिबसके रमझम किछु बिशेषे देखल जाऽ रहल अछि। जनकपुरक गिफ्ट हाउससभमे गिफ्ट किनएबला युबा युबतिसभके भिड लागल अछि। तहिना जनकपुरक एकमात्र पार्क राम जानकी बिबाह मण्डपमे युबा युबतिसभके उपस्थिति आन दिनक अपेक्षामे आई बेसी देखल जाऽ रहल अछि। प्रेम दिबसक अबसरमे जनकपुरक बिभीन्न चौकपर युबासभद्वारा रंग अबिरसँ हृदयके आकृति बना कऽ ओतह खुला आकाशमे बैलुन छोडल जाईत अछि।
ईसापुर्ब २७० मे रोमक राजा क्लाउडियस द्वितिय जनतासभ प्रेम, यौन आ बिबाहमे लिप्त रहलासँ सैनिक सेबामे केउ नई लागक आ शान्ति सुरक्षा उपड खलल पँहुचल निष्कर्ष निकालैत प्रेम करए उपड प्रतिबन्ध लगओने रहथि। मुदा पादरी भ्यालेन्टाईन राजाक आदेश अस्विकार करैत प्रेम कएलाकबाद हुनका फरबरी १४ मे मृत्यु दण्ड देलगेल रहैक । ओहि दिनके यादमे फरबरी १४ तारीखके भ्यलेन्टाईन डे अर्थात प्रेम दिबसके रुपमे मनाओल जाईत अछि।
एम्हर नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानमे बिभिन्न संघ संगठन तथा बुद्धिजिबिसभ द्वारा एहिके बिरोध सेहो भऽ रहल अछि। पश्चिमि सभ्याताके अपना कऽ प्रेम दिबसक अबसरमे बिकृतिसभ समाजमे हाबि भऽ रहल हुनकासभके कहब छन्हि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।
बजेट सम्बन्धि प्रतिस्थापन बिधेयक उपड आईसँ बिमर्श सुरु भऽ रहल अछि।
आई दुपहरीयामे १ बजे बैसएबला संसदक बैसारमे अर्थमन्त्रि भरत मोहन अधिकारी प्रतिस्थापन बिधेयक पेश करताह। बिधेयक पेश भेल ७२ घण्टाकेबाद मात्र बिमर्श शुरु करक प्राबधान रहलाकबादो समय अभाबक कारणे नियम खारेज कऽ आईए बैसए बला दोसर बैसारमे बिमर्श सुरु कएल जाएत ।
पहिलका सरकार अध्यादेश मार्फत लओने बजेट काल्हि बैसल संसदक बैसार पारीत कएलाकबाद प्रतिस्थापन बिधेयक अध्यणकलेल सभासदसभके बितरण कएलगेल छल।
।।।।।।।।।।।।।
रुपन्देहिक सैनामैना स्थित माओबादी लडाकुसभके कृष्ण सेन स्मृति ब्रिगेड सेक्सन ए के सहकमाण्डर खेम कुमार गुरुङके रहस्यमे मृत्यु भेल अछि।
पुलिस प्रारम्भिक अनुशन्धानमे ओ आत्म हत्या कएने होबए सकैत बतओलक अछि। बाग्लुङ जिल्लाके सुबारी गाबिस निबासी ओ शिबिर नजदीके जंगलक एकटा गाछमे अपने बेल्ट गर्दनमे फँसाक लटकल अबस्थामे भेटल छल। ईलाका प्रहरी कार्यालय बुटबलक डिएसपि दानबहादुर कार्कि घटनाके देखलासँ आत्महत्या देखबामे आएल आ बाँकि अनुसन्धान भऽ रहल बतओलनि अछि।
।।।।।।।।।।।।।।।।।
पाकिस्तानक पँजाब प्रान्तमे एकटा यात्रि बसमे आगि लगलाकबाद कमसँ कम २० टा यात्रिके मृत्यु भेल अछि।
अन्तराष्ट्रिय समाचार स्रोतक अनुसार ई घटना राबलपिंडि शहरसँ लगभग १ सयकिलो मिटर दुर गुजर खान ईलाकामे भेल अछि। पुलिसक अनुसार बस सियाकोटसँ घुरि रहल छल। आगि लागक कारणके सम्बन्धमे एखनिधरि पता नई चलल अछि। मुदा प्रत्यक्षदर्शिक अनुसार आगि लागएसँ पहिने सिलिन्डरमे बिस्फोटक आबाज सुनाई देने छल।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।

ईजिप्टक सैन्य अधिकारीसभ संबिधान निलम्बन करक संगहि संसद भँग भेल घोषणा कएलक अछि। अधिकारीसभ देने बयानक अनुसार आगामि ६ महिना धरि सर्बोच्च सैन्य काउन्सिलके हाथमे सता रहत।
देशमे नँया संबिधान बनाबकलेल १ टा नँया समिति सेहो गठन कएलगेल बिबिसी जनओलक अछि। एहिबिच पुर्ब राष्ट्रपति होस्नि मुबारकके सम्पतिक सम्बन्धमे अन्तराष्ट्रिय समुदाय रुचि देखओलक अछि। मुबारकके अबैध सम्पति सभदेशके मिल कऽ पता लगाबक चाहि ब्रिटेन बतओलक अछि। स्विटजरल्याण्ड अपन देशमे सेहो मुबारके खाता रहल शंका करैत सभ खाता बन्दक घोषणा पहिनेहि कऽ चुकल अछि।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।
नबनियुक्त महान्यायधिबक्ता युबराज संग्रौला आई पद तथ गोपनियताक सपथ लेताह।
प्रधानमन्त्रि झलनाथ खनाल बेरीयामे २ बजे राष्ट्रपति कार्यालय सितल निबासमे संग्रौलाके पद तथा गोप्णियताक सपथ खुवाबक कार्यक्रम रहल अछि। एमाले अध्यक्ष सेहो रहल खनाल प्रधानमन्त्रि भेलाकबाद संग्रौलाके महान्यायधिबक्तामे नियुक्ति कएने रहथिन्ह।
संग्रौला एमालेक कानुनि सल्लाहकार सेहो छथि। सरकारक कानुनि सल्लाहकार मानल जाइत महान्यायधिबक्तामे संग्रौलाके नियुक्ति करए एमालेक राज्य ब्यबस्था बिभाग बिगत बुधदिन प्रधानमन्त्रि खनालके सिफारीस कएने छल।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
साउदी अरेबियाके लेल नेपाली राजदुत हमिद अन्सारी मृतक नेपाली कामदारके क्षतिपूर्ति रकम दुरुपयोग नइ केने दावा केलन्हि अछि। मृतक नेपाली कामदारके नाममे दुतावासमे प्राप्त होबयबाला क्षतिपूर्ति रकम नियमितरुपमे सम्बन्धित परिवारके पठओने हुनक दावा अछि ।
साउदी अरबमे मृत्यु भेल झापाक एकटा कामदारके परिवारके देवयबाला क्षतिपूर्ति रकम व्यक्तिगत खातामे रखने आरोप लगलाबाद राजदुत अन्सारीके सरकार फिर्ता बजाबक तयारी केने छल।
साउदी अरेबियाक अरब न्युजके अनलाइन संस्करणसँग बातचित करैत राजदुत अन्सारी अपना उपर लगाओलगेल सब आरोप गलत रहल जिकीर केलन्हि अछि।ओ अपन सम्पर्ण बैंक खाता सरकारके देखाबक तयारीमे सेहो रहल बतओलन्हि अछि।
सन् २००८, २००९ आ २०१० मे साउदी अरबमे मृत्यु भेल ५ सय ९९ गोटे नेपालीसभक परिवारके ५ करोड चालिस लाख रुपैयाँ पठओने जिकीर करैत ओ एते रकम दोसर कोनो दुतावास नइ पठओने दावा केलन्हि अछि।
मृतक नेपाली कामदारके लेल साउदी स्थित NCB बैंकमे अलगे खाता खोललगेल आ रकम प्राप्त भेला तुरन्तबाद नियमित रुपमे रकम पठओने राजदुत अन्सारी स्पष्ट केलन्हि अछि।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
राष्ट्रिय जनशक्ति पार्टीक अध्यक्ष एवं पूर्वप्रधानमन्त्री सूर्यबहादुर थापा एकीकृत नेकपा माओवादीके गृह मन्त्रालय नइ देबाक चाहि बतओलन्हि अछि। पर्साके वीरगन्जमे आइ भिन्सर आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे अध्यक्ष थापा सुरक्षाक दृष्टिकोणसँ गृह मन्त्रालय संबेदनशील रहलासँ अखनुक अवस्थामे माओवादीके गृह मन्त्रालय नइ देबाक चाहि बतओलन्हि अछि।
अध्यक्ष थापा माओवादी आ एमाले अध्यक्ष बीच भेल ७ बुदे सम्झौतामे उल्लेखित माओवादी सेनाके अलगे फौज बनाबक आ फेराफेरी सरकारके नेतृत्व करक बुँदा प्रति आपत्ती प्रकट केलन्हि अछि।
नेपालके राजनीतिमे बाम गठबन्धनके कारण प्रजातान्त्रिक शक्तिसभ कमजोर होइत गेल कहैत अध्यक्ष थापा एहिके लेल सम्पूर्ण प्रजातान्त्रिक शक्तिसभके एक होबएपर जोड देलन्हि अछि।
राजनीतिक दलसभके आपसी खिचातानीक कारण समयमे संविधान निर्माण नइ हाएत आशंका प्रबल बनैत गेल अध्यक्ष थापा टिप्पणी केलन्हि अछि।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
डकैतीके अभियोगमे केन्द्रीय कारागारमे बन्दी जीवन बिता रहल एकटा कैदी दरबारमार्गके होटल अन्नपूर्णसँ लागुऔषध आ लाखौ नगद सहित गिरफ्तार भेल अछि।
पाँच वर्ष पहिने कमलादी स्थित बैंक अफ काठमाडौंमे भेल डकैतीमे संलग्न काभ्रे मंगलटारके टासी लामाके पुलिस होटल अन्नपूर्णके क्याफेसँ गिरफ्तार केलक अछि। पुलिस ओकरासँगसँ २० लाख नगद आ १५ ग्राम लागुऔषध ब्राउन सुगर बरामद केलक अछि।
तहिना लामा अपना शरीरमे २५ लाख मोल बराबरके सोन सेहो लगौने छल । ओ १५ तोलाके सिक्री आ १० तोलाके औँठी लगओने छल। स्रोतक अनुसार जेल भितरे रहि कऽ लामा अवैध रूपमे लाखौँ कमओने अछि।
होटलमे रहल सूचनाक आधारमे ओकरा गिरफ्तार केएलगेल महानगरीय प्रहरी परिसर जनओलक अछि। विशेष अवस्थामे मात्रे जेलक कैदीके बाहर जाए देलाक बादो लामा नियमित रूपमे जेलसँ बाहर रहल कारागार स्रोत बतओलक अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।।।
सात बुन्दे सहमति कार्यान्वयन आ गृहमन्त्रालयमे भागबण्डा नइ मिललाबादो प्रधानम्त्री झलनाथ खनाल मन्त्रिमंडल विस्तारके तयारी केलन्हि अछि। सात बुन्दे सहमति कार्यान्वयनके प्रतिवद्धता सहित गृहमन्त्रालय अपनासँग राखि कऽ मन्त्रिपरिषद विस्तारके तयारी भऽ रहल स्रोत जनओलक अछि। बरिष्ट नेता माधव कुमार नेपाल आ केपी ओलि ७ बुन्दे सहमति संशोधनके माग केलाबाद खनाल मन्त्रिपरिषद विस्तार करए नइ सकल अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।

पाकिस्तानके गृह मंत्री रहमान मलिक कहलनि जे दिल्ली हवाई अड्डा पर हिरासतमें लेलगेल चर्चित गायक राहत फ़तेह अली ख़ानके हरसंभव मदद कएल जाएत ।
ओ काल्हि दिल्ली स्थित पाकिस्तानक उच्चायुक्त शाहिद मलिकस फ़ोन प संपर्क कक हुनकास राहत फ़तेह अली ख़ानके हिरासतमें लेलगेल बिषयमे विस्तारस जानकारी लेलनि ।
ओ पाकिस्तानक उच्चायुक्त शाहिद मलिकके राहत फ़तेह अली ख़ानके हरसंभव सहयोग देबयके निर्देश देलनि ।
मलिक गृहमंत्रीके बतौलनि जे ओ लगातार अहि मामलामे भारतीय अधिकारिके संपर्क छथि ।
ओम्हर, पाकिस्तानक विदेश मंत्रालय सेहो ख़ानक मामला पर अपन प्रतिक्रिया व्यक्त केलनि अछि ।
विदेश मंत्रालयके प्रवक्ता अब्दुल बासित पत्रकारके बतौलनि जे ख़ानके साथ ज़्यादती नहीं होबय देब आ अहि बातके सुनिश्चित करब कि भारतमें हुनका सँग कोनो किसिमक दुर्व्यवहार नै होए ।.
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
पर्साके पुलिस चौकी महुवनमे स्थानीयवासी आइ केने आक्रमणस पाँच गोटे पुलिस घाइल भेल अछि ।
पाथरगिटी ढोबबला लु १ प ५८९४ नंम्बरक ट्याक्टर चालक पर्साके गाविस बागेश्वरी तित्रोना १ निवासी यादव पटेलके पाथरगिटी लजाए वापत पुलिसके घुस नै देने बहानामे पुलिस पिटपाट केने विरोधमे तित्रोनाके स्थानियवासी चौकीमे आक्रमण केलक अछि ।
आक्रमणमे परि चौकीके इन्चार्ज प्रहरी सहायक निरीक्षक पद्यमलाल चौधरी, प्रहरी हबल्दार सञ्जय महतो, प्रहरी जवान लालबाबु राउत, प्रमोद गिरी घाइल भेल इलाका प्रहरी कायाल पोखरियाक इन्चार्ज प्रहरी निरीक्षक सन्तु जैश्वाल जानकारी देलनि ।
ट्याक्टरमे पाथरगिटी लोड कक बिक्रीके लेल जानकी टोला जाएके क्रममे चौकीके पुलिस ट्याक्टर चालक यादवके रोकीक घुस माँगलाबाद नै देला पर ओकरा चौकीमे ल जाक पिटपाट केने स्थानिवासीक आरोप अछि ।
गौबासब चौकीमे केने आक्रमणके क्रममे पुलिस केने प्रतिकारमे परि बागेश्वरी तित्रोना १ के अशेश्वर पटेल, प्रदीप गुप्ता सहितक आधादर्जन सर्वसाधारण समेत घाइल भेल अछि । घाइलसबके पोखरिया अस्पतालमे इलाज भरहल अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल आ नेपाल भ्रमणमे रहल प्रजातन्त्र आ विश्व मामिला सम्बन्धी अमेरिकी उप विदेशमन्त्री मारिया ओटेरो बीच भेटबार्ता भरहल अछि ।
भेट प्रधानमन्त्रीक कार्यालय सिंहदरवारमे भरहल प्रधानमन्त्रीक विदेश मामिला सल्लाहकार मिलन तुलाधर जानकारी देलनि । भेटमे शान्ति प्रक्रिया, संविधान निर्माण सहितक विषयमे बिमर्श भरहल बताओलगेल अछि । भेटमे भुटानी शरणार्थी समस्या समाधानमे तेसर देश पुनर्वाससँगै घर फिर्तीबारे सेहो बातचित भरहल बताओलगेल अछि । भुटानी समस्या समाधानबारे बिमर्श करय ओटेरो भारत आ भुटानक भ्रमणके बाद शुक्रदिन नेपाल आएल छथि ।
उप विदेशमन्त्री ओटेरो राजनीतिक नेता, वरिष्ठ सरकारी अधिकारी आ नागरिक समाजक प्रतिनिधिसबसँग भेट करबाक कार्यक्रम रहल काठमाडौंस्थित अमेरिकी दूतावास जनौलक अछि । अमेरिकी उपविदेशमन्त्री ओटेरो काल्हिए प्रकोप जोखिम न्यूनीकरण गोष्ठीके समेत सम्बोधन कएने छथि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
प्रमुख प्रतिपक्षी नेपाली कांग्रेस गृह मन्त्रालयके जिम्मेवारी एकीकृत नेकपा माओवादीके देत त देशके स्थिति भयावह होयबाक चेतावनी देलक अछि ।
संसदके आइ बैसल बैसारमे विशेष समय ल क बजैत कांग्रेस सभासद डा. रामशरण महत माओवादी अखनो शान्ति सम्झौता विपरितके गतिविधी करहल कहैत गृह प्रशासनके जिम्मेवारी देबय नै चाही बतोलनि ।
महत घर जमिन फिर्ता, वाइसिएलके अर्ध सैन्य संरचना भङ्ग सहितक सहमति कार्यान्वयन नै भेल अवस्थामे माओवादीके गृह मन्त्रालय देत त जनतामे त्रास फैलत हुनक कहब छल ।कांग्रेस सभासद् महत माओवादी कार्यकर्ता बर्दियाके राजापुरमे ३ सय विगाहा जमिन कब्जा केने घटनाबारे सरकारके ध्यानाकर्षण करौलनि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
dxf]Q/Ls] hn]Zj/ l:yt lhNnf lzIff sfof{nod] ljleGg dfFu ;lxt tfnfjGbL sPnu]n cl5 .
vvgf nf]6gf pRr dfWolds ljBfnod] e/xn clgoldttfs] dfFu ;lxt cf]O ufds :yfgLoaf;L;a lhNnf lzIff sfof{nod] tfnfjGbL s]ns cl5 . tfnfjGbLs] sf/0f lhnf lzIff sfof{nos] sfd sfh cj?4 e]n cl5 .
cf] ljBfnos] vftf ;+rfng s/os], ljBfnod] e/xn clgoldttfs] 5fgljg s/os] ;lxts dfFu;a s/}t tfnfjGbL sPnu]n Ps cleefjs hfgsf/L b]nlg cl5 . cf] sfof{nod] vftf ;+rfng g} e]nf; ljtn # dlxgf; lzIfs ;lxt sd{rf/L;a e'QmfgL kfao g} ;sn sx}t a]/ a]/ ;d:of ;dfwfgs n]n bf}/ w'k sl/tf] ;dfwfg xf]ao g} ;snfafb jfWo e tfnfjGbL sPnu]n hfgsf/L b]nlg .
1ftJo h] a]/ a]/ cf] ljBfnod] k|wfgfWofks lars ljjfb xf]Ot cfPn cl5 t a]/ a]/ cleefjs;a lzIff sfof{nod] tfnfjGbL tyf wgf{ s/}t cfPn cl5 .
.......................

राष्ट्रिय जनमोर्चाके दोसर राष्ट्रिय सम्मेलन अगामी बैशाख १३ गतेस १५ गतेधरि पोखरामे होबय लागल अछि । मोर्चाके हालेमे बैसल केन्द्रीय समितिक बैसारस एहन निर्णय केने राजधानीमे आइ आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे जानकारी देल गेल अछि ।
सम्मेलन आयोजनाके लेल महासचिव सन्तबहादुर नेपालीके संयोजकत्वमे तीन सदस्यीय विधान मस्यौदा समिति, उपाध्यक्ष मनोज भट्टक संयोजकत्वमे नौ सदस्यीय प्रचार प्रसार समिति, उपाध्यक्ष शंकर बरालक संयोजकत्वमे ६ सदस्यीय ब्यवस्थापन समिति आ सचिव कृष्ण अधिकारीके संयोजकत्वमे ६ सदस्यीय आर्थिक समिति गठन कएलगेल अछि ।
पत्रकार सम्मेलनमे राष्ट्रिय जनमोर्चाक अध्यक्ष चित्रबहादुर केसी संविधानसभाके म्याद दु महिना थपय सकयके माओवादी अध्यक्ष प्रचण्डके अभिब्यक्ति प्रति आपक्ति जनौलनि । ओ कहलनि जे- म्याद थपय आगु संविधानके न्यूनतम आधारभुत मान्यतासबमे सहमति होबय परत तकरबाद सहमतिमे दु वर्ष म्याद थपत तैयो हाएत ।’
ओ माओवादी आ एमाले अध्यक्ष बीच भेल सातबुँदे सहमतिप्रति असन्तुष्टि जनौलनि । फेराफेरी सरकारक नेतृत्व करयके आ माओवादी लडाकूसबहक अलगे फोर्स गठन करयके सहमति अन्तरिम संविधान आ हालधरिके सहमति विपरित भेल हुनक कहब छलनि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
राष्ट्रिय जनमोर्चा प्रधानमन्त्री निर्वाचनमे झलनाथ खनालके समर्थन करितो खनाल आ माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल बीच भेल सात बुँदे सहमतिप्रति असन्तुष्टि जनौलनि अछि ।
फेराफेरी क सरकारक नेतृत्व करयके आ सेना समायोजन करयके विषयमे कएलगेल सहमति अन्तरिम संविधान आ हालधरिके सहमतिके उल्लंघन भेल दावी करैत जनमोर्चा अहिस सरकारके पूर्णता देबयके आ शान्ति संविधानके जिम्मेवारी पुरा करयमे अवरोध सृजना करत ठहर केलक अछि ।
आइ राजधानीमे आयोजित कार्यक्रममे जनमोर्चा अध्यक्ष चित्रबहादुर केसी बामपन्थीके अलगे ध्रुविकरणस संविधान निर्माण आ गणतन्त्र संस्थागत होबयस रोकय दाबी केलनि ।
अध्यक्ष केसी १२ बुँदे सहमतिके आधारमे लडाकु ब्यवस्थापन होबय परबाक धारणा रखैत ओहन हाएत त माओवादीके नेतृत्व स्वीकार्य हाएत स्पष्ट केलनि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।

facebook Page Like

  • मनोरँजन