Tuesday, September 13, 2011

नेपाल आबयके समाचारप्रति भारतीय नेताद्वारा असन्तुष्टि


काठमाडौ, भादव २७ । भारतक प्रमुख ४ दलक नेतासब अपनेसब नेपाल आबय लागल समाचार भ्रामक रहल कहैत असन्तुष्टि जनौलक अछि । ओसब अपनासबहक तत्काल नेपाल भ्रमणके योजना नहि रहल बतबैत अष्पष्ट समाचार प्रकाशित भेलमे आश्चार्य व्यक्त केलनि अछि ।

भारतीय समाचारपत्र हिन्दुस्तान टाइम्स  सत्तारुढ कांग्रेसक महासचिव दिग्वीजय सिंह, जनतादल युनाइटेडके अध्यक्ष शरद यादव, भारतीय कम्युनिष्ट पार्टी माक्सवादीके सीताराम यचुरी आ भाजपाके पूर्वअध्यक्ष राजनाथ सिंह सम्मिलित उच्चस्तरीय प्रतिनिधि मण्डल आगामी शनिदिन नेपाल आबयके समाचार प्रकाशित केने छल ।

युद्ध अपराधक पिडकसबके आममाफी नहि दियौः राष्ट्रसंघ


२७ भादव, काठामाडौं । संयुक्त राष्ट्रसंघ मानवअधिकार उल्लंघन तथा युद्ध अपराधके पिडकसबके आममाफी नहि देबय आग्रह केलक अछि ।

माओवादी द्वन्द्वकालमे लागल मुद्धासब फिर्ता लेबय माँग कऽरहल समय राष्ट्रसंघक नेपालस्थित आवासीय प्रतिनिधी रोवर्ट पाइपर आ मानवअधिकार उच्चायुक्तके कार्यालय प्रमुख ज्याति साङ्घेरा आइ संयुक्त विज्ञप्ती जारी कऽ गम्भीर अपराधक मुद्धासबमे आममाफी देबयके या मुद्धाफिर्ता लेबयके माँग नहि करय दलसबसँ आग्रह कएलनि अछि ।

अहिना उच्चायुक्तके कार्यालय प्रमुख साङ्घेरा कहलनि अछि जे-कानुन गम्भीर मानवअधिकार उल्लंघन तथा बलात्कार, बलपूर्वक बेपत्ता करयके काज, यातना आ गैरकानुनी हत्या सहितक युद्वअपराधके पीडकसबके लेल आममाफी देबयके कोनो उपायसबके आस्वीकार करयके बातमे जोड देबय परत ।

विज्ञप्तीमे आवश्यक विधयक पारित कऽ सत्य निरुपण तथा मेलमिलाप आयोग आ बेपत्ता जाँचबुझ आयोग गठन करयके सरकारी प्रतिवद्धताके स्वागत केलक अछि ।

भारतमे कैद सजाय सुनौने माओवादी नेता उपर कुटनीतिक पहल सुरु


काठमाडौ, भादव २७ । भारतक पटनास्थित उच्च न्यायलयद्वारा कैद सजाय सुनौने माओवादीक ११ नेताके सजाय माफ कराबय सरकार कुटनीतिक पहल शुरु केलक अछि ।

आइ प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई भारतीय राजदुत जयन्त प्रसादके सिहंदरबारमे भेट कऽ सजाय माफीके प्रक्रियाबारे भारत सरकारके जानकारी कराबय आग्रह केलक अछि ।

जवाफमे  राजदुत प्रसाद ओ मुद्दा सरकारवादी भेला सँ ओइठामक राज्य सरकारसँ जानकारी देलाबाद मात्र थप बिमर्श करय सकयके  जानकारी देलनि । अहिना भेटमे द्वीपक्षीय हीत  आ सहयोगक  विषयमे सेहो बिमर्श भेल छल ।

तत्कालीन युद्धके समयमे पटनामे गिरफ्तार भेल माओवादी नेताके राजद्रोहके मद्दा लगाओल गेलासँ लोकतन्त्र स्थापनाक बाद सजाय पौअनाइ न्याय अनुचित नहि हाएत कहैत प्रधानमन्त्री माफीके पहल सुरु केलनि अछि ।

द्वन्द्वकालके सब मुद्दा फिर्ता हाएतः महान्यायाधिवक्ता


२७ भादव, काठमाडौँ । नवनियुक्त महान्यायाधिवक्ता मुक्ति प्रधान १० वर्षे सशस्त्र युद्धके समय माओवादी नेतासब उपर लगाओल गेल सब मुद्दा फिर्ता लेब बतौलनि अछि ।

रिपोर्टर्स क्लब आइ राजधानीमे आयोजना केने साक्षात्कारमे बजैत प्रधान शासन व्यवस्थाविरुद्ध लड्यके क्रममे लागल सब मुद्दा राजनीतिक भेलासँ राजनीतिक प्रतिशोधके आधारमे लगाओल गेल ओहन सब मुद्धा फिर्ता कएल जाएत बतौलनि । २०४६ साल सँ राजनीतिक प्रकृतिके मुद्दा फिर्ता लेबय सुरु भेल स्मरण करैत ओ मुद्दा फिर्ता नहि लेने रहित तऽ माधवकुमार नेपाल, केपी ओली, झलनाथ खनाल सबके हत्या सम्बन्धि बिषयमे २० वर्ष जेल सजाय भोगय परत तर्क कएलनि ।

ओ राजनीतिक प्रतिशोध, द्धन्द्ध, आन्दोलनके आधारमे लगाओल गेल मुद्दा फिर्ता करयके सिद्धान्तमे आपत्ति प्रकट करय नहि चाही कहैत राजनीतिक खोल ओढि कऽ कएल गेल गम्भीर प्रकृतिके मुद्दा  फिर्ता लेबय  नहि चाही स्पष्ट कएलनि । भारतके पटना उच्च अदालत ११ माओवादी नेता कार्यकर्ता उपर सुनौने सजाँयबारे गृहकार्य जारी रहल कहैत सरकार उपयुक्त कदम उठाओत जानकारी करौलनि ।

एक दु दिनमे ब्रेक थ्रुः प्रधानमन्त्री


२७ भादव, काठमाडौँ । प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई सरकार शान्तिप्रक्रियामे एक दु दिन भितरमे ब्रेक थ्रु करयके काज कऽ रहल बतौलनि अछि ।

संवैधानिक समितिके आजुक बैसारमे बजैत भट्टराई माओवादी सेनाके लडाकुसबहक समायोजन आ पुर्नस्थापनाबारे किछुए दिनमे ब्रेक थ्रु करयके योजनामे सरकार रहल बतौलनि अछि । शान्ति प्रक्रियाप्रतिके सरकारक प्रतिबद्धतामे विश्वास करय आग्रह करैत ओ किछुए दिनमे लडाकु पुर्नवर्गीकरण कार्य सुरु होबयके जानकारी देलनि ।

लेखाद्वारा वित्तिय संस्थाके अवस्था बुझय अध्ययनटोली गठन


२७ भादव, काठमाडौँ । व्यवस्थापिका संसद् अन्तर्गतके सार्वजनिक लेखा समिति बैंक तथा वित्तिय संस्था सञ्चालनके अवस्थाबारे अध्यन करय एक समिति गठन केलक अछि ।

सिंहदरबारस्थित समितिके कार्यालयमे आइ बैसल बैसारसँ माओवादी सभासद् केशव नेपालक संयोजकत्वमे तीन सदस्यीय अध्ययन टोली गठन केलक अछि । टोलीमे राजेन्द्र खेतान आ कमला पन्त सदस्य अछि । टोलीके बैंक तथा वित्तिय संस्थासबहक अवस्था समेटल प्रतिवेदन बुझाबय तीन सप्ताहक समयसीमा उपलव्ध कराओलगेल समिति सभापति रामकृष्ण यादव जानकारी देलनि ।

टोली संयोजक नेपाल बैंक तथा वित्तिय संस्था संचालनके वर्तमान अवस्था, समस्या आ चुनौती समेटल प्रतिवेदन तयार करयके जिम्मेवारी देल गेल जानकारी देलनि । ओ आइए बैसार कऽ अध्ययन टोली काम शुरु करत बतौलनि । समिति घाटामे सञ्चालित सरकारी संस्थानसबहक अवस्था सुधारयके विषयमे बिमर्श करय आगामी ३० भादवमे प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई आ अर्थमन्त्री वर्षमान पुनके बजाबयके निर्णय समेत केने सभापति रामकृष्ण यादव बतौलनि ।

लीबिया में विद्रोहि पर गंभीर आरोप


भादव २७, लिबिया । अंतरराष्ट्रीय मानवाधिकार संगठन एमनेस्टी इंटरनेशनल लीबियाके राष्ट्रीय अंतरिम परिषदक अधिकारीसँ गद्दाफ़ी विरोधीके दिससँ भऽ रहल मानवाधिकार उल्लंघनके रोकय लेल आग्रह कएलक अछि ।

एमनेस्टी इंटरनेशनलके कहब अछि जे कर्नल गद्दाफ़ीके समर्थक सेना  भिडन्तक क्रममे अंतरराष्ट्रीय क़ानूनके उल्लंघन केने अछि मुदा  गद्दाफ़ी समर्थक सेनाके सेहो कहब अछि जे बिद्रोहीके दिस सँ सेहो मानवअधिकार उल्लँघनके घटनासब भेल अछि जाहिके अपनासब लग प्रमाण सेहो रहल अछ । अहिमे यातना देबयके आ गद्दाफ़ी समर्थक होबयके आशँकामे कतेकौ गोटेके हत्या करय जेहन अपराधसब कएल गेल दाबी अछि ।

संगठन लीबियाके नयाँ नेतृत्व सँ अपन समर्थक पऽ  नियन्त्रण राखय कहलक अछि आ साथे मानवाधिकार उल्लंघनके आरोपके जाँच करय सेहो कहलक अछि ।.

विस्फोटमे कम सँ कम १२० गोटेके मृत्यु


केन्या, भादव २७ । केन्याके  राजधानी नैरोबीके एक झोपड़पट्टी सँ भऽ क गेल तेलके पाइपलाइनमें भेल विस्फोटमे  कम सँ कम १२० गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

प्रत्यक्षदर्शीके अनुसार  पाइपलाइनसँ लिक भऽ रहल तेलके जमा करय काल ओ बिष्फोट भेल छल । एक स्थानीय पुलिसक अनुसार १६० गोटेके अस्पतालमें भर्ना कराओल गेल अछि आ मरयबलाके सँख्या आओर बढि सकैत अछि ।

प्रधानमंत्री राइला ओडिंगा लोकसबसँ शांति बनाबय अपील कएलनि अछि आ ओ  वादा केलनि जे मृतक परिवारसबके क्षतिपुर्ति देल जाएत ।

बारुण यन्त्र दमकलसब आगि मिझाबयमे लागल अछि तऽ पुलिस आ सेना ओइ क्षेत्रके पुर्ण रुपमे अपन नियन्त्रणमे लेने अछि । मुदा अखनधरि बिष्फोट कोन कारणसँ भेल से पता लागय नहि सकल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन