Saturday, March 05, 2011

लीबियामे अखन भीषण गोलाबारी

फागुन २१ । लीबियामे अखन कर्नल गद्दाफ़ीके समर्थक सैनिकसब ज़िविया शहर पऽ कब्ज़ा करयके कोशिश करहल समय ओइठाम अखन भीषण गोलाबारी सहित भिडन्त भरहल अछि ।

राजधानी त्रिपोलीस 50 किलोमीटरके दूरी पऽ स्थित ज़िविया शहरमें कर्नल गद्दाफ़ीके विरोधीके उपर विमान-रोधक बंदूक आ घातक हथियारके प्रयोग कएल जा रहल अछि ।

गद्दाफ़ीके बिरुध्द लड़ि रहल विरोधीके एक प्रवक्ता कहलनि जे ओकर लड़ाई भले ही ताकतवर सरकारस अछि मुदा हुनका उम्मीद छन्हि जे ओ जीतताह ।

अनेरास्ववियु बृहत् शैक्षिक सम्मेलन करत

काठमाडौं, फागुन २१ । अनेरास्ववियु स्पष्ट शिक्षा नीति निर्माण करय लेल ७५ ओ जिल्लामे बृहत् शैक्षिक सम्मेलन करय लागल अछि । अनेरास्ववियुके हालेमे बैसल सचिवालय बैसारस एक हप्ते बृहत् शैक्षिक सम्मेलन करयके निर्णय केलक अछि ।

देशमे स्पष्ट शिक्षाके नीतिगत खाका नै भेलास गुणस्तरीय शिक्षा प्रदान करय नै सकिरहलास बृहत् शैक्षिक सम्मेलन कक सुझाव संकलन करय लागल अनेरास्ववियुके अध्यक्ष माधव ढुङ्गेल जानकारी देलनि ।

पहिल चरणमे प्रत्येक जिल्लामे होबयबला शैक्षिक सम्मेलनस संकलन भेल एजेन्डासभके काठमाडौँमे होबयबला बृहत् शैक्षिक सम्मेलनस निष्कर्षके रूपमे सार्वजनिक कएल जाएत ओ बतौलनि ।

बृहत् शैक्षिक सम्मेलनस देबयबला सुझाव नेपालके स्पष्ट शैक्षिक नीति निर्माणमे सहयोग पहुँचत अनेरास्ववियुके विश्वास अछि ।

राष्ट्रिय टि-ट्वान्टी क्रिकेटक उपाधि भैरहवाके

वीरगञ्ज, फागुन २१ । वीरगन्जमे आइ सम्पन्न एमजी ट्रफी राष्ट्रिय टि ट्वान्टी क्रिकेट प्रतियोगिताके उपाधि क्षेत्र नम्बर ४ भैरहवा जितलक अछि । फाइनल खेलमे घरेलु टोली क्षेत्र नम्बर दु वीरगन्जके १४ रनक अन्तरस हरबैत भैरहवा उपाधि उपर कब्जा केलक अछि ।

खेलमे टस जित कऽ व्याटिंग केने भैरहवा निर्धारित २० ओभर खेलैत ८ विकेटक क्षतिमे १ सय ११ रन बनौने छल । भैरहवाके लेल लालबहादुर अधिकारी ३७ बलमे ५२ आ कृष्ण कार्की २७ बलमे २६ रनक योगदान देने छलथि । जवाफी व्याटिंगमे उतरल वीरगन्ज १९ ओभर दु बलमे सम्पूर्ण विकेटक क्षतिमे ९७ रन मात्र बनाब सकल । वीरगञ्जक लेल कप्तान बिनोद दास सर्वाधिक ३८ रनक योगदान देलनि ।

प्रतियोगितके बिजेता भैरहवा नगद एकलाख आ ट्रफी तथा उपविजेता बीरगन्ज नगद ५० हजार पौलक अछि । गैर आवासीय नेपाली उपेन्द्र महत्तोद्वारा प्रबर्द्धित महत्तो समूहक आयोजनमे बितल फागुन १४ गतेस शुरु भेल प्रतियोगितामे राष्ट्रिय स्तरके विभिन्न ८ टा क्षेत्रीय टोलीके सहभागिता छल ।

सरकार पूर्णता जल्दिए पाओत : प्रधानमन्त्री


काठमाडौं, फागुन २१ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल आब जल्दिए सरकार पूर्णता पाओत दावी कएलनि अछि । आइ राजधानीमे आयोजित १२ हम् यदु स्मृति दिवस तथा यदु स्मृति पत्रकारिता पुरस्कार वितरण समारोहमे कौल्हुका मन्त्रिपरिषद् विस्तारस एक महिनाधरि सरकार विस्तार नै भेलास देशमे छाएल अन्यौलता अन्त्य केने बतौलनि ।

नयाँ संविधान सब नेपाली जनताके आकाङ्क्षा अनुसार बनय परत कहैत प्रधानमन्त्री खनाल नयाँ संविधान आ शान्तिप्रक्रियाके पूर्णता देबय एखुनक सरकार प्रतिबद्ध अछि बतौलनि ।’

प्रधानमन्त्री खनाल आम नेपालीमे नयाँ संविधान बनयके आ शान्तिप्रक्रिया निश्कर्षमे पहुँचयके आश जागल बतौलनि ।

आईपैडके लेल पहिल ई-पत्रिका – बिज्ञान

मीडिया मुगल रूपर्ट मर्डोक आईपैड टैबलेट कंप्यूटर पऽ पढ़य लेल एकटा इलेक्ट्रॉनिक पत्रिकाके शुरुआत केलनि अछि ।

'द डेली' नामक ई समाचारपत्र पाठकके 14 सेंट्स यानि 40 डलर सालाना बुझौलाबाद प्राप्त हाएत जे कि अमरीकामें बिकाएबला पारंपरिक पत्रिकाके तुलनामें बहुत सस्ता अछि ।

ई समाचारपत्र एक मल्टीमीडिया प्रोडक्शन अछि जाहिमे हाईडेफिनीशन वीडियो आ तस्वीर उपलब्ध कराओल जाएत । तहिना, फ़ेसबुक आ ट्विटरस कनेक्शनके सँग सँग पारंपरिक पत्रिकामे छपाए बला लेख सेहो उपलब्ध हाएत ।

मुदा ई एखन सिर्फ़ अमरीकामें मात्र उपलब्ध अछि आ एकर लाँच न्यूयार्कमें रूपर्ट मर्डोक केलनि ।

मर्डोकके कहब छलनि जे ई पत्रिका ओ लाखों पाठकके लेल अछि जे पत्रिका नहि पढ़ैत छथि आ नहिए टीवी देखय पबैत छथि ।

हतियारसहित युवासब गिरफ्तार

विराटनगर, फागुन २१ । सुनसरीके विभिन्न स्थानस हातहतियार सहित युवासभ गिरफ्तार भेल अछि । इटहरी ४ मे एक युवाके इटलीमे बनल पेस्तोल सहित पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।

गिरफ्तार होबयबलामे इटहरी-४ के नेत्रवहादुर पौडेल रहल अछि । ओकर सँगस पेस्ताल सहित दु थान गोली आ दु टा म्यागजिन बरामद भेल प्रहरी निरीक्षक श्यम लाल सुब्बा बतौलनि । अहिना, इलाका प्रहरी पकली भासी गाविसके झुम्कास पेस्तोल सहित दुटा गोली, दबिया आ छुरी सहित ४ गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।

गिरफ्तार होबयबलामे भासी-५ के ३२ वर्षक प्रकाश श्रेष्ठ, २८ वर्षक चेजन्द्र सिंह, २८ वर्षक भीम राई आ श्रीपुर-७ के ३३ वर्षक हैदर अली रहल अछि । ओसब प्रयोग केने को ५ प ७९२३, को २ प ४२६६, आ को ४ प २९६८ नम्बरक मोटरसाइकल पुलिस बरामद केलक अछि ।

संयुक्त राष्ट्र प्रतिबंध फिर्ता लौक :लीबिया


एजेन्सी, फागुन २१ । लीबियाके सरकार संयुक्त राष्ट्रस कर्नल ग़द्दाफ़ी उपर लगाओलगेल प्रतिबंध फिर्ता लेबय लेल आग्रह केलक अछि ।

संयुक्त राष्ट्रके लिखल एक पत्रमें लीबियाके विदेश मंत्री मूसा कूसा कहलनि जे प्रदर्शनकारीके उपर कोनो किसिमक बल प्रयोग नहि काएल जा रहल अछि । एहनमे संयुक्त राष्ट्रके प्रदर्शनकारीके उपर कार्रवाहीके लेल लगौने प्रतिबंध फिर्ता लेबयके चाही ।

लीबिया पऽ हमला करऽके रणनीति बना रहल उपर कारबाही करऽ लेल लीबिया संयुक्त राष्ट्रस आग्रह केलक अछि ।
संयुक्त राष्ट्रके प्रवक्ता मार्टिन नेसर्की के अनुसार लीबिया अपन पूर्व विदेश मंत्री अली अब्दुस्सलाम तरेकीके संयुक्त राष्ट्रमें लीबियाके नयाँ प्रतिनिधी नियुक्त केलक अछि ।

संयुक्त राष्ट्रमें लीबियाके पूर्व प्रतिनिधी अब्दुर्रहमान शलघाम लीबियाके जनांदोलनके समर्थनमें इस्तीफ़ा देलनि अछि ।

राजधानी त्रिपोलीमें काल्हि नमाज़के बाद सैंकड़ो प्रदर्शनकारीके तितर-बितर करय लेल सुरक्षाकर्मीसब प्रदर्शनकारी उपर पर लाठी चार्ज आ आंसू गैस छोडने छल ।वायु सेना त्रिपोलीमें प्रदर्शनकारी उपर बमबारी सेहो केने छल ।

भट्टराईके श्रद्धान्जली देबयबला सबहक बाडेगाउँमे भिड

काठमाडौं, फागुन २१ । नेपाली काङ्ग्रेसक संस्थापक नेता एवम् पूर्वप्रधानमन्त्री कृष्णप्रसाद भट्टराईके श्रद्धान्जली देबय राजनीतिक नेता तथा सर्वसाधारणके ललितपुरक बाँडेगाउँस्थित सरकारी आश्रममे भीड लागल अछि ।

काठमाडौंके नर्भिक अस्पतालमे बितलराति ८७ वर्षक उमेरमे निधन भेलाबाद भट्टराईके पार्थिव शरिरके श्रद्धान्जलीके लेल बाँडेगाउँस्थित आश्रममे राखलगेल अछि ।

भट्टराईके श्रद्धान्जली देबय उपराष्ट्रपति परमानन्द झा, प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल, उपप्रधानमन्त्रीद्वय कृष्णबहादुर महरा आ भरतमोहन अधिकारी, शान्ति मन्त्री वर्षमान पुन ‘अनन्त’, भौतिक योजना तथा निर्माण मन्त्री टोपबहादुर रायमाझी, राजनीतिक दलक नेता बाँडेगाउँ पहुँचल छलथि । अहिना बाँडेगाउँ आ ओइ आसपासक गाउँस सेहो सर्बसाधारण आ शुभेच्छुकसब श्रद्धान्जली देबय भट्टराई आश्रम पहुँचल अछि । श्रद्धान्जलीके लेल आइ दिनभरि हुनक पार्थिव शरिरके भट्टराई आश्रममे राखल जाएत ।

३ वर्षमे 'सब नेपालीके हातमे फोन’


काठमाडौ, फागुन २१ । तीन वर्षभितर देशके सब गोटेके हातमे फोन सेवा पहुँच जाएत दूरसञ्चार प्राधिकरण दाबी कएलक अछि । अखनेके दरमे आधारभूत तथा मोबाइल विस्तार होइतो तीन वर्षमे सम्भव होबयके देखल गेल अछि ।

प्राधिकरणके १३ हम् वाषिर्कोत्सवके अवसरमे अध्यक्ष भेषराज कँडेल कहलनि जे, अखनधरि १ करोड ३० लाख गोटे फोन प्रयोग क रहल अछि । जे कुल जनसंख्याके करिब ३८ प्रतिशत अछि । हालके दूरसञ्चार वृद्धिदर ४२ दशमलव ५ प्रतिशत अछि । अहि आधारमे तीन वर्षमे शत प्रतिशतमे फोन पहुँच जाएत ओ कहलनि । प्राधिकरणके तथ्यांक अनुसार एक वर्षमे करिब दूरसञ्चार घनत्व ११ प्रतिशतस बढल अछि । बितल अगहनमे २६ प्रतिशतमे टेलिफोन सेवा रहल छल त अहि मंसिरमे ई ३७ प्रतिशत नाँघल अछि ।

शान्ति प्रक्रियाके लेल सहयोग नै करत त कांग्रेसके घाटाः दाहाल


भद्रपुर, फागुन २१ । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल कांग्रेस शान्ति प्रक्रियामे सहयोग नै करत त ओकरे घाटा हाएत बतौलनि अछि । ओ शान्ति प्रक्रियाके निष्कर्षमे पहुँचाबय कांग्रेस सहयोग करत से विश्वास व्यक्त कयलनि ।

भद्रपुर विमानस्थलमे आइ संचारकर्मीसबसंग बातचित करैत दाहाल एक प्रकारस सरकारके पूर्णता भेट गेलास आब सेना समायोजनके प्रक्रिया आगु बढाओल जाएत बतौलनि । ओ माआवादी लडाकुके अलगे फोर्स बनाबयके या मिश्रित फोर्स बनाबयके विषयमे एमालेसंग सहमति भ गेलास वायह अनुसार बढब बतौलनि ।

ओ पार्टीस दु चरणमे सरकारमे मन्त्री पठाबयके रहलास पहिल चरणमे पठाचुकल आ जल्दिए बाँकी मन्त्रीसब पठाओल जाएत जानकारी देलनि । २०२९ सालमे इलामके सुखानीमे पंचायत सरकार हत्या कक शहीद भेलसबहक स्मरणमे आयोजित सभामे भाग लेबय दाहाल जाए लागल छथि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन