Saturday, December 24, 2011

आत्मघाती आक्रमण, ६ गोट सुरक्षाकर्मीके मृत्यु


९ पुष पाकिस्तान । पाकिस्तानके ख़ैबर पख़्तून ख़्वाह प्रांतमें अर्धसैनिकबल पर भेल एक आत्मघाती आक्रमणमें ६ गोट सुरक्षाकर्मीके मृत्यु भेल अछि तऽ अन्य १२ गोटे घाइल  भेल अछि ।

एक वरिष्ठ पुलिस अधिकारी अब्दुल्लाहके अनुसार बन्नू शहरसँ करीब पाँच किलोमीटरके दूरी पर वज़ीरिस्तान के मुख्य शहर मीरान शाह जाए बला सकड़ पर इ आक्रमण कएल गेल छल । ओ बतौलनि जे आइ भिन्सर एकटा  आत्मघाती हमलावर विस्फ़ोटक सँ भरल एकटा गाडीके  अर्धसैनिक बलके गाड़ी सँ ठक्कर मारने छल ।

जाहिमे अर्धसैनिकबलके ६ गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ अन्य १२ गोटे घाइल सेहो भेल अछि । घाइलसबके  स्थानीय अस्पतालमे इलाजक लेल पठाओलगेल अछि ।

पुलिसके अनुसार बिष्फोट एतेक जबर्दस्त छल जे आसपासक घरमे सेहो बहुत नोक़्सान पहुँचल अछि आ ओतय रहल गाड़ीसबमे सेहो क्षति पहुँचल अछि ।

अब्दुल्लाह शाह बतौलनि जे आत्मघाती हमलाके बाद किछ अज्ञात हतियारधारी फ़ायरिंग सेहो केलक मुदा ओइसँ कोनो क्षति नहि भेल अछि । बिष्फोटके बादसँ बन्नू आ आसपासक क्षेत्रमे सुरक्षा व्यवस्था कड़ा बनाओलगेल अछि ।

अहि हमलाक तहरीके तालिबान पाकिस्तान  ज़िम्मेदारी लेलक अछि । तालिबान के प्रवक्ता एहसा नुल्लाह  बीबीसीके टेलीफ़ोन कऽ इ ज़िम्मेदारी लेलक अछि ।

ट्याक्टरके ठक्करसँ मृत्यु


विश्वनाथ ठाकुर

९ पुष सर्लाही सर्लाहीक सदरमुकम मलंगवाम ट्याक्टरक ठक्करसँ गम्भीर घाइ ेल एक गोटेके मृत्यु भेल अछि

मलंगवा २ निवासी अन्दाजी ५० वर्षक उमा साहके मलंगवा विशाल पेट्रोल पम्प लग बितलराती ८ बजेमे एक ट्याक्टर ठक्कर देलासँ गम्भीर घाइलाबाद साहक इलाजक लेल विरगंज लऽ जाइत काल बाटेमे मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि

माओवादीक केन्द्रीय समितिब बैसार बैसय जाऽ रहल


९ पुष काठमाण्डौ । एकीकृत नेकपा माओवादीक केन्द्रीय समितिक बैसार ैसय जाऽ रहल अछि

पार्टी कार्यालय पेरिसडाँडामे बेरियामे ३ बजे बैसय लागल बैसारमे अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड तत्कालिन कार्ययोजना सहितक प्रस्ताव पेश करताह । शान्ति संविधान निर्माणके मुख्य कार्यभार कहैत प्रस्तावम जनपरिचालन पार्टीभितरके अन्तरसंघर्षके कम करा कऽ आगु बढ प्रस्ताव कएलगेल अि मुदा वरिष्ठ उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण पक्ष रुक आ देखयके नीति लेने अि

बैद्य पक्ष शान्ति प्रक्रिया, संविधान निर्माण, कब्जा सम्पक्ति फिर्ता सहितक विषयम १३ बुँदे फरक मत पेश केने अि

विवाद समाधान उपसमितिक बैसार निष्कर्षबिहिन


९ पुष काठमाण्डौ । संबैधानिक समिति अन्तर्गतक विवाद समाधान उपसमितिक आजुक बैसार विना निष्कर्ष सम्पन्न भेल अछि

संविधानम असंसोधनिय धारा प्रस्तावनाक बिषयमे बिमर्श होइतो बात मिल हि सकल माओवादी नेता देव गुरुङ जानकारी देलनि । गुरुङक अनुसार संविधानक प्रस्तावनाम जनयुद्ध राखयके कि हि राखयके बिषयमे  सहमति जुटय नहि सकल अछि   संविधानक प्रस्तावनासँ जनयुद्ध हटावयके बिषयमे अपनेसब सहमत होवय नहि सकल बतौलनि

अहिसँ आगु देव गुरुङ अनुपस्थित एटा बैसारमे उपसमितिक संयोजक एवम माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड संविधानक प्रस्तावनाम जनयुद्धक बदला स्त्र संघर्ष राख सहमत भेल छल । बैसारक बाद पत्रकारसंग नेता गुरुङ अखनधरि माओवादी नरम भेलाक कारण सहमति भेलासँ आब काङ्ग्रेस एमालेके सेहो नरम होवय परत बतौलनि माओवादीके आत्मसमपर्ण करा कऽ संविधान लिखल नहि जाऽ सकैय उल्लेख कएलनि

facebook Page Like

  • मनोरँजन