Wednesday, November 17, 2010

रमजान इदके बाद मुस्लिमसबहक दोसर पैघ पावनि बकर इद आइ नेपाल सहित बिश्वभरि एक आपसमे आशिर्बाद तथा शुभकामना आदान प्रदान क भब्य रुपमे मनाबिरहल अछि ।

इस्लामके पाँच आधार स्तम्भमेस हजके मुख्य मानल जाति अछि । बकर इद मुस्लिम समुदायके हज अर्थात तिर्थाटन आ बलिदानक रुपमे मनाओल जाति अछि । इ खुशीके महिना भेलास इ पावनि ३ धरि मनाओल जाति अछि । मुदा अहिमे रोजा अर्थात उपवास रहय नै पडैत अछि ।अहि पावनिमे हज करय जाय चाहबलासब सायदी अरबके मकका आ मदिना सेहो जाति छथि ।

इदगाहमे नमाज पढलाक बाद मुसलमानसब अपन अपन घरमे बलि दैत अछि मुदा इ गरिबसबहक लेल अनिवार्य नै अछि । पैघ जानबरक बलि ७ गोटे मिलकय द सकैत अछि त खसि जेहन छोटके बलि १ गोटे मात्र द सकबाक प्रचलन रहल अछि । बलि देल माउसके ३ भागमे बाँटल जाति अछि । जाहिमे १ भाग गरिबके देल जाति अछि त दोसर भाग कर कुटुम्बके आ तेसर भाग अपने परिवारमे रखबाक परम्पर। अछि ।

आजुक दिन अपनास पैघस आशिर्बाद लेबयके आ छोटके आशिर्बाद देकयके एक आपसमे शुभकामना आदान प्रदान करयके तथा चौपायाके बलि द गरिबसबमे बाँटिक इ पावनि मनाओल जाति अछि । अइ पावनिमे सेबइ दुध केरा पुलाउ जेहन खानासब खाएल जाति अछि ।

धर्म निरपेक्ष राष्ट्र घोषणा केलाबाद आजुक दिन सरकार सार्वजनिक छुटटी सेहो देने अछि ।

………………………॥

चिनियाँ कम्युनिष्ट पार्टी केन्द्रिय समिति सदस्य छिङ वेइ नेतृत्वक टोली नेपाल आएत कहल गेल कार्यक्रम रद्ध भेल अछि । ६ सदस्यीय ओ टोली अगहन ९ गते नेपाल आबयबला छल ।

अनेक कारण देखबैत ओ कार्यक्रम रद्ध क चिन सँस्कृति मन्त्री काइ बुके नेतृत्वमे दोसर टोली नेपाल आबिरहल अछि । चिनियाँ सँस्कृति मन्त्रीके टोली अगहन १९ गते नेपाल आओत बतााअेल गेल अछि ।

अगहन २१ गतेधरि नेपालमे रहयबला ओ टोली प्रधानमन्त्री अपन समकक्षी सँँस्कृति मन्त्री मिनेन्द्र रिजाल तथा मुख्य दलक शिर्ष नेतासबसँग सासामयिक बिषयमे परामर्श करयके सँगही बुद्धके जन्मस्थल लुम्बिनिके सेहो भ्रमण करताह बताओल गेल अछि ।

………………………………॥

बिद्युत प्राधिकरण आइस हप्ताके २९ घण्टा लोडसेडिङ करत जनौलक अछि ।

अहिस आगु हप्ताहके १४ घण्टा लोडसेडिङ करैत आबिरहल प्राधिकरण आब दोब्बर समय बढाक आइस २९ घण्टा केने प्राधिकरण भार सम्प्रेषण केन्द्रक प्रमुख चिरन्जिबि शर्मा जानकारी देलनि । मध्य मस्र्याङदी आयोजना मर्मत भरहलास लोडसेडिङ बढल ओ बतौलनि । अहि बर्ष माघ महिनास दैनिक १४ घण्टाधरि लोडसेडिङ होयबाक प्राधिकरण जनौलक अछि ।

……………………॥

हिन्दु धर्मालम्बीसब आइ हरिबोधनी एकादशी अर्थात पैघ एकादशी क रहल अछि ।

आजुक दिन तीर्थालु तथा ब्रतालुसब नजदिकक जलाशयमे जा नहा क बिष्णु भगवानके आराधना करैत उपवास रखैत छथि ।

पौराणिक कथा अनुसार मुर नामक दैत्यके आतँकस मुक्ति दियाब बिष्णुके पैघ सँघर्ष करय पडल छल । ओइके थकानस बिश्राम लेबय बदि्र आश्रम स्थित हिमबती गुफामे जा क सुतल समयके बिष्णुके देहस सुन्दर लडकीके जन्म भेल छल । ओ लडकी कातिक शुक्ल एकादशीके दिन बध कायल गेल मुर नामक दैत्य जमिनमे बजारने बडका आबाजस बिष्णु निन्दस जागलाक कारण आजुक दिनके हरिबोधनी एकादशी कहल जाति अछि ।

आजुक दिन उसनल अलुहा कदिमा खायके प्रचलन रहल अछि ।

……………………………………।

अन्तर्राष्ट्रिय नाटय महोत्सव २०१० आइस राजधानीमे शुरु भरहल अछि । महोत्सबके बेरियामे २ बजेबाद राष्ट्रपति रामबरण यादब पुरानो बानेश्वरके गुरुकुलस्थित सम नाट्य घरमे उद्धघाटन करताह ।

अगहन २१ गतेधरि चलयबला महोत्सबमे १६ देशके २१ टा नाटक प्रस्तुत कायल जाएत । महोत्सबमे नेपालके दिसस सुमुना कर्णाली नामक नाटक प्रस्तुत कायल जाएत । महोत्सब अबधिभरि कार्यशाला एबम परामर्श सेहो कायल जाएत जनाओल गेल अछि ।

………………………………

नेपालमे एक गोटेके बहुत कठिन शल्यकृया कायल गेल अछि । लाठीस हृदय फेफडामे भेँसाक आरपार भेल सिन्धुपाल्चोकके ५५ बर्षक मोतीमाया तामाङके सफल शल्यकि्रया कायल गेल शल्यकि्रया बिभागक प्रमुख डा। भगवान कोइराला बतौलनि अछि ।

पहाडक उचाइस खसल तामाङके २ इन्च मोट लाठी सिधे छातीमे मुटु फेफडा आ कलेजामे भेँसाइत आरपार भ ओ लाठी ओहीमे गडले छल । सिन्धुपाल्चोक अस्पताल घाइल तामाङके ओ लाठीके बिना हिलौने ड्रेसिङ क केन्द्रमे पठौने छल । शल्यकि्रयामे सँलग्न डा। कोइरालाके अनुसार एहन किसिमस लाठी या रडस भेँसाएल ब्यक्तिके बिना हिलौने डोलौने असपतालधरि लाएल जा त बचाओल जा सकैय मुदा अपनेस इ चिज निकालयके कोशिस कायल जाएत त ओकर मृत्यु होयबाक सँभावना बेसी रहैत अछि ।

मनमोहन कार्डियोथोरासिक एण्ड भास्कुलर सेन्टरमे तामाङके शल्यकि्रयामे ८ घण्टाके समय लागल छल ।

………………………………

नेपाली काँग्रेसक केन्द्रिय सदस्य अर्जुन नरसिँह केसी बलस बिचार लादयबला अलोकतान्त्रिक प्रकृया बिरुद्ध कलम चलाबय पत्रकारसबस आग्रह केलनि अछि ।

नेपाल प्रेस युनियन पाल्पा शाखाके छठम जिल्ला अधिबेशनस नबनिर्वाचित पदाधिकारीसबके बधाइ ज्ञापन कार्यक्रममे आइ ओ लोकतन्त्रके सँवाहकके रुपमे प्रेसके काज करयपर जोड देलनि ।

हरेक बिचारके स्वतन्त्रता देबय पडैत अछि मानयता नेपाली काँग्रेसक रहल ओ बतौलनि ।

…………………………




facebook Page Like

  • मनोरँजन