Monday, August 15, 2011

काल्हिसँ देशभरि यातयात ठप्प करबाक चेतावनी


३० साउन, काठमाडौं । यातयात व्यवसायीसब सरकार समक्ष पेश केने ४१ सूत्रीय माग पूरा नहि होबयधरि काल्हिसँ देशभरि यातायात ठप्प करयके चेतावनी देलक अछि ।

आइ राजधानीमे पत्रकार सम्मेलन कऽ नेपाल यातायात व्यवसायी राष्ट्रिय महासंघ, नेपाल ट्रक ट्याङ्कर तथा परिवहन व्यवसायी महासंघ, ढुवानी व्यवसायी महासंघ आ नेपाल पेट्रोलियम ढुवानी व्यवसायी महासंघ आन्दोलनक चेतावनी देलक अछि ।

ओसब नेपालक सडक यातयातमे सतप्रतिशत निजी क्षेत्रके अरवौं रुपैयाँ लगानी रहल आ अहिसँ लाखौंके रोजी रोटीके व्यवस्था भऽरहल  दावी करैत सरकारके अपनासबहक माँग तत्काल पूरा करय परत माँग केने अछि । यातायात ब्यवसायीसब सरकारके अगि्रम कर तिरैत आएल निजी क्षेत्रके लगानी सुरक्षा आ यातायातके समग्र विकासमे सरकार उदासिन देखलगेल आरोप लगौलक अछि ।

पत्रकार सम्मेलनमे नेपाल यातायात राष्ट्रिय महासंघक अध्यक्ष योगेन्द्रनाथ कर्माचार्य स्वरोजगारके नाममे सरकार वादी समूदायके युवासबके यातायातसब खरिद कऽ चलाबय देब कहि देने निर्णय कऽक आरो नयाँ गाडी आनिकऽ निजी व्यवसायीसबके धारासायी बनाबय चाहने आरोप लगौलनि ।

देउवा पक्ष काल्हि भिन्सरधरि रुकताह


३० साउन, काठमाडौं । संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल विरुद्ध अविश्वासके प्रस्ताव दर्ता करयके तयारीमे रहल नेपाली कांग्रेसक वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पक्षधर काल्हि भिन्सरधरि रुकयबला छथि ।

महामन्त्री कृष्णप्रसाद सिटौला सहितक नेतासबहक आग्रहमे सहमतिके लेल आइ दिनभरि पहल करय लागल देउवा पक्षक एक शीर्ष नेता बतौलनि ।

अहिसँ आगु देउवा पक्ष आइ बेरियामे संसदीय दलक नेता पौडेल विरुद्ध अविश्वासके प्रस्ताव दर्ता करयके तयारी केने छल । अपनासँग भेल सहमति अनुसार संसदीय दलक नेता नहि बनाकऽ सभापति सुशील कोइराला प्रधानमन्त्रीके उम्मेदबार होबयसँ रोकय चाहने देउवाके आरोप छलनि ।

पदाधिकारी मनोनयनसम्वन्धी प्रस्ताव पारित करबैत काल देउवाके दलका नेता बनाबयके, सह महामन्त्री आ मनोनयन करय बाँकी पाँच मे सँ २ केन्द्रीय सदस्य देउवा पक्षसँ करयके सहमति भेल छल । सहमति कार्यान्वयन करय आग्रह करैत काल सभापति दलक नेता रामचन्द्र पौडेलसँग सहमति करय आ  नहि हाएत त प्रक्रियागत रुपमे आबय कहलासँ अविश्वासके प्रस्ताव दर्ता करय परल हुनकासबहक कहब छन्हि ।

संसदीय दलक नेता पौडेल देउवा तीन बेर प्रधानमन्त्री भऽचुकल कहैत अखन अपने प्रधानमन्त्रीके उम्मेदवार बनयके अडानमे छथि । दलक नेता परिर्वतनके लेल आवश्यक सभासद अपनासँग रहल देउवा पक्षक दावी अछि । १ सय १४ सभासद रहल कांग्रेसमे दलक नेता परिर्वतनके लेल ५८ सभासद आवश्यक परत ।

इराक़ में बम बिष्फोट, ३४ गोटेके मृत्यु


इराक साउन ३० । केंद्रीय इराक़में भेल २ टा बम बिष्फोटनमे परि कमसँ कम  ३४ गोटेके मृत्यु भेल अछि त ६० सँ बेसी गोटे घाइल भ गेल अछि ।

पुलिस आ स्थानीय अधिकारीके अनुसार कुत शहरके मुख्य चौबटिया लग किछुए मिनेटके अंतरमे पहिने सड़क कातमे बिष्फोट भेल छल त दोसर राजधानी बग़दादके दक्षिण-पूर्वमें स्थित कुत शहर सँ १६० किलोमीटरके  दूरीमे कार बम विस्फ़ोट भेल अछि ।

इराक़के उप स्वास्थ मंत्री कहलनि जे अस्पतालमें घाइलसबहक आबयके क्रम अखनो जारी अछि मुदा स्थिति नियन्त्रणमे अछि ।

ओतय जुलाई  महीनामे मात्र कुल २ सय ५९ गोटेके मृत्यु भ चुकल अछि ।

सीरियामें युद्धपोत आ टैंक स फ़ौजी कार्रवाई


सिरिया साउन ३० । उत्तरी सीरियामें लाताकिया शहरमें फ़ौजी कारबाहीमे परि कम सँ कम १९ गोटेके मृत्यु भेल अछि । विद्रोही पर समुद्र आ ज़मीनसँ भीषण हमला कएल गेल अछि जाहिमे मानवाधिकार कार्यकर्ताके अनुसार कम स कम १९गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

पहिल बेर सीरियाई फ़ौज युद्धपोतके अहि लड़ाईमें सामिल केने अछि आ टैंक के मदतसँ रिहायशी इलाक़में गोलाबारी केलक अछि ।.

मिस्र आ ट्यूनिशियामें अहि साल फ़रवरीमें सरकार विरोधी प्रदर्शन भेल अछि त सत्ता परिवर्तनके बाद स सीरियामें मार्चे सँ सरकार विरोधी प्रदर्शन भऽरहल अछि ।

मानवाधिकार कार्यकर्ताके अनुसार मार्च स अखनधरिमे ओतय १ हजार ७ सय आम नागरिकके फ़ौजी कार्रवाईमें मृत्यु भेल अछि ।

प्रदर्शनकारीसब राष्ट्रपति बशर अल असदके राजीनामा  आ व्यापक राजनीतिक सुधारके मांग कऽरहल अछि ।

सीरियामें बितल ४० साल सँ असदके परिवार सत्तामें अछि आ राष्ट्रपति असद  किछ राजनीतिक सुधारके वादा सेहो केने छथि ।

फोटो सँसार


टेण्डर विवादमे दाहाल आ भट्टराईपक्षीय युवाबीच पिटापिट


गोरखा, श्रावण ३० । दुर्गम गाविसमे पठाओल जाएबला खाद्यान्न ढुवानी टेण्डर दर्ता विवादमे माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल आ उपाध्यक्ष बाबुराम भट्टराई पक्ष युवाबीच पिटापिट भेल अछि ।

मारिपिटमे दुनु पक्षक एक/एक गोटे घाइल भेल अछि । संस्थापन पक्षक वाईसीएल जिल्ला सचिव हरिबहादुर पाण्डे आ भट्टराई पक्षक अशोक लामिछाने घाइल भेल अछि । दुनुके माथमे चोट लागल अछि ।

लामिछानेके अबस्था गम्भीर रहल स्वास्थ्य संस्था जनौलक अछि । टेण्टर प्रतिपर्धा कराबयके या नहि कराबयके विषयमे दुनु समुह बीच मारिपिट भेल अछि । दाहाल पक्षक कार्यकर्ता प्रतिस्पर्धा नहि कराकऽ पार्टीके काम करयके योजना बनौने छल ।

 भट्टराई पक्षधर प्रतिपर्धा कराबय परत कहलाबाद झडप भेल बताओलगेल अछि । उत्तरी गोरखाके सात गाविसके लेल सरकार खाद्यान्न ढुवानी करैत आएल अछि । ओ ढुवानी ठेक्काके र्फम दर्ता कराबयके बिषयमे दुनु पक्षमे बात नहि मिललाबाद युवाबीच झडप भेल पुलिस जनौलक अछि ।
प्रहरी नायव उपरीक्षक बहादुर जंग मल्लके अनुसार झडपमे दाहाल पक्षक युवाके तीन टा मोटरसाइकल तोडफोड भेल अछि ।

काठमाडौंसँ आएल युवाके बा ४० प ४८७४,  बा ३० प ७३१३ आ बा ४१ प २१५३ नम्बरक मोटरसाइकल तोडफोड भेल अछि । संस्थापन पक्ष टेण्डर छिनय काठमाडौंसँ ६० स बेसी गुण्डासब लौअने भट्टराई पक्षधर कार्यकर्ताके आरोप अछि । ओइ मेस दु गोटेके पुलिस  गिरफ्तार क चुकल अछि ।

भ्रष्टाचार के लेल कोनो रामबाण नहि अछि : मनमोहन


साउन ३० भारत । भ्रष्टाचार देशके बिकासक लेल बहुत बडका रूकावट अछि मुदा इ कोनो एकटा बड़का क़दमस समाप्त नहि हाएत भारतक प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह  बतौलनि अछि।

स्वतंत्रता दिवसक ६५ हम् सालगिरह पऽ लाल क़िलाके प्राचीरस भाषण दैत भारतीय प्रधानमंत्री कहलनि जे, "दुनियां इ मानैत अछि जे कि भारत एकटा बहुत बड़का आर्थिक ताक़तके रूपमें ठार भऽ सकैय मुदा अपनासबहक प्रगतिके रास्तामें भ्रष्टाचार एकटा बहुत बड़का रूकावट अछि ।."

मनमोहन सिहं कहलनि जे बितल किछ महीनामें भ्रष्टाचारके कतेकौ मामला सामने आएल अछि जाहिमे किछ मामलामें केंद्र सरकारके लोग पर आरोप अछि त किछ अन्य मामलामें विभिन्न राज्य सरकारके लोग पऽ सेहो आरोप अछि आ इ  ज़रूरी अछि जे हमसब भ्रष्टाचारके बिरुद्धमे लड़ाई जारी राखी मुदा, "इ बिचार राखय परत जे जखन अहि बिषयसब पऽ चर्च करी तखन देशके प्रगति प प्रश्न नहि उठे ।"

ओ आगु कहलनि जे हमरा बिचारमे भ्रष्टाचारके खतम करय लेल अपनासबके कतेकौ मोर्चों प एक साथ काज करय परत ।

आशा सहनी -मोडेल


कांग्रेस कार्यकर्ताके सहिद घोषणा करय फोरमद्वारा रिले अनसन


इनरुवा, श्रावण ३० । बितल साउन १३ गते सुनसरीके देवानगन्जमे पुलिसक गोली लागि मृत्यु भेल काग्रेस कार्यकर्ता सानु यादबके सहिद घोषणा करयके माँग करैत मधेशी जन अधिकार फोरम नेपाल सुनसरी आइसँ सदरमुकाम इनरुवामे रिले अनसन सुरु केलक अछि ।

भिन्सर १० वजेसँ जिल्ला प्रशासन कार्यालय सुनसरी आगु फोरम कार्यकर्तासब त्रिपाल टाँगिकऽ रिले अनसन सुरु केने अछि । फोरम नेपालक जिल्ला अध्यक्ष भागिरथ शर्मा खत्बेके नेतृत्वमे ११ गोटे जिल्ला स्तरिय कार्यकर्तासब आइके अनसनमे बैसल अछि । भादव १ गतेधरि रिले अनसन जारी रहत आ ओकरबाद सेहो राज्य पक्ष मृतक यादबके सहिद घोषणा नहि करत आ परिवारके क्षतिपुर्ती नहि देत त आरो कडा आन्दोलन कएल जाएत फोरम सुनसरी जनौलक अछि । बितल साउन १३ गते भारत दिससँ लाबि रहल रुइ पुलिस नियन्त्रणमे लेलबाद उत्पन्न बिबादके क्रममे सुनसरीके देवानगन्जमे चलौने पुलिसक गोली लागि स्थानिय सानु यादबके मृत्यु भेल छल ।

घटनाके बाद अपन कार्यकर्ताके मृत्यु भेल कहैत नेपाली काग्रेस सुनसरी आन्दोलन कऽरहल अछि त मधेशवादी दलसब मलखाधके लेल किसानके बेटाके मारने कहैत आन्दोलित भेल अछि । ओइ घटनावारे एक हप्ताके समय दऽ क गृह मन्त्रालय आ नेपाली काग्रेस गठन केने अलगे अलग छानविन समिती दु हप्ता बितलाक बादो प्रतिबेदन सार्वजनिक करय नहि सकल अछि ।

फोटो सँसार


आशा सहनी


आशा सहनी - मोडेल

facebook Page Like

  • मनोरँजन