Sunday, November 13, 2011

हमर राजनीतिक भविष्य समाप्त करबाक षड्यन्त्र भेलः ढुंगेल


२७ कात्तिक, काठमाडौं । सरकार राष्ट्रपति समक्ष आममाफी देबय प्रस्ताव केने सभासद बालकृष्ण ढुंगेलके राजनीतिक प्रतिशोध लेबय विरोधीसब रचने षड्यन्त्रमे अपने परल बतौलनि अछि ।

सभासद ढुङ्गेल आइ पत्रकार सम्मेलन कऽ अपना विरुद्ध लागल आरोपके सफाई दैत अपना विरुद्धके प्रचार/प्रसार राजनीतिक भविष्य समाप्त करयके षड्यन्त्र रहल बतौलनि अछि ।

जनयुद्धके समयमे माओवादी विरुद्ध लिखु अपरेसनचलबैत सूराकी केने आरोपमे पार्टी २०५५ साल असारमे भुवनकुमार श्रेष्ठके सफाया केने कहैत ओ व्यक्तिगत रुपमे अपने निर्दोष रहल दावी सेहो कएलनि ।

ओ सरकार संवैधानिक विधि अनुसारे अपन मुद्दा फिर्ता लेलगेल उल्लेख करैत आलंकारीक राष्ट्रपति सरकारके सहयोग करयके विस्वास सेहो व्यक्त कएलनि ।

ढुंगेलके आममाफी सिफारिस कार्यान्वयन नहि करय सर्वोच्चके आदेश


२७ कात्तिक, काठमाडौं । सर्वोच्च अदालत माओवादी साभासद बालकृष्ण ढुंगेलके आममाफी देबय सरकार केने सिफारिस तत्काल कार्यान्वयन नहि करय अन्तरिम आदेश देलक अछि ।

सरकारक सिफारिस कार्यान्वयन रोकयके माँग करैत हत्या कएलगेल उज्जनकुमार श्रेष्ठके दिदी सावित्री दायर केने रिटमे सर्वोच्चके न्ययाधीश ताहिल अली अन्सारीके एकल इजलाससँ तत्कालके लेल निर्णय कार्यान्वयन नहि करय आदेश देलक अछि ।

अपहरणमे परल युवकके हत्या


सर्लाही, कार्तिक २७ । ९ दिन आगुसँ अज्ञात समूहद्वारा अपहरणमे परल सर्लाही शंकरपुर गाविस७ के २८ बर्षक विजय रायके  आइ हत्या भेल अछि ।

हत्या कऽ क सिमावर्ती त्रिभुवननगर गाविसके दसगजा लग फेकल अवस्थामे आइ दुपहर पुलिस शवके बरामद केलक अछि ।

मोटरसाइकलमे घर जातिकाल औरही गाविसके ढ्यांग्रा खोला लग १९ गते राति ५/६ गोटेके समूह रायके अपहरण केने छल । डाँरमे एक गोली लागल आ घेउँट दबा कऽ मारने अवस्थामे भेटल रायके शवके ओकर परिवार सनाखत केने प्रहरी उपरीक्षक मोहनराज जोशी बतौलनि ।

पुलिसक अनुसार भारतदिस हत्या कऽ क शव नेपाल दिस दशगजा सँ करिब १० फिट एम्हर फेकल गेल छल। शवसँगै अपहरणकारी हत्या करयके कारण खुला कऽ पत्र सेहो छोडने छल ।

अपह्रिरत प्रशासनके सहयोग लेलासँ हत्या कएलगेल पत्रमे उल्लेख रहल जोशी बतौलनि ।

माधव सरकारेके पालामे आममाफी देबयके सहमति भेल दाहालक दाबी


काठमाडौं, कार्तिक २७ । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल पूर्ववर्ति माधवकुमार नेपाल सरकारके पालामे सभासद् बालकृष्ण ढुङ्गेलके आममाफी देबयके मौखिक सहमति भेल दाबी कएलनि अछि ।

लुम्बिनीके विकासमे अन्तर्राष्ट्रिय सहयोग जुटाबय अमेरिकालण्डन होइत आइ स्वदेश घुरल दाहाल त्रिभूवन विमानस्थलमे सञ्चारकर्मीसँग इ बात बतौलनि अछि । ओ वर्तमान सरकार ढुङ्गेलके आममाफी देबयके दलसबबीचक मौखिक सहमति कार्यान्वयन मात्रे केने बतौलनि ।

ओ आममाफीबारे कांग्रेसएमाले केने विरोधबारे बिमर्श कऽ क सहज ढंगसँ निकास खोजल जाएत जानकारी देलनि ।

दाहाल लुम्बिनी विकासबारे लुम्बिनीमै अन्तर्राष्ट्रिय बैसार करयके आ ओइके अध्यक्षता राष्ट्रसंघ महासचिव बान की मुन आ अपने संयुक्त रुपमे करयके जानकारी देलनि । बैसार आगामी फेब्रुअरी अन्त्य या मार्चके पहिल सप्ताहमे होबय सकत हुनक कहब छलनि ।

लुम्बिनीबाद एकर अनुगमनके लेल फलोअपबैसार न्यूयोर्कमे करयके आ ओइके अध्यक्षतामे सेहो दुनुके करयके सहमति भेल बतौलनि । दुनु बैसारबारे ठोस सहमति भेल अछि,’ दाहाल कहलनि ।

भट्टराईके सेहो प्रचण्डके जेहन हालत हाएत केसीके चेतावनी


२७ कात्तिक, पोखरा । नेपाली कांग्रेसक नेता अर्जुननरसिंह केसी माओवादी सभासद बालकृष्ण ढुंगेलके आममाफी देबय सिफारिस करयके निर्णय फिर्ता नहि लेत तऽ प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराईके सेहो तत्कालिन प्रधानमन्त्री प्रचण्डके जेहन हालत हाएत चेतावनी देलनि अछि ।

आममाफीके सिफारिस फिर्ता नहि लेत तऽ भट्टराई तत्कालिन प्रधासेनापति रुकमाङगत कटवालके कार्यकल बाँकी रहिते हटबैत समय प्रचण्डके सत्ता छोडय परनाइ जेहन भोगय परत हुनक कहब छलनि । पोखरामे आइ आयोजित पत्रकार भेटघाटमे कांग्रेस नेता केसी कहलनि जे ढुंगेलके मुद्धा राजीनितिक नहि भऽ व्यक्तिगत रहलासँ आममाफी कोनो हालतमे स्वीकार्य नहि हाएत । नेता केसी दलसबबीच भेल सातबुँदे सहमतिके मसी सुखय नहि पबैत सरकार पक्षेसँ सहमति उल्लङ्घन होबय लागल आरोप सेहो  लगौलनि ।

माओवादीके लडाकूके समायोजन आ हतियारक व्यवस्थापन नहि होबयधरि कांग्रेस माओवादी नेतृत्वक सरकारमे सहभागी नहि हाएत कहैत ओ सहमतीय सरकारक नेतृत्व कांग्रेसके करय परत धारणा रखलनि । संविधानसभाक निर्वाचनके बाद माओवादी आ एमाले दु/दु बेर सरकारक नेतृत्व कऽ चुकलासँ सेहो आब कांग्रेसके पालो आएल हुनक जिकिर छलनि ।

गाँजा तस्कर आ पुलिसबिच दुतर्फी गोली चलल, दु तस्कर गिरफ्तार


पर्सा, कार्तिक २७ । पर्साके सोनवर्सा गाविसमे बितलराति पुलिस आ गाँजा तस्करबीच दुतर्फी गोली चलल अछि।

मकवानपुरसँ  जङ्गलके बाट भऽ पर्सा लऽ जाऽ रहल गाँजाके प्रहरी चौकी सेढवासँ खटल पुलिसक टोली नियन्त्रणमे लेबय चाहलाबाद गाँजा तस्कर आ पुलिसबीच दुतर्फी गोली चलल छल ।

पुलिसक टोली गाँजा नियन्त्रमे लेबय चाहलाबाद तस्कर पुलिसके लक्षित कऽ तीन राउण्ड गोली चलौलाबाद आत्मरक्षाक लेल पुलिस एक राउण्ड गोली चलैबतै तस्करसब भागल जिल्ला प्रहरी कार्यालय, पर्साक प्रवक्ता प्रहरी नायब निरीक्षक रवीन्द्र केसी जानकारी देलनि ।

पुलिस भिडन्तक क्रममे पर्साके सोनवर्सा गाविस५ निवासी  वीरबल यादव आ इमामुल गद्दीके ४ बोरा गाँजा सहित गिरफ्तार केलक अछि । दुतर्फी गोली चललाक बादो कोनो मानवीय क्षति नहि भेल पुलिस जनौलक अछि ।

रासायनिक खादके मूल्य बढाबयके कृषिमन्त्रीक खुलासा


इनरुवा, कार्तिक २७ । किसानसबहक लेल अत्याबश्यक रासायनिक खादमे मोल सरकार बढाबयके तयारी केलक अछि ।

किसानके आबश्यक पाँचलाख मेट्रिक टन रसायनिक खादक अभाव रहितो बैकल्पिक व्यवस्था करय नहि सकल सरकार रासायनिक खादके मोलमे बृद्धि करयके तयारी केलक अछि । किछुए दिन भितरे सरकार रासायनिक खादके मोल बृद्धि करयके तयारी केने कृषि तथा सहकारी मन्त्री नन्दन कुमार दत्त जानकारी देलनि ।

सुनसरी सदरमुकाम इनरुवामे आइ भिन्सर सञ्चारकर्मीसबसँग बात करैत मन्त्री दत्त भारतीय बजारमे सेहो किछ  दिन एम्हर रासायनिक खादके अभाव भऽ रहलासँ भारतदिस रहल मोले बराबरके मोल रखलासँ नेपाली वजारसँ भारतदिस तस्करी होबयके सम्भावना रहलासँ सरकार किछ मोल बढाबय लागल जानकारी देलनि ।

किसानसबके अखन करिव सात लाख मेट्रिक टन खादके आवश्यकता रहलासँ भारत सहित अन्य देशसँ दु लाख मेट्रिक टन मात्रे आयात भऽ रहलासँ पाँच लाख मेट्रिक टन खादके अखनो नेपालमे अभाव रहल मन्त्री दत्त बतौलनि ।

मन्त्री दत्त रासायनिक खादके बिकल्पमे अर्गानिक खादके उत्पादन सुरु करयके निर्णय मन्त्रिपरिषदसँ भेल जानकारी दैत अर्गानिक खादके उत्पादन करयके निजी क्षेत्रके सरकार अनुदान उपलब्ध कराओत बतौलनि ।

मॉडल लरीसा रिकेल्मे


ढुंगेलके आममाफी देबयके निर्णयमे पुनर्विचार नहि हाएतः प्रधानमन्त्री


२७ कात्तिक, काठमाडौँ । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई माओवादी सभासद् बालकृष्ण ढुंगेल उपर लागल व्यक्ति हत्याक अभियोगम आममाफी देबयके सरकारक निर्णयम पुनर्विचार होबय नहि सकत बतौलनि अछि

माल्दिभ्सम सम्पन्न दक्षिण एशियाली सहयोग संगठन (सार्क ) क १७ हम् शिखर सम्मेलनम भाग लऽ स्वदेश घुरिते त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलम सञ्चारकर्मीसँग बात करैत प्रधनमन्त्री भट्टराई सरकार सोचविचार कऽ क शान्ति सम्झौताक मर्म अनुसार सभासद् बालकृष्ण ढुंगेलके आममाफीके लेल राष्ट्रपतिसमक्ष सिफारिस कएल गेलासँ ओइमे पुर्नविचार करय नहि मिलत स्पष्ट कएलनि

ओ आगु कहलनि जे द्वन्द्वक क्रमम देशम १५ हजार नागरिक ज्यान गुमौने चर्च करैत प्रधानमन्त्री हत्याक घटनाम व्यक्ति व्यक्तिके मुद्धा लगाओल जाए तऽ केउ बाँकी नहि रह चेतावनी देलनि

सार्क सम्मेलन क्षेत्रीय सम्वन्ध विस्तार तथा विकासक हिसाबसँ सफल फलदायी भेल ओ जानकारी देलनि

अर्थविद् प्याकुरेलके अवस्था गम्भीर


२७ कात्तिक, काठमाडौँ । वरिष्ठ अर्थविद् विश्वम्भर प्याकुरेलके स्वास्थ्य अवस्था जटिल अवस्थामे पहुँचल अछि ।

मस्तिष्कघात भेलाबाद हुनका थापाथलीस्थित नर्भिक इन्टरनेशनल अस्पतालमे भर्ना कराओल गेल अछि । अपने घरमे बोहोस भऽ खसलाबाद प्याकुरेलके तत्काल अस्पताल पहुँचाओलगेल छल । प्याकुरेलके सघन कक्षमे राखिक ऽ इलाज भऽ रहल आ अवस्था गम्भीर रहल नर्भिक अस्पताल जनौलक अछि । चिकित्सकसब देने जानकारी अनुसार प्याकुरेलके रक्तचाप एकदमे कम अछि ।

यात्रुबस सुनकोसीमे खसल १ गोटेके मृत्यु


२७ कात्तिक, काठमाडौँ । सिन्धुपाल्चोकके सुकुटे लग आँपकोट ६५ किलो कहायबला स्थानमे आइ भिन्सर भेल यात्रुबस दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ एक दर्जनसँ बेसी यात्रु घाइल भेल अछि ।

मृत्यु होबयबलामे दोलाखाके अर्जुन खड्का रहल पुलिस जनौलक अछि । बाह्रबिसेसँ काठमाडौँ दिस जाऽ रहल बा २ ख ६२५९ नम्बरक बस अरनीको राजमार्गके सडकसँ सुनकोसी नदीमे खसि कऽ दुर्घटना भेल पुलिस जनौलक अछि । दुर्घटनामे करिब एक दर्जनसँ बेसी यात्रु घाइल सेहो भेल अछि । विपरीत दिशसँ आबिरहल मोटरसाइकलके बचाबयके क्रममे बस अनियन्त्रित भऽ  नदीमे खसल पुलिस जनौलक अछि ।

मृतक खड्का मोटरसाइकल पाछु सवार रहल बताओल गेल अछि । घटना होइते पुलिस आ स्थानीयबासी घाइलके उद्धार कऽ अस्पताल पहुँचौने छल । घाइलसबहक खाडीचौर स्वास्थ्यचौकी आ धुलिखेल अस्पतालमे इलाज भऽ रहल अछि । अहिबीच काँकडभिट्टासँ काडमाडौँदिस जाऽ रहल ना ३ ख ७३७५ नम्बरक रात्रीबस आइ भिन्सर चितवनके दारेचोकस्थित नाग्दी खोलामे दुर्घटना भेलासँ ओइमे सवार १३ गोटे घाइल भेल अछि । घाइलसबहक भरतपुरमे इलाज भऽरहल पुलिस जनौलक अछि ।

माओवादीक बैसार काल्हि धरिके लेल घुसकल


२७ कात्तिक, काडमाडौँ । आइसँ सुरु हाएत कहलगेल एकीकृत नेकपा माओवादीक बहुप्रतिक्षीत केन्द्रीय समितिक बैसार काल्हि धरिके लेल घुसकल अछि ।

लुम्बिनीके विकासमे अन्तर्राष्ट्रिय समर्थन जुटाबय अमेरिका गेल अध्यक्ष प्रचण्ड नेपाल आबयमे अबेर केलासँ बैसार घुसकाब परल पार्टी जनौलक अछि ।  सचिव पोष्टबहादुर बोगटी अध्यक्ष प्रचण्ड आइ बेरियामे स्वदेश पहुँचलासँ बैसार काल्हिधरिके लेल घुसकाओलगेल जानकारी देलनि । बैद्य पक्ष जानिबुझि कऽ बैसार के काल्हिधरि घुसकाओलगेल आरोप लगौलक अछि ।

अहिसँ आगु पोलिट्ब्युरो आ स्थायी समिति पार्टीमे देखलगेल विभिन्न विवादके अन्त्य करयके जिम्मेवारी केन्द्रीय समितिके देने छल । बैद्य पक्ष लडाकुके हतियार राखल कन्टेनरके चाबी बुझा कऽ आत्मघाती कदम उठौने, भारतसँग बिप्पा आ सरकार गठन आगु मधेसी मोर्चासँग कएलगेल ४ बुँदे सम्झौता राष्ट्रघाती भेल आरोप लगबैत आएल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन