Saturday, October 22, 2011

एक गोटेके ३९ टा कनिया , ९४ टा बेटा बेटी


मर्दके सात गो कनिया कहाबत गाउँदिस अखनो चर्चित अछी मुदा चिनके एक पुरुष महामर्द साबित भेलाह अछि । कारण जे हुनका  ३९ टा कनिया आ  ९४ टा बेटा बेटी छन्हि । ओतबे नहि कि   ३३ टा पोतापोती आ १४ टा बेटी जमाए कऽ क जम्मा जम्मी १ सय ८० गोटेके परिवार सँगे मिलजुलि कऽ रहैत छथि । इ परिवार विश्वके सबसँ पैघ परिवारक रुपमे गिनिज बुकमे नाम सेहो लिखौने अछि ।


ऐतेक बहुत बेसी जनसंख्या भेल इ परिवार १ सय कोठली रहल ४ तल्लाके घरमे रहैत अछि । ६७ वर्षक जिओना चाना बहुते पत्नीके पति आ बहुते बेटाबेटीके बाबु बनय पौलासँ एकदमे खुश छथि । ओ सबसँ पहिने बियाह केने कनियाके उमेर ६९ वर्ष अछि तऽ सबसँ पाछु केने कनियाके उमेर ३० वर्ष अछि ।

ऐतेक बेसी सदस्य रहल परिवारमे सैनिक ब्यारेकमे जेहन अनुसासन कायम अछि । ६९ वर्षक जेठ पत्नी जाथियांगी ककरा कि करयके , कुन पत्नीके सरसफाइ करयके, कपडा धोबयके तथा खाना पकाबयके अछि से  कार्यतालिका बनबैत छथि ।

परिवारक सब सदस्यके लेल खाना पकेनाइ मामुली बात नहि अछि । एके छाकमे ६० किलो अलु, एक क्विन्टल चाउर आ ६० टा मुर्गाके माउस पकाबय परैत अछि । इ परिवार वास्तबमे एकटा गाम जका लगैत अछि । परिवारक लेल अलगे स्कुल, खेलमैदान, सुँगुर फार्म, मुर्गा फार्म आ तरकारी बारी अछि ।

ओना तऽ महिलासब सौतिन बर्दाश्त नहि करैत अछि मुदा  अहि  परिवारमे ३९ गोटे महिला एक दोसरके सौतिन होइतो मिल कऽ रहैत अछि । पतिसँ के सुतत  बिषयमे सेहो निश्चित कार्यतालिका होइत अछि आ फेराफेरी ओसब पतिसँग सुतैत अछि आ कहियो काल तऽ एके रातिमे दु गोटाके मौका अबैत अछि । मुदा  कम उमेरके पत्नीसँग बेसी राति बितबैत छथि जिओना ।

उमेरसँ बृद्ध भेलाबादो ओ अखनो अपने बियाह करयसँ नहि थाकल आ लडकी मिलत तऽ आरो बियाह करयके इच्छा रहल बतौलनि ।

१३ गोटे डाँकु गिरफ्तार


काँकडभिट्टा, कार्तिक ५ । डकैतीमे संलग्न १३ गोटेके पुलिस आइ  हतियारसहित गिरफ्तार केलक अछि ।

झापाके चारपाने स्थित तुलसी गौतमके घरमे बितल राति भेल डकैती घटनामे संलग्न १३ गोटेके इलाका प्रहरी कार्यालय विर्तामोडक टोली गिरफ्तार केलक अछि । ओकरासबहक सँगसँ कटुवा पेस्तोल, अटोमेटिक पेस्तोलसब आ गोली सेहो बरामद कएलगेल जिल्ला प्रहरी कार्यालयके एसपी तारिणी लम्साल जानकारी देलनि ।

गिरफ्तार भेल सबके हुलिया गोप्य राखलगेल अछि । डकैतीके घटनामे एतेक संख्यामे अपराधी गिरफ्तार कएल गेल झापामे इ पहिल अछि ।

सुगा


पुल टुटि कऽ त्रिशुली नदीमे खस्लासँ दु गोटेके मृत्यु


५ कार्तिक, काठमाडौं । चितवनके फिस्लिङ आ गोरखाके भुम्लिचोक गाविसके जोडयबला झोलुंगे पुल टुटि कऽ त्रिशुली नदीमे खस्लासँ दु गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ अन्य १३ गोटे घाईल सेहो भेल अछि ।

ओइमे तीनगोटे हेरा रहल आशंका कएल गेल अछि । मृत्यु होबयबलामे गोरखा बुँकोटके मानबहादुर आले आ भारतके १२ वर्षक फ्लोरेन्स रहल पुलिस जनौलक अछि । घाइलसबके उद्धार कऽ क इलाजक लेल चितवनके भरतपुर पठाओल गेल मुग्लिन पुलिस जनौलक अछि ।

काठमाडौसँ पोखराके लेल चलल भारतीय पर्यटकसब फिस्लिङमे गाडी रोकि कऽ पुलमे ठार भऽ क त्रिशुलीके र्‍याफ्टिङ्ग देखयके क्रममे आइ दुपहर १२ बजे झोलुँगे पूलके रस्सा टुटल छल । पुलिस आ स्थानियवासीके सक्रियतामे हेरारहलसबहक खोजी भऽ रहल अछि ।

गद्याफीक बाँडीगार्ड



कटुवा पेस्तोल आ गोली सहित सात गोटे गिरफ्तार


५ कातिक  झापा । झापाके विर्तामोडसँ दु थान कटुवा पेस्तोल आ ओइमे लागयबला सात थान गोली सहित पुलिस सात गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।

बितलराति गिरफ्तार होबयबलामे भारत नक्सलबाडीके अवदुल हक , किभेन सिंह कुमार महत्तो , अमातु महमद , वामी सरकार आ अनारमनी १ निवासी महिर मिया तथा काकँरभिट्टाके खुस महमद रहल अछि । ओकरासबके चारपाने ३ निवासी तुलसी गौतमके घरमे लुटपाट कऽ क भागयके क्रममे पुलिस गिरफ्तार केने इलाका प्रहरी कार्यलय विर्तामोड जनौलक अछि ।

गिरफ्तार भेल सातो गोटेके इलाका प्रहरी कार्यलय  विर्तामोडमे राखलगेल आ घटना बारे थप अनुसन्धान भऽ रहल पुलिस जनौलक अछि ।

सऊदी अरबके युवराज नहीं रहलाह


५ कातिक सऊदी अरब । साउदी अरबके युवराज सुल्तान बिन अब्दुल अज़ीज़के निधन न्यूयॉर्कके एक अस्पताल में भेल छन्हि ।

ओ कैंसर सँ पीड़ित छलथि आ ओ ८० बर्षसँ बेसी उमेरके छलथि ।

युवराज सुल्तान सऊदी अरबके संस्थापक सुल्तान अब्दुल अज़ीज़ बिन सऊदके कतेकौ बेटा मेसँ  एक बेटा छलथि । सुल्तान बिन अब्दुल अज़ीज़ करिब ४० सालधरि देशके रक्षा मंत्री छलथि ।

बिपा सम्झौता राष्ट्रघातीः खनाल


५ कात्तिक, काठमाडौँ । नेकपा एमालेक अध्यक्ष झलनाथ खनाल नेपाल भारतबीच काल्ह भेल द्धिपक्षीय लगानी संरक्षणसम्बन्धी (बिपा) सम्झौता राष्ट्रघाती रहल आरोप लगौलनि अछि

काठमाडौँक नयाँ न्हैकापम दियाबाती, छठि इदक अवसरमे आइ भिन्सर आयोजित चायपान कार्यक्रमम सहभागी भेल अध्यक्ष खनाल राष्ट्रियताक कडा बात करयबला प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराईक राष्ट्रियता नयाँ दिल्लीमे जाऽ क निकलल टिप्पणी कएलनि । सम्झौतासँ नेपालम भारतीय लगानी करयके कहबके खनाल ण्डन कएलनि सम्झौता राष्ट्रघाती सम्झौता अछि’, खनाल कहलनि, ‘अहिसँ नेपालम भारतीय लगानी बढत से हमरा नहि लगैत अछि

नेपालम लगानी बढाबयसँ बेसी भारतके मनाबयके उद्येयस्यसँ प्रधानमन्त्री बिपा सम्झौता केने खनालक आरोप छलनि ४ दिना औपचारिक भ्रमणक सिलसिलाम नयाँदिल्लीम रह प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई हुनक भारतीय समकक्षी मनमोहन सिंहक उपस्थितिम बिपा सम्झौताम काल्हि दु देशक अधिकारी हस्ताक्षर केने छलथि

एक दोसर विरुद्ध अपन भूमी प्रयोग करय नहि दियौ: भारतीय गृहमन्त्री


५ कात्तिक, नयाँदिल्ली । भारतीय गृहमन्त्री पी चितम्बरम नेपाल आ भातर एक दोसर विरुद्ध अपन भूमि प्रयोग करय नहि देबयमे सचेत रहय परतमे जोड देलनि अछि ।

भारतक ४ दिना औपचारिक भ्रमणमे रहल प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराईसँगके भेटमे चितम्बरम एहन बतौलक अछि । चितम्बरम प्रधानमन्त्री भट्टराईसँ भेटय आइ भिन्सर नयाँदिल्लीके चाणक्यपुरीस्थित होटल लीला प्यालेस पहुँचल छलथि । दु देशबीचक सीमा व्यवस्थापन होबय नहि सकलासँ  ओइसँ दुनु दिसक सुरक्षामे खडा केने चुतौती हटाबय गम्भीर होबय परत चितम्बरक कहब छलनि । नेपालक लेल भारतीय राजदूत जयन्त प्रसाद भेटमे चितम्बरम सीमा समस्या, अपराध नियन्त्रण, सुपूर्दगी सन्धि आ नेपालक अन्र्तराष्ट्रिय विमान स्थलमे भारतीय एयर मार्सल राखयके विषय रखने जानकारी देलनि ।

जवाफमे प्रधानमन्त्री भट्टराई चीन आ भारत दुनु पडोसी राष्ट्रविरुद्ध नेपाली भूमि प्रयोग होबय नहि देबयके प्रतिबद्धता जनौने छलथि ।

बिपा सम्झौता कऽ क राजनीतिक जुवा खेलने छीः प्रधानमन्त्री


५ कात्तिक, नयाँदिल्ली । प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई द्धिपक्षीय लगानी संरक्षण सम्बन्धी (बिपा)  सम्झौता कऽ क अपने राजनीतिक रुपमे जुवा खेलने बतौलनि अछि ।

नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघक आयोजनामे आइ भिन्सर भेल भारतीय उद्योगीसबहक संगठन सीआईआईके पदाधिकारीसबसँगक बिमर्शक क्रममे प्रधानमन्त्री भट्टराई नेपालमे भारतीय लगानी कऽ क रोजगारी सृजना करयमे अपनाके विरोध कएल जाएत बुझितो ओ सम्झौता कऽ क जुवा खेलने बतौलनि ।  प्रधानमन्त्री कहलनि हम इ जुवामे जितहु सकैत छी आ हारहु सकैत छी ।बिपा सम्झौता नेपालक आर्थिक विकासमे पैघ महत्व राखत प्रधानमन्त्रीक कहब छलनि । प्रधानमन्त्री भट्टाराई सम्झौतासँ नेपालमे लगानीके लेल द्धार खुजल कहैत निश्चिन्त भऽ क लगानी करय भारतीय उद्योगीसबसँग आग्रह कएलनि । नेपाल संक्रमणकाल सँ गुजिरतो लगानी सुरक्षाके प्रत्याभूति करय सरकार तत्पर रहल प्रतिबद्धता प्रधानमन्त्रीक छल ।

प्रधानमन्त्री नेपालमे लगानीके प्रमुख क्षेत्र रहल जलविद्युत, कृषि, पर्यटन तथा खानी जेहन क्षेत्रमे लगानी करय भारतीय उद्योगी व्यापारीसबसँग आग्रह कएलनि । कार्यक्रममे सी आई आई के पूर्वअध्यक्ष राजीव कौल नेपाल मनाबय लागल लगानी वर्षमे उद्योगी व्यापारीके पैघ टोली नेपाल जाएके प्रतिबद्धता जनौलनि । नेपाल उद्योग बाणिज्य महासंघ आ भारतीय उद्योग बाणिज्य संघ मिल कऽ नेपालमे सम्भाब्य लगानीके क्षेत्र देखाबयके योजना रहल जानकारी देलनि ।

राष्ट्रसंघीय कर्मचारीके सुरक्षा करय नेपाली सेना आइ इराक जाऽ रहल


५ कात्तिक, काठमाडौँ । इराकस्थित राष्ट्रसंघीय उच्च कर्मचारीके सुरक्षाक लेल नेपाली सेनाके एकटा टोली आइ इराक जाऽ रहल अछि ।

सेनाके युद्ध भैरब गणके प्रमुख प्रकाश देउजाके नेतृत्वमे ७५ सदस्यीय टोली आइ बेरियामे इराक जाए लागल अछि । राष्ट्रसंघक आहृवानमे विश्वके विभिन्न देशमे शान्ति स्थापना कार्यमे खटैत आएल नेपाली सेना पहिल बेर इराक जाए लागल अछि । अहिसँ आगु इराक स्थित राष्ट्रसंघीय नियोग आ अधिकारीसबहक सुरक्षामे खटल अमेरिकी सेना फिर्ता होबय लगलाबाद ओ जिम्मेवारी नेपाली सेनाके देबय लागल अछि । नेपाली सेनाके ओ टोली इराकके किर्कस शहरमे रहि कऽ राष्ट्रसंघ कर्मचारीके सुरक्षा करत ।

बसक ठक्करसँ एक गोटेके मृत्यु


५ कात्तिक, कपिलवस्तु । पूर्वपश्चिम राजमार्गअन्तर्गत कपिलवस्तुके बोडगाउँमे आइ भिन्सर यात्रुबस आ स्कुटर बिच भेल ठक्करमे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

मृत्यु होबयबलामे मोतिपुर-६ कपिलवस्तुके दीपक ज्ञवाली रहल पुलिस जनौलक अछि । दुर्घटनामे घाइल भेल विनोद चौधरीके बुटवलमे इलाज भऽ रहल अछि । पूर्वसँ पश्चिमदिस जाऽ रहल ना ३ ख ३८८८ नम्बरक बस सडकमे रोकि कऽ राखल लु १० प २०७० नम्बरक स्कुटरके ठक्कर देलासँ चौधरीके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल  अछि । ठक्कर देनिहार बस आ चालकके नियन्त्रणमे लऽ आवश्यक कारबाही प्रक्रिया शुरु कएल गेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय कपिलवस्तु जनौलक अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन