Saturday, October 08, 2011

कांग्रेसके बिनासर्त सरकारमे सहभागी होबय परत: सुजाता


काठमाडौ, आश्विन २१ । कांग्रेस नेतृ सुजाता कोइराला शान्ति प्रक्रियाके बाधकके पाठ सिखाबय कांग्रेसके बिनासर्त वर्तमान सरकारमे सहभागी होबय परत बतौलिह अछि ।

 रिपोर्टर्स क्लव नेपाल आइ राजधानीमे केने साक्षत्कारमे नेतृ कोइराला बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक सरकारके मजबुत बनाबऽ सरकारमे सहभागी होबय परत बतौलिह । ओ कहलिह जे, ‘माओवादी भितरके शान्ति बिरोधी मोहन बैद्य समूहके सेहो ठेकान लगाबय कांग्रेसके सरकारमे सहभागी होबय परत, माओवादी, कांग्रेस आ एमालेमे शान्ति बिरोधी तत्व अछि, ओकरासबके तह लगाबय सेहो बाबुराम भट्टराई सरकारक स्थायीत्व आवश्यक छैक ।

 कांग्रेस याह समय सरकारमे सहभागी भेल तऽ देशमे स्थायी शान्ति आओत’,कांग्रेस नेतृ कोइराला कहलिह, ‘दलिय आ व्यक्तिगत स्वार्थ त्यागि कऽ बाबुराम नेतृत्वक सरकारमे जाए परत, एमालेके सेहो आबय परत ।

 कांग्रेस सभापति गिरिजाप्रसाद कोइरला शान्तिके लेल वार्ता करय नर्कमे सेहो जाए तयार छी कहैत आएल स्मरण करबैत ओ कहलिह, ‘देशमे स्थायी शान्ति आओत त कांग्रेस माओवादी नेतृत्वक सरकारमे कैला नहि जाएत ?, सरकारमे जाएसँ  डेराए नहि चाही ।

ओ कांग्रेस अखनो सरकारमे सहभागीता जनाओत तऽ शान्ति बिरोधीतत्व सहयोग करय बाध्य हाएत दावी कएलिह ।

जापानी वायुसेना हटौलक २ सय सँ बेसी लड़ाकू जहाज़


२१ आसिन जापान । जापानके वायुसेना २ सयसँ बेसी एफ़-15 लड़ाकू जहाज़के हटौलक अछि ।

एक प्रशिक्षण सत्रके समय एफ़-15 लड़ाकू जहाज़के तेलके टंकी खसलाबाद जापान जहाज हटाब बाध्य भेल अछि ।

जहाज़के एकटा पंखके नीचा आगि लागल छल आ पश्चिमी जापानके एकटा शहर कोमात्सुमें बिमानके टुटल भागसब भेटल छल ।

तीन महीनामे इ दोसर बेर एफ़-15 के उड़ान रोकल गेल अछि ।

चीनमे सड़क दुर्घटनामें ५६ गोटेके मृत्यु


२१ आसिन चिन । चीनमें एक के बाद एक भेल सड़क दुर्घटनामे कम स कम ५६ गोटेके मृत्यु भेल अछि जाहि मेसँ ३५ गोटे एकटा बसमें यात्रा कऽ रहल छात्र छल ।

चीनीया अधिकारीके अनुसार चीनके उत्तरी इलाकामें तेज़ गतिस आएल एक बस एकटा कारके ठक्कर देलाबाद बस उनिट कऽ दुर्घटना भेल छल । जाहिके बाद यात्रुसब बससँ बाहर सडक पर खसल छल ।

चीनके पूर्वी प्रांत अनहुईमें घना धुनिके कारण २४ टा गाडी उपर गाडी चढ़ि गेलासँ १० गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

अहिना ११ गोटेके मृत्यु केंद्रिय हेनान इलाकामें एकटा ट्रकके एकटा जिपसँ ठकराएलाबाद भेल छल ।

पार्टीभितरके विवादके असर शान्ति आ संविधानमे परय नहि देबः प्रचण्ड


२१ आसिन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड पार्टी भितरके विवादके असर शान्ति आ संविधान निर्माण पऽ  नहि परत बतौलनि अछि ।

सभामुख सुवासचन्द्र नेम्वाङसँग आइ अपने निवासमे भेल भेटमे प्रचण्ड पार्टी भितरके आन्तरिक विवादसँ शान्ति आ संविधान निर्माणमे कोनो असर परय नहि देब बतौलनि । भेटमे नेम्वाङ दशैंके सँगै नेपाली जनता शान्ति आ संविधान खोजिरहलासँ तत्काल सम्वाद करय आग्रह कएने छलथि । दलसब दशैंआगुए सहमति हाएत कहितो नहि भेल स्मरण करबैत नेम्वाङ दशैंके बादे शान्ति प्रक्रियामे ब्रेक थ्रु करयके प्रतिवद्धता कार्यान्वयन करय आग्रह कएने छलथि ।
जवाफमे प्रचण्ड शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबय अपने गम्भीर रहल कहैत तत्काल दलसबसँग बिमर्श करब बतौलनि अछि । सभामुख नेम्वाङ आइए बेरियामे प्रधानमन्त्री डाक्टर बाबुराम भट्टराईसँग भेट कऽ शान्ति आ संविधान निमार्णबारे बिमर्श कऽ रहल छथि ।

माओवादी राष्ट्रिय कार्यकर्ता प्रशिक्षणके जमघट होबय जा रहल


२१ आसिन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादी आसिन २९ गते काठमाडौंमे राष्ट्रिय कार्यकर्ता प्रशिक्षणके जमघट करय लागल अछि ।

कन्टेनरके चाबी विशेष समितिके बुझौलाबाद उत्पन्न विवाद उत्कर्षमे पहुँचल समय माओवादी राष्ट्रिय कार्यकर्ता प्रशिक्षणके जमघट करय लागल अछि ।

पार्टी हेडक्वाटर अगुवा कार्यकर्तासबहक प्रशिक्षण जमघट बजौने माओवादी प्रवत्ता दिनानाथ शर्मा जानकारी देलनि । जमघटमे राज्यसमिति सदस्यसबधरिके सहभागिता रहत । कार्यकर्ता प्रशिक्षण जमघटमे पछिला राजनीतिक परिस्थितिबारे शीर्ष नेतासब प्रशिक्षिण देबयके कार्यक्रम रहल अछि ।

प्रचण्ड आ पौडेलबीच भेटवार्ता


२१ आसिन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड आ नेपाली कांग्रेसक उपसभापति रामचन्द्र पौडेलबीच आइ भेटवार्ता भेल अछि    प्रचण्ड निवास नयाँ बजारमे भेल भेटमे शान्ति आ संविधान निर्माणबारे बिमर्श भेल अछि ।

भेटमे पौडेल शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबय आग्रह केने छलथि । माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड सब विषयमे सहमति नहि होबयधरि समायोजन कएल जाएबला लडाकूसबहक संख्या आ पुनःस्थापना प्याकेजमे सहमति कऽ क लडाकू बर्गिकरण प्रक्रिया शुरु करय प्रस्ताव कएने छलथि । जवाफमे पौडेल सब विषयमे प्याजेकमे सहमति करयके अडान लेने श्रोतक कहब अछि ।

प्रचण्ड आ पौडेलबीच काल्हि माओवादी आ कांग्रेसक शीर्ष नेतासबहक बैसार बैसयके सहमति भेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन