Friday, January 06, 2012

सहमति नहि हाएत तऽ विकल्प खोजल जाएतः रावल


२२ पुष काठमाण्डौ ।  सेना समायोजन विशेष समितिक सदस्य भीम रावल शान्ति प्रक्रिया पुरा करैत लोकतान्त्रिक संविधान निर्माणक सम्बन्धमे काल्हि एकीकृत नेकपा माओवादीसँग निर्णायक बार्ता करयके खुलासा कएलनि अछि ।

रिपोर्टर्स क्लब काठमाडौमे रावल शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणमे विगतमे माओवादी केने सहमति पुरा करयके ठोस प्रतिबद्धता ब्यक्त नहि करत तऽ विकल्प खोजल जाएत चेतावनी देलनि । पहिल चरणमे सात बुँदे सहमतिके पक्षधर दलसबवीच बिमर्श करयके आ ओकरबाद माओवादी सहितके बिमर्श करयके जानकारी दैत ओइमे कोनो सहमति नहि भेल तऽ माओवादी बाहेकके दलसबसँग विकल्प खोजल जाएत हुनक कहब छलनि ।

४५ दिनभितर शान्ति प्रक्रियाके निष्कर्समे पहुँचाबयके प्रतिबद्धता सहित प्रधानमन्त्री बनल बाबुराम भट्टराई शान्ति प्रक्रिया निष्कर्समे पहुँचाबय नहि सकलासँ पदमे बैसयके नैतिकता गुमौने दावी करैत प्रधानमन्त्रीके पद छोडय परत बतौलनि । पछिला समये सहमति भऽ चुकल दर्जा मिलानमे विवाद उठेनाइ आ शासकीय स्वरुपमे प्रत्यक्ष निर्वाचित राष्ट्रपतिय ब्यवस्था नहि हाएत तऽ शान्ति प्रक्रिया आगु नहि बढौनाइ, शान्ति प्रक्रिया अवरुद्ध कऽ क देशके पुन द्धन्द्धमे धकलयके षडयन्त्र भेल आरोप सेहो लगौलनि ।

जेठ १४ गते भित्रे संविधान निर्माण भऽ जाएत प्रधानमन्त्री डा.भट्टराईके दावी


२२ पुष गोरखा । प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई कोनो  हालतमे आगामी जेठ १४ गते भितर संविधान निर्माण भऽ जाएत दावी कएलनि अछि ।

प्रधानमन्त्री डा.भट्टराई वाँकी रहलसबके छोट समयमे कहुना कऽ शान्ति प्रक्रियाके पुरा कऽ पछिला बेर बढाओलगेल संविधानसभाके जेष्ठ १४ गतेके समय भितरे संविधान निर्माण हाएत दावी कएलनि ।

संविधानसभाके निर्वाचनबाद प्रत्येक महिना जिल्ला जाएके कार्यक्रम अनुसार गृहजिल्ला पहुँचल प्रधानमन्त्री डा.भट्टराई उद्योग वाणिज्य संघ गोर्खाके वार्षिक साधारणसभाके आइ छहरेमे उद्घाटन करैत शान्ति प्रक्रिया पुरा कऽ बढाओलगेल समय भितर जँ संविधान जारी करय नहि सकब तऽ अपने इतिहासके कठघरामे ठार होवय तयार रहल जिकिर कएलनि । एकीकृत नेकपा माओवादीक उपाध्यक्ष सेहो रहल प्रधानमन्त्री डा.भट्टराई शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणक पक्षमे नहि रहयबला तत्वके कारण जनता अपेक्षा केने  अनुसारके काम अपने करय नहि सकल स्वीकार करैत डा.भट्टराई अपने राजधानी घुरिते प्रमुख दलका शीर्ष नेतासबसंग बिमर्श कऽ क संविधानके विवादित बुँदासबमे सहमति कऽ क आगु वढयके जानकारी देलनि ।

सशस्त्र द्वन्द्वमे मृत्यु भेलसबके १ सय २३ परिवारके २ करोड राहत वितरण


२२ पुष कपिलवस्तु । सरकार सशस्त्र द्वन्द्वके क्रममे विभिन्न पक्षसँ मृत्यु भेल परिवारके थप १ करोड ९९ लाख रुपैयां राहत वितरण केलक अछि ।

द्वन्द्वके समयमे मृत्यु भेल मे सँ ९१ गोटेके थप २ लाखके दरसँ ३० गोटेके ५० हजारके दरसँ, १ गोटेके १ लाख २५ हजार  आ एक गोटेके १ लाख कऽ १ सय २३ परिवारके  १ करोड ९९ लाख २५ हजार राहत राष्ट्रिय वाणिज्य बैंकमे खाता खोलि मृतकके हकदारके हस्तान्तरण केने जिल्ला प्रशासनके लेखा अधिकृत हरिषप्रसाद दुबे जानकारी देलनि ।

०६६ सालमे मृतक परिवारके १ लाखके दरसँ १ सय ८८ गोटे राहत पौने छल तऽ ओहिसँ आगु माओवादीसँ हत्या कएलगेल ३० गोटेके १ लाख ५० हजारके दरसँ राहत पौने छल । ओ सब कऽ क सब मृतकके परिवारजन ३ लाखके दरसँ राहत पाप्त केने छल ।


सैनिकके उपस्थितिके आओर बढाओल जाएत


२२ पुष अमेरिका । अमरीकी राष्ट्रपति बराक ओबामा नयाँ रक्षा नीतिके घोषणा करैत कहलनि जे सैनिकके संख्या कम भऽ सकैत अछि मुदा एशिया प्रशांत क्षेत्रमें सैनिकके उपस्थितिके आओर बढाओल जाएत ।

पेंटागनमें एक महत्वपूर्ण रणनीतिक दस्तावेज़ पेश करैत राष्ट्रपति ओबामा घोषणा केलनि जे नयाँ नीतिके अनुसार हज़ारों सैनिकके सेवा खत्म हाएत । ओ कहलनि जे आब युद्ध आबश्यक्ता कम भऽ रहल अछि आ  अमरीकाके अपन आर्थिक ताकत बढ़ावयके ज़रुरत अछि । हालांकि राष्ट्रपति ज़ोर दऽ कऽ कहलनि जे अमरीकाके सैन्य ताकत अहि कटौतीके बावजूदो सबसँ मज़बूत रहत ।

अगिला एक दशकमें पेंटागनके बजेटमें ४५० अरब डॉलर धरिके कटौती होवयबला अछि ।

नहर टुटलाबाद सयौँ बिगाहाके बालीमे पहुँचल क्षति


२२ पुष रौतहट । रौतहटके मलाही बजारसँ पूर्वमे रहल नहर टुटलाबाद किसानसब लगौने सयौँ बिगाहाके बालीमे क्षति पहुँचल अछि ।

बागमती सिंचाई आयोजना अन्तर्गत भलोहिया शाखाके सिंचाई नहरमे पानिके बहाव अत्याधिक रहलाक कारण टुटल स्थानिय बासीसब बतौलक अछि । नहर टुटलासँ स्थानिय किसान रामलगन साह, शेष मुना, शेषरोज महमद, चन्देश्वरप्रसाद साह कानु सहितके गहुँम मसुरी तथा तोरीबाली डुबानमे परल अछि । स्थानिय गम्हरिया पर्सा गाविस स्थित गम्हरिया गाउँ होइत मलाही बजारके पूर्वदिस जाएबला प्रशाखा नहरके ड्याम टुटल अछि । करिव ३० फीट लम्वा इ नहरके ड्याम टुटलाबाद किसानसब लगौने बालीमे क्षति पहुँचल अछि ।

पाँचसय गोटेके गरम कपडा वितरण , महोतरीमे १ आ रौतहटमे २ गोटेके ठण्डीसँ मृत्यु


२२ पुष रौतहट । शीतलहरसँ प्रभावित रौतहट जिल्लाके डुमरिया गाविसके पाँच सय गोटेके गरम कपडा वितरण कएलगेल अछि ।

हेल्प नेपाल नेटवर्कके समन्वयमे विभिन्न सङ्घ संस्थासँ उपलब्ध कराओलगेल कपडा वितरण कएलगेल अछि । सानो पाइला नामक संस्थाके कार्यकारी सचिव सँजीव घोस एक कार्यक्रमके बीच ३८ घर परिवारके पाँच सय गरम कपडा वितरण कएलनि अछि ।

अहिबिच तराईमे बढैत जाऽ रहल ठण्डीके कारण रौतहटमे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि । चन्द्रनिगाहपुर गाविस वाड नं. ५ थलाईटोल के ५६ वर्षक बद्री ढुङ्गेलके ठण्डीसँ मुत्यु भेल परिवारक सदस्य जनौलक अछि । ओम्हर आइ भिन्सर ५ बजे रौतहटके गा बि स पतौरा वार्ड नः५ मौलापुर के ६० बर्षक कोसिला देवी साहके सेहो ठण्डीसँ मृत्यु भेल अछि ।   

अहिना महोत्तरीमे ठण्डीसँ कठुवा कऽ गौरीबास ३ पाटुके ६५ वर्षक डस्ने माझिके  मृत्यु भेल अछि ।

नगरपालिका घोषणाके माँग करैत गौशाला बजार बन्द, राजमार्ग अवरुद्ध करबाक चेतावनी


२२ पुष महोत्तरी । महोत्तरीके गौशालाके नगरपालिका घोषणाके माँग करैत स्थानिय राजनीतिक दल, उद्योग वाणिज्य सङ्घ आ स्थानियसब गौशाला बजार बन्द करौलक अछि ।

महोत्तरीके गौशालाके नगरपालिकामे समाबेश करयके सुचिमे विवादित भेलाबाद स्थानिय राजनीति दल तथा स्थानियबासीसब कडा विरोध करयके चेतावनी देलक अछि । सरकार विभिन्न जिल्लामे ४१ नगरपालिका घोषणा करब कहितो अन्तिम समयमे आबि कऽ ३७ टा मात्र सदर कऽ क महोत्तरीके गौशालाके नगरपालिका घोषणा नहि करयके समाचार सञ्चार माध्यममे औलाबाद स्थानिय राजनीतिक दल तथा सर्वसधारण आक्रोशित भेल अछि ।

भिन्सरेसँ बजार बन्द करा कऽ टायर बारि कऽ विरोध करैत आक्रोशित स्थानियसब सम्बन्धित पक्ष गम्भिर नहि हाएत तऽ पूर्व पश्चिम राजमार्ग अबरुद्ध करयके चेतावनी सेहो देलक अछि । गौशाला बजारमे आइ बैसल सर्वपक्षीय बैसारमे साँझ थप सङ्घर्षक कार्यक्रम घोषणा कएल जाएत उद्योग वाणिज्य सङ्घ गौशालाके अध्यक्ष वीरेन्द्र साह जानकारी देलनि । माओवादीक  समानुपातिक कोटामे महोत्तरी क्षेत्र नं. ६ सँ सभासद् भरत साह खस पहाडी अहंकारीसब गौशालाके नगरपालिका होवयसँ विरोध कएने बतौलनि । 

गोलीसँ पांच गोटेके मृत्यु


२२ पुष कराची । पाकिस्तानके औद्योगिक शहर कराचीमें चलल गोलीसँ पांच गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ २ गोटे घाइल भेल अछि ।

अज्ञात समुहद्धारा आवामी नेशनल पार्टीके नेता सईद अहमद खानके हत्या केलाबाद शहरमें कतेकौ ठाम पर गोली चलल छल ।

जिओ न्यूजके खबरके अनुसार, ‘‘शहरके विभिन्न भागमें चलल गोलीबारीमें पांच गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ २ गोटे घाइल सेहो भेल अछि ।’’

पुनम


मङ्गोल नेसनल अर्गनाइजेसनमे आबद्ध १७ गोटे गिरफ्तार


रुकुम, पुस २२ मङ्गोल नेसनल अर्गनाइजेसनम आबद्ध १७ गोटेके पुलिस गिरफ्तार केलक अि

रुकुमके सदरमुकाम खलङ्गा बजारक एक होटलसँ बितल राति ओकरासबके गिरफ्तार कएलगेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय रुकुम जनौलक अि

होटलक हलम प्रशिक्षण कार्यक्रम कऽ रहल समय ओकरासबके गिरफ्तार कऽ अनुसन्धान शुरु कएल गेल रुकुमक प्रहरी नायब उपरीक्षक किसनसिङ थापा जानकारी देलनि अनुसन्धान भऽ रहलासँ बिशेष जानकारी देवय नहि मिलत ओ बतौलनि

रुकुमम रहि कऽ सङ्गठित रूपम आपराधिक क्रियालपाक योजना निर्माण कऽ रहल अनुमान पुलिसक अछि

किछ समय आगु सेहो वायह सङ्गठनम आबद्ध रहल बतावयबला तीन गोट युवाके पुलिस गिरफ्तार कऽ ने छल ओकरासबहक सँगसँ सेहो लाखौँ मूल्य बराबरक युद्ध बन्दोबस्तीक सामानसब बरामद कएलगेल छल

सबसँ निक वक्षस्थल रहल आठ सुन्दरी

डाना हाम

रियालिटी स्टार लुसी मेक्लेन्बर्ग

facebook Page Like

  • मनोरँजन