Monday, October 10, 2011

चेकमे अनियमितता कऽ बेसी रकम बैँकसँ निकाल्ने खुलासा


२३ आसिन जनकपुरधाम । जनकपुरक जनता माबि बेल्ही रजौलसँ एक शिक्षक तलबके लेल पौअने चेकमे अपना तरिकासँ अनियमितता कऽ बेसी रकम बैँकसँ निकाल्ने खुलासा भेल अछि ।

बिद्यालयके प्रधानाध्यापक बिन्देश्वर यादव वायह स्कुलक शिक्षक जनकपुर १४ रहनियार जय कुमार यादवके  तलब २ बेर चेक मार्फत भुक्तानी केने छलथि । मुदा दुनु बेर शिक्षक यादव चेकमे गडबडी कऽ बेसी रकम बैँकसँ निकाल्ने छल ।

श्रोतक अनुसार शिक्षक जय कुमारके २०६६ पुष २० गते ६ हजारक चेक देल गेल छल जाहिके ओ ६ के आगु १ लिख कऽ १६ हजार बना कऽ ओ रकम निकाल्ने छलथि । अहिना दोसर बेर २०६७ जेष्ठ १८ गतेमे हुनका ३ हजारके चेक देल गेल  छल । जाहिमे सेहो ओ ३ हजारके आगु एकटा आओर ३ थपि कऽ ३३ हजार रकम निकाल्ने छल ।

बादमे बिद्यालयके लेखा आँडिट करयके समय नेपाल बैँकके स्टेटमेन्ट आ आँडिटके क्रममे मिलान केलाबाद ओ ओइ समयमे ओतेक रकम निकालि कऽ धोकाधडी केने रहस्य खुजल अछि ।

संस्थापन पक्ष पार्टी फोरय चाहिरहल चन्दके आरोप


२३ आसिन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक नेता नेत्रविक्रम चन्द विप्लब आसिन २९ गतेके राष्ट्रिय कार्यकर्ता प्रशिक्षण भेला बजा कऽ संस्थापन पक्ष पार्टी फोरय चाहने आरोप लगौलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे नेता चन्द संस्थापन पक्ष पार्टीके भेला बजा कऽ पदके दुरुपयोग केने कहैत संस्थापन पक्ष पार्टी फोरय चाहने आरोप लगौलनि ।

अपनासब अध्यक्षके भेला रोकय आग्रह केने कहैत ओ नहि रोकल गेल तऽ ओइसँ पार्टी फुटयके सँभावना बढय सकयके चेतावनी देलनि ।
ओ दुनु भेला स्थगित कऽ क केन्द्रीय समितिक बैसारमे बिमर्श केलाबाद मात्रे भेला बजाबऽ सुझाव देलनि । ओ केन्द्रीय कमिटिक बैसारके निर्णयसँ अध्यक्षे भागय चाहने आरोप लगौलनि ।

प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई अपनासबके धोका देने कहैत ओ चारि बुँदे सहमति, लडाकुके हतियार रखने कन्टेनरके चाबी बुझाबयके निर्णयके बाद सरकारक औचित्य समेत समाप्त भेल जिकिर कएलनि । ओ कहलनि-चारि बुँदे सम्झौता बाद सरकार कमजोर भऽ चुकल अछि । इ सरकार पूर्ण आकारमे क्रियाशिल होबय नहि सकत । हमसब इ सरकारके रिजेक्ट क देलौ ।

फोटो सँसार


मनोमानी भाडा असुली बन्द कराबय प्रधानमन्त्रीक निर्देशन


काठमाडौ, आश्विन २३ । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई सार्वजनिक यातायातके क्षेत्रमे सर्वसधारणके भोगय परल समस्या नियन्त्रण करय सम्बन्धित मन्त्रालयके निर्देशन देलनि अछि ।

 सार्वजनिक यातायातके साधनसँ यात्रुसबसँ मनोमानी ढँगसँ भाडा असुल केने तथा पावनि तिहारक समयमे टिकटके कालाबजारी केने उपराग एलाबाद प्रधानमन्त्री श्रम तथा यातायात व्यवस्था मन्त्रालयके सचिव डा. रामहरी अर्यालके ओइके नियन्त्रणके लेल निर्देशन देलनि अछि ।

बस तथा जीप काउन्टरसबमे सरकार तोक्ने भाडा दर सूची नहि राखलगेल तथा यात्रुसबसँ बेसी भाडा असुल्ने शिकायत एलाबाद प्रधानमन्त्री भट्टराई बस तथा जीप काउन्टरके अनुगमन करय समेत निर्देशन देलनि अछि । प्रधानमन्त्री यात्रुसबसँ बेसी भाडा असुल्यबलाके तत्काल कारवाही करय सेहो निर्देशन देने हुनक सहयोगी विश्वदीप पाण्डे बतौलनि । 

बेसी भाडा लेने पाओल गेल तऽ तत्काल सम्बन्धित निकायमे खवर करय लेल सार्वजनिक नम्बरके व्यवस्था करय सेहो प्रधानमन्त्री कहने छथि ।

अहिना राजमार्गके होटलसबमे अनुगमन करितो ओ होटलसबमे सुधार नहि भेल तथा ग्राहकसबके ठकयके प्रवृत्ति नहि रुकल शिकायत एलाबाद प्रधानमन्त्री भट्टराई ओहन व्यापारीके कारवाही करय सम्बन्धित अधिकारीके निर्देशन देलनि अछि ।

राजमार्गके होटलसबमे होबयबला ठगीके विषयमे टेलिफोन मार्फत तत्काल जानकारी कराबय प्रधानमन्त्रीके निजी सचिवालयके टेलिफोनमे सम्पर्क करय आग्रह कएलगेल अछि । यात्रुसबसँग बेसी भाडा असुल्ने पाओलगेल तऽ या कोनो जनसरोकारके ठाममे होबयबला ठगीके विषयमे प्रधानमन्त्रीक निजी सचिवालयके टोल फ्रि नम्बर ११११ आ स्वकीय सचिवालयके मोवाईल नम्बर ९८ ४१४ ९३ ६८७ मे तत्काल फोन कऽ जानकारी कराबय कहल गेल अछि । ठगीके जानकारी होइते तत्काल कारवाही प्रक्रिया आगु बढाओल जाएत नीजि सचिवालय जनौलक अछि ।

पोलैंडके प्रधानमंत्री केलनि जीतके दावा


२३ आसिन पोलैंड । पोलैंडके प्रधानमंत्री डोनल्ड टस्क  आम चुनावमें जीत अपन हाएत दावा कएलनि अछि । एक्ज़िट पोल सँ भेटल संकेतके अनुसार हुनकर सत्ताधारी सिविक प्लैटफ़ॉर्म पार्टी बाक़ी दल सँ आगु अछि ।

जँ एहन भेल तऽ साम्यवादके समाप्तिके बाद इ पहिल बेर सत्ताधारी गठबंधन सत्तामें फेउर सँ आओत ।

पोलैंड यूरोपके एकमात्र देश अछि । जतय आर्थिक मंदीके समस्या नहि पड़ल अछि । अनुमानके अनुसार ओकर अर्थव्यवस्था बाँक़ी यूरोपीय देशसँ तेज़ गती सँ बढ़त।

मिस्रके हिंसामें २३ गोटेके मृत्यु, काहिरामें कर्फ़्यू


२३ आसिन मिस्र । मिस्रके राजधानी काहिरामें प्रशासन कॉपटिक ईसाई समुदायके लोग आ सुरक्षाकर्मीके बीच झड़प भेलाबाद कर्फ़्यू लगौलक अछि । अहि हिंसामें अखनधरि २३ गोटेके मृत्यु भऽ चुकल अछि तऽ १ सय ५० सँ बेसी गोटे घाइल भेल अछि ।

 ईसाई समुदायके लोग मिस्रमें एकटा चर्चके जरौने कहैत बिरोधमे प्रदर्शन कऽ रहल छल ।

टीवी पर देखाओल जाऽ रहल दृश्यके अनुसार प्रदर्शनकारी सैना उपर  पेट्रोल बम फ़ेंकने छल आ सरकारी टेलीवीज़नके भवनके सँगे सेनाके गाडीमे सेहो आगि लगौने छल ।

कॉपटिक ईसाइके आरोप अछि जे असवान प्रांतमें एकटा चर्चके जराबयमे कट्टरपंथ मुसलमानके सेहो हाथ अछि । जाहि कारण ओ सब क्षेत्रीय गवर्नरके हटाबयके माँग कऽ रहल अछि ।

विश्व मानसिक स्वास्थ्य दिवस मनाओल जा रहल


२३ आसिन, जनकपुर । अक्टोबर १० तारिखके, नेपालमे सेहो विभिन्न कार्यक्रम कऽ आइ विश्व मानसिक स्वास्थ्य दिवस मनाओल जाऽ रहल अछि ।

विश्वमे अखन ४५ करोड सँ बेसी लोक बिभिन्न प्रकारके मानसिक स्वास्थ्य समस्यासँ पीडित रहल विश्व स्वास्थ्य संगठन जनौलक अछि । ओइ मेसँ साढे पन्ध्र करोड गम्भीर प्रकृतिक मानसिक स्वास्थ्य समस्यासँ पीडित अछि ।

विश्वके पाँच प्रतिशत बालबालिकामे समेत मानसिक रोगके समस्या देखल जाति अछि । मानसिक रोगीसबप्रति समाजमे होबयबला नकारात्मक व्यवहार आ उचित इलाजक अभावमे एहन रोगीसबहक मृत्युदर बहुत रहल स्वास्थ्यकर्मीसबहक कहब अछि ।

बर्तमान सरकारक औचित्य समाप्तः ओली


२३ आसिन, चितवन । नेकपा एमालेक नेता केपी शर्मा ओली ४५ दिनभितर शान्ति प्रक्रियाके मुलभुत काम करय नहि सकत तऽ सरकारक औचित्य समाप्त हाएत बतौलनि अछि ।

आइ चितवनके पर्सामे प्रेस चौतारी केने पत्रकार भेटघाटमे नेता ओली प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराइ कहने ४५ दिनक समय पुरा होबय लगितो अइमे कोनो प्रगति नहि भेल बतौलनि ।

अखन सरकारक मुख्य जिम्मेवारी शान्ति आ संबिधान निर्माणके निष्कर्षमे पहुँचनाइ रहल बतबैत ओली आरो खेला देखा कऽ कमौने चर्चाके कोनो मूल्यांकन नहि हाएत बतौलनि । ओ २ टा प्रमुख दल प्रतिपक्षमे रहल समय सरकार जनताके हितमे काम करत कहनाइ लज्जास्पद रहल बतौलनि ।

नेता ओली बर्तमान सरकारके ढहल पहाडक संज्ञा देलनि । एखुनक सरकारके एमाले सहयोग करत मुदा रास्ता बिसरत तऽ खबरदारी करय  पाछु नहि परत हुनक कहब छलनि ।

नेता ओली सरकार निर्माणके क्रममे माओवादी आ मधेशी मोर्चाबीच भेल ४ बुंदे सम्झौता राष्ट्रघाती भेल दावी कयलनि ।

आयल निगमद्धारा पेट्रोलियम पदार्थके मोल फेउर बढल


२३ आसिन, जनकपुर नेपाल आयल निगम पेट्रोलियम पदार्थक मोलमे बृद्धि केलक अछि । निगम सञ्चालक समितिक आइ ैसल बैसारसँ आइ भिन्सर १० बजेसँ लागू होबय जका पेट्रोल, डिजेल मटिया तेलक मूल्यबृद्धि केलक अछि

पेट्रोलम प्रतिलिटर ३ डिजेल तथा मटिया तेलम प्रतिलिटर १-१ रुपैयाँ बृद्धि कएलगेल निगमक प्रवत्ता मुकुन्द ढुङ्गेल जानकारी देलनि । मूल्यबृद्धिके बाद पेट्रोल प्रतिलिटर १ सय ५ रुपैयाँ भेल अछि तऽ डिजेल मटिया तेलके मूल्य प्रतिलिटर ७६ पहुँचल अछि

प्रवत्ता ढुङ्गेलक अनुसार आइके मुल्यबृद्धि बाद आयल निगमके पेट्रोलम ७५ पैसा नाफा भेल अछि तऽ डिजेलम १० रुपैयाँ १ पैसा मटियातेलमे १ पैसा घाटा रह ि । खाना पकाबयबला एलपी ग्यासक मूल्य पुरान दरमे रहल अछि । ग्यासम निगमके प्रतिसिलिण्डर ३ सय ५ रुपैयाँ ६४ पैसा घाटा ि

आजुक मुल्यबृद्धिके बाद निगमक मासिक घाटा ८३ करोडसँ घटि कऽ ७० करोड ६० लाख रुपैयाँ हाएत

जगजित सिँह आब नहि रहलाह


२३ आसिन, काठमाडौं । भारतीय चर्चित गजलकार जगजीत सिंहक निधन भेल छन्हि । हुनक मुम्बईके लीलावती अस्पतालमे इलाजक क्रममे आइ भिन्सर निधन भेल बिभिन्न  भारतीय सञ्चार माध्यमसब जनौलक अछि ।

७० बर्षक उमेरमे  जगजितके निधन भेल अछि । राजस्थानके श्रीनगरमे ८ फेब्रअरी, १९४१ मे जन्म भेल सिंहके ब्रेन हेमरेज भेलाबाद शुक्रदिन अस्पताल भर्ना कराओलगेल छल ।

हिन्दी, उर्दू, पन्जाबी, भोजपुरी, नेपाली सहितक अनेक भाषामे गजल गाबिचुकल सिंहके भारत सरकार सन् २००३ मे सर्वोच्च नागरिक सम्मान मध्येके एक पद्मभूषणसँ सम्मान केने छल ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन